Search

सम्पूर्ण गीता – प्रवीण व्याख्या सहित

283 भ्यूज

गीता – व्याख्या सहित

– प्रवीण नारायण चौधरी

गीताक अध्ययन आ मनन मानव जीवन लेल परम जरूरी अछि । मनुष्य रूप मे जीवन प्राप्ति वास्तव मे एकटा अद्भुत अवसर होइछ । लेकिन ई बात तखनहिं बुझय मे अबैछ जखन गीता जेहेन गूढ़ ज्ञान, हम मानव वास्तव मे के थिकहुँ, जन्म-जन्मान्तरक यात्रा कि थिक, ईश्वर (परमात्मा) के थिकाह, हमरा सब केँ हुनका सँ कोन तरहक जुड़ाव आ सम्बन्ध सब अछि – एहेन कतेको रास बातक जनतब राखैछ लोक । हमर जीवन मे गीताक बड पैघ सहयोग रहल अछि । एकटा समय छल जे मोनक उद्विग्नताक शमन लेल आँखि मुंदिकय गीताक पन्ना उन्टबिते समाधान सोझाँ अभैर पड़ैत छल । तेँ, गीताक अध्ययन हम चरणबद्ध रूप मे कयलहुँ, करैत छी आ यावत ई जीवन मे सक्रिय रहब ता धरि करैत रहब । एहि वर्ष स्वामी स्वरूपानन्दकृत् श्रीमद्भागवद्गीताक अंग्रेजी अनुवाद आ टिप्पणी सहितक पुस्तक केर ‘मैथिली अनुवाद’ कार्य पूर्ण कयल । तदोपरान्त हम कि बुझलहुँ, लोक केँ कि बुझबाक चाही – से सब बात ‘प्रवीण व्याख्या’ रूप मे लोकक सहज समझ वास्ते पूरा भेल अछि । परमात्माक असीम कृपा मात्र सँ ई सब महत्वपूर्ण कार्य हम मानव अपन जीवनकाल मे कय पबैत छी । आर ई आजीवन निरन्तरता मे बनल रहय यैह एहि जीवनक सफलता होयत, एना बुझैत छी । एहि सँ पुरुषार्थ आ परमार्थ सेहो सहज बनैछ । निम्न विषय-सूची अनुसार अपने लोकनि सम्पूर्ण गीताक प्रवीण व्याख्याक आनन्द लेल जाउ । स्वाध्यायी लेल ई अमृत समान होयत से तय अछि । गीताक माहात्म्य पूर्ववत् अछि, ओहि मे हम अपन व्याख्या रखबाक जरूरत नहि बुझलहुँ । धन्यवाद !

अपने लोकनिक प्रिय – प्रवीण

सम्पूर्ण गीताक प्रवीण व्याख्या निम्न लिंक पर क्लीक कय केँ अध्यायानुसार पढ़ीः

१. अध्याय १

२. अध्याय २ 

३. अध्याय ३

४. अध्याय ४

५. अध्याय ५

६. अध्याय ६

७. अध्याय ७

८. अध्याय ८

९. अध्याय ९

१०. अध्याय १०

११. अध्याय ११

१२. अध्याय १२

१३. अध्याय १३

१४. अध्याय १४

१५. अध्याय १५

१६. अध्याय १६

१७. अध्याय १७

१८. अध्याय १८

१९. गीताक माहात्म्य

२०. स्वामी स्वरूपानन्दकृत् श्रीमद्भागवद्गीताक मैथिली अनुवाद (सम्पूर्ण गीता)

अध्ययनकर्ता लोकनि सँ अपन सुझाव व प्रतिक्रिया हमर व्हाट्सअप या ईमेल पर पठेबाक अनुरोध सहित –

Whatsapp +9779801722981

Email [email protected]

हरिः हरः!!

Related Articles