कि सवर्ण मतदाता एनडीए सँ ऊबि गेल ?
भारतक राजनीति मे तरह-तरह के उड़ौंती-पुड़ौंती बात सब भ’ रहल देखाइछ । चूँकि सोशल मीडिया केर युग मे मतदाताक मन केँ विभिन्न तरहक भाष्य (नैरेटिव्स) सँ प्रभावित कय केँ सत्ताक चाभी अपना हाथ मे लय सकबाक स्थिति-अबस्था छैक । मतदाताक साक्षरता, लोकतंत्रक महत्व आ तदनुसार सरकारक गठन मे एहिना हरेक पाँच वर्ष पर होयबला चुनावक मद्देनजर भाँति-भाँतिक भाष्य सब पर चर्चा होइत रहब ओना त स्वभाविक अछि, परञ्च भारतक वर्तमान प्रधानमंत्री नरेन्द्र दामोदरदास मोदीक लगातार तेसर बेर सफल होइत भारतक शासनक बागडोर अपना हाथ मे थामने देखि बहुते तरहक विरोधी तत्त्व सब अपना हिसाब सँ हाथ पैर चलबैत, छलमलाइत माछ जेकाँ सत्ताक छटपट्टी मे तलमलाइत देखा रहल अछि ।
यूजीसी कानूनक चर्चा बड़ा जोर पर अछि
सोशल मीडिया मे सवर्णक नाम पर बड़-बड़ लोक चिन्ता जता रहल छथि । काल्हि सीतामढ़ी सँ उमेश झा जेहेन विज्ञजन सेहो तीन टा काला कानून केर बात वर्तमान सरकारक नकारात्मकता सिद्ध कयलक कहलनि, ताहि मे एकटा यूजीसी कानून केर नाम सेहो छल । आइ डा. चन्द्रमणि झा, प्रसिद्ध गीतकार (दरभंगा) सेहो अपन पोस्ट मे नरेन्द्र मोदी जी संग गलबहियाँ आ उमेर-तुलना करैत भाजपाक समर्थक रहितो यूजीसी कानूनक कारण ‘सवर्ण मतदाताक मूड मे परिवर्तन’ आ मोदी सरकारक विरोध केर बात उठेलनि ।
कि थिकैक ई यूजीसी कानून
भारत केर हाल चर्चित कानून UGC (Promotion of Equity in Higher Education Institutions) Regulations, 2026 केर सन्दर्भ अछि । संसद द्वारा बनायल गेल ई कोनो नव “कानून” नहि, बल्कि UGC Act, 1956 केर तहत UGC द्वारा बनायल गेल नियमन (Regulations) थिक । एकरा 13 जनवरी 2026 केँ अधिसूचित कयल गेल छल ।
एहि मे मुख्यतः कि सब अछि ?
एकर उद्देश्य विश्वविद्यालय तथा उच्च शिक्षण संस्थान सब मे जाति, जनजाति, धर्म, लिंग, जन्मस्थान, दिव्यांगता आदिक आधार पर भेदभाव रोकनाय तथा SC, ST, OBC, EWS तथा अन्य समूह सभक वास्ते समता/समावेशिकता (equity/inclusion) सुनिश्चित करब अछि ।
सबसँ विवादित प्रावधान Regulation 3(1)(c) मानल जाइछ । एहि मे “जाति-आधारित भेदभाव” (“caste-based discrimination”) केर विशेष परिभाषा SC, ST एवं OBC केर संदर्भ मे देल गेल अछि । एहि कारणे सामान्य वर्ग (General Category) केर किछु समूह आपत्ति कयलक जे यदि कोनो General-category व्यक्तिक संग जातिक आधार पर भेदभाव हो, तँ ओकरा एहि विशेष व्यवस्था मे समान सुरक्षा नहि भेटत ।
सवर्ण/General Category केर मुख्य आपत्ति कि छैक ?
