Search

नेपाली प्रधानमंत्री बालेन साह केर पहिल विदेश यात्रा भारत सँ आरम्भ

13 भ्यूज

नेपालक प्रधानमंत्री बालेन साह केर पहिल विदेश यात्रा भारत सँ आरम्भ

आइ २० नवम्बर भेल । २२ नवम्बर यानि दुइ दिन बाद नेपालक प्रधानमंत्री बालेन भारत यात्रा पर जा रहल छथि । बालेन साह ३५ वर्षक उमेर मे नेपाल देशक प्रधानमंत्री बनि नेपालक उत्तरोत्तर सुधार मे लागि गेल छथि । राजनीतिक दृष्टि सँ बालेन साह रहस्यमयी आ चमत्कारिक शक्तिक केन्द्र छथि, मुदा नेपाल मे स्थापित विदेश नीति आ भारत संग कूटनीतिक सम्बन्धक स्थापित आयाम प्रति हुनकर अपन तथा हुनकर दल केर नीति केँ भारत मे शंकाक दृष्टि सँ देखल जेबाक विडम्बनापूर्ण अबस्था सेहो अछि । डा. निहार नायक (नेपाल-भारत सम्बन्ध पर नजरि रखनिहार विज्ञ) केर विचार सुनिकय दिल्ली मे एहि यात्राक प्रति कतेक उत्साह आ विश्वास या शंका-सन्देह केर अबस्था अछि ताहि आधार पर ई बात कहि रहल छी ।

बालेन प्रति भारतक शंका मे जेन-जी आन्दोलनक प्रकृति आ प्रारूप सेहो मूल कारण देखाइत अछि । तहिना, बालेन सरकार नेपालक परम्परा मे परिवर्तन अनबाक पक्ष रूप मे देखाइछ । ८ महीना बाद होमय जा रहल यात्रा, मात्र २४ घन्टाक समयान्तराल मे द्विपक्षीय वार्ता आ निर्णय, भारत यात्रा सँ पहिने बालेन सरकार कैबिनेट केर महत्वपूर्ण व्यक्ति सभक दिल्ली टुर आ टाक्स मार्फत कयल गेल तैयारी आ पूर्वक सरकार सभक यात्रा व समझौता तथा ताहि मे भेल कतेको रास संधि-समझौता आ विकासक प्रोजेक्ट्स सभक समीक्षा प्रतिवेदन – एहि सब आधार पर ई यात्रा कोन-कोन क्षेत्र मे कतेक पैघ महत्व स्थापित करत – ई सबटा आशंकाक घेरा मे देखाइत अछि ।

भारत सरकारक पूर्व अनुभव आ नेपाली राजनेता – प्रधानमंत्री आ हुनक दल/संगठन केर सोच मे अन्तर आदिक कारण पहिने सँ सशंकित अछि । विगत ११ वर्ष (एस. जयशंकर – तत्कालीन विशेष दूत केर निरादर सँ भड़कल भारत) केर व्यवहार मे केवल “फौर्मलिटीज” टा होइत देखि रहल छी । वर्तमान मोदी सरकार केर उत्साहपूर्ण घोषणा आ रणनीति “नेवर फर्स्ट” मे नेपाली राजनीतिक शक्ति द्वारा प्रदर्शित अविश्वास आ शंकास्पद गतिविधिक कारण भारत द्वारा मैथिलीक कहावत “झरकल मुँह झँपनहिं नीक” वला सिद्धान्त पर एक-एक डेग फूँकि-फूँकिकय चलल जा रहल अछि । कहय लेल कृषि, शिक्षा, उद्योग, व्यापार, बिजली उत्पादन, कनेक्टिविटी, आदिक संग अन्य द्विपक्षीय सन्धि सभक विशाल लिस्ट रेडीमेड अबस्था मे रहिते अछि । धरि, भारत जाहि रुचि सँ पूर्व मे नेपालक आर्थिक समृद्धिक वास्ते कतेको रास सुविधापूर्व व्यापार आ पारवहन समझौता आदि करैत छल से पुनः नवीकरण होयत कि नहि से शंका बनल देखाइछ ।

बालेन साह नेपालक युवा भावनाक प्रबल एम्बेसडर रूप मे नेतृत्व कय रहल छथि, आर हिनकर क्रेज एखनहुँ युवा एवं परिवर्तनक ख्वाहिश राखयवला विशाल नेपाली जनमानस केँ देखैत भारत निश्चय किछु विस्मयकारी सहयोग पैकेज केर घोषणा करत से अवश्यम्भावी अछि । बालेन सरकार भले २४ घन्टा मात्र समय बितबथि – मुदा पूर्व-तैयारी जोरदार छन्हि आ भारत संग हिनक मंत्री लोकनि बेराबेरी सब किछु डील फाइनल कय चुकल छथि । तेँ सकारात्मक परिणाम अवश्य आओत । शंका-आशंका बीच लोक-आकर्षक समझौता नेपाल-भारत सम्बन्ध केँ कतेक हितकारी होयत, से बात यात्राक तुरन्त बाद स्पष्ट भ’ जायत ।

हमर शुभकामना !

हरिः हरः!!

Related Articles