एकरा बुझबाक लेल सवर्णक गोटेक हितचिन्तक लोकनिक तर्क सब केँ अलग-अलग बिंदु मे देखनाय बेसी उचित होयत:
1. सुरक्षा (Protection) बराबर नहि छैक – तर्क छैक जे जातिगत भेदभाव गलत अछि त ओ सब जातिक व्यक्तिक खिलाफ हो, तेँ कानून/नियम जाति-उदासीन (caste-neutral) हेबाक चाही । सामान्य वर्ग केँ अलग कयकेँ सुरक्षा देनाय संविधानक समानताक सिद्धान्त (equality principle) केर विरुद्ध भ’ सकैत अछि ।
2. झूठक शिकायत (False complaints) केर भय - विरोध करनिहार कहैत अछि जे यदि शिकायत करबाक व्यवस्था मजबूत हो लेकिन झूठक शिकायत करयवलाक खिलाफ पर्याप्त स्पष्ट दंड/सुरक्षा नहि हो, तँ एकर दुरुपयोग भ’ सकैत अछि ।
3. समता समिति (Equity Committee) मे सामान्य वर्गक (General Category) केर प्रतिनिधित्व नहि अछि - आपत्ति इहो अछि जे SC/ST/OBC प्रतिनिधित्व केँ अनिवार्य कयलाक बादो सवर्णक प्रतिनिधित्व केँ ओहि प्रकार सँ सुनिश्चित नहि कयल गेल अछि । विरोधी सब केँ ई व्यवस्था संरचनात्मक एकपक्षीय (structurally one-sided) लगैत छन्हि ।
4. जातिगत विभाजन बढ़बाक तर्क – गोटेक विरोधी सभक कहब छन्हि जे विश्वविद्यालय सब मे भेदभाव खत्म करबाक बदला नियम सब मे जातीयता केँ एहि प्रकार सँ संस्थागत रूप सँ समावेश कयला सँ शिक्षण स्थल आर समाज मे जातीय पहिचान आर मजबूत भ’ सकैत अछि ।
5. “सभक लेल समान नियम” केर मांग – विरोधी लोकनिक मूल तर्क अछि: भेदभावक शिकायत केर सुरक्षा व्यक्तिक जाति देखिकय नहि, बल्कि भेदभावक तथ्य केर आधार पर हेबाक चाही ।
लेकिन दोसर दिश एकटा महत्वपूर्ण बात
SC/ST/OBC संगठन तथा सामाजिक न्याय केर पक्षधर लोकक तर्क बिल्कुल अलग अछि । ओकर कहब अछि जे भारत मे जातीय भेदभाव (caste discrimination) केर ऐतिहासिक व सामाजिक प्रभाव समान नहि रहल अछि; तेँ केवल “सभक लेल एक जेकाँ नियम” कहनाय वास्तविक असमानता केँ नजरअंदाज कय सकैत अछि । ताहि कारणे विशेष सुरक्षा आवश्यक अछि ।
एखन एकर कानूनी स्थिति कि छैक ?
ई सबसँ महत्वपूर्ण बात अछि: सर्वोच्च न्यायालय (Supreme Court) 29 जनवरी 2026 केँ एहि 2026 Regulations केँ फिलहाल रोक/निलंबन (stay/abeyance) मे रखने छल । अगस्त 2026 मे केन्द्र सरकार द्वारा सर्वोच्च न्यायालय केँ कहल गेल जे एहि नियम सब पर पुनर्विचार कयल जा रहल अछि । तेँ एहि वर्तमान मे लागू अंतिम व्यवस्था माननाय सही नहि होयत ।
निष्कर्षः
आब कहू ! अनावश्यक चिन्ता, आक्रोस, विरोध आदिक कतेक महत्व छैक से स्वतः बुझल जा सकैछ । भारतक संविधान सभक सुरक्षा लेल कानून बनेने छैक । कानूनी बात न्यायालय मे विचाराधीन छैक । नव सरकारक भूमिका बारे स्पष्ट अछि जे ओहो पुनर्विचार कय केँ संविधानक दायरा मे रहिकय प्राचीन कानून केँ नव समाज अनुरूप बनाओत । तखन ई सामाजिक संजाल मे असामाजिक चिन्तन कियैक, एकर कतेक महत्व, स्वतः बुझल जा सकैछ ।
हरिः हरः!!
