Search

प्रवीण नारायण चौधरी

नेपाल मे पेयजल आपूर्तिक आयोजना पर मंत्री प्रदीप यादव कि सब जानकारी करौलनि

‘पेयजल केर स्थायी समाधान हेतु जलाशययुक्त आयोजनाक सम्भाव्यता अध्ययन भ’ रहल य’ राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) काठमाण्डू, ८ चैतः नेपालक पेयजल मन्त्री प्रदीप यादव पेयजल आपूर्तिक स्थायी समाधान लेल पैघ जलाशययुक्त आयोजनाक सम्भाव्यता अध्ययन भ’ रहल जानकारी करौलनि अछि । राष्ट्रिय सभाक आजुक बैसारमे सांसद भुवनबहादुर सुनारक मौखिक प्रश्नक उत्तर दैत मन्त्री यादव कहलनि “सुनकोशी नेपाल मे पेयजल आपूर्तिक आयोजना पर मंत्री प्रदीप यादव कि सब जानकारी करौलनि

दिवस विशेषः विश्व कविता दिवस व अन्य

आइ विश्व कविता दिवस राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) काठमाण्डू, ८ चैतः आइ पाँचम् अन्तर्राष्ट्रीय कविता दिवस थिक । संयुक्त राष्ट्रसङ्घ सँ घोषित कविता दिवस विश्वक अनेकों देश मे अपन संस्कृति अनुसार मनायल जाइछ । आइ हिमनदी, जातिवाद आ जातीय भेदभाव विरूद्ध संघर्ष कय रहल जनता संग ऐक्यबद्धता सप्ताहक पहिल दिन, जातीय भेदभाव उन्मूलन लेल अन्तर्राष्ट्रीय दिवस विशेषः विश्व कविता दिवस व अन्य

विश्व खुशहाली सूचकांक मे भारत नीचाँ केना ?

विश्व खुशहाली सूचकांक औक्सफोर्ड विश्वविद्यालय बेलायतक अर्थशास्त्री प्रोफेसर लोकनि एकटा सर्वेक्षण (सर्वे) प्रकाशित कयलनि अछि ‘विश्व खुशहाली रिपोर्ट’ । खुशहालीक किछु निश्चित मापदंड पर कोन देश मे कतेक खुशहाली अछि, सम्भवतः ताहि गुणे ‘सूचकांक’ तय कयलनि अछि । सांख्यिकीय पद्धति पर विश्लेषण करैत ई सूचकांक निर्धारित कयल जेबाक तथ्य सब अध्ययन उपरान्त ज्ञात भेल । विश्व खुशहाली सूचकांक मे भारत नीचाँ केना ?

बौआ भगवान् – अद्भुत संकल्पशक्तिक धनी – सन्त परम्परा केँ जिवन्त रखनिहार मैथिल ब्रह्मचारी

मिथिला मात्र नहि अपितु सम्पूर्ण भारतवर्षक महान सन्त बौआ भगवान् दरभंगा जिलाक लगमा कुटी पर श्री लक्षचण्डी महायज्ञ एवं अतिविष्णु यज्ञक अद्भुत आयोजन सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल । दिनांक १ मार्च २०२५ सँ १६ मार्च २०२५ धरि आयोजित एहि महायज्ञ मे अनेकों विशेषता देखल गेल । समूचा इलाकाक लोक एहि तरहक महायज्ञक अवलोकन पहिल बेर कयलनि बौआ भगवान् – अद्भुत संकल्पशक्तिक धनी – सन्त परम्परा केँ जिवन्त रखनिहार मैथिल ब्रह्मचारी

फगुआ आयल, फगुआ गेल, फगुआ चलियो गेल

होली शुभकामना प्रति कृतज्ञताक सन्देश आदरणीय सहयात्री – श्रेष्ठ एवं अनुज सहित सम्बन्ध विशेषक स्वजन-परिजन लोकनि! ‘फगुआ आयल, फगुआ गेल, फगुआ चलियो गेल’ – मोन पड़ैछ ई लाइन । भरि साल विशेष इन्तजार उपरान्त अबैत छल/अछि होली, आ फेर देखिते-देखिते ई बीति जाइत छल/अछि । त मैथिल कवि बड नीक गीत लिखलनि जेकरा कतेको लोकगायक फगुआ आयल, फगुआ गेल, फगुआ चलियो गेल

होली पर्व आ शुभकामनाक मर्म

विचार – प्रवीण नारायण चौधरी होली पर्व आ शुभकामनाक मर्म प्रत्येक वर्ष बसन्त ऋतुक चरम यौवनमे मनायल जायवला पर्व (पाबनि) थिक होली । फागुन पूर्णिमाक राति होलिका दहन आ तेकर भोरे रंग-अबीरक खेल खेलाइत, एक-दोसरकेँ रंग-अबीर लगबैत पूर्ण उत्साह सँ होली पर्व मनायल जाइछ । हम सब अपन परिवारक संगहि टोल-पड़ोस, समाज आ मित्रमंडली संग होली पर्व आ शुभकामनाक मर्म

सहज सुमति वर दिअ’ हे गोसाउनि

विशेष सम्पादकीय सहज सुमति वर दिअ’ हे गोसाउनि ‘ग्लोबल मैथिल’ समूह पर दुइ विशिष्ट आयोजनक चर्चा आ मीडिया कवरेज काफी आह्लादित करयवला अछि । पटना मे चेतना समिति द्वारा विभिन्न क्षेत्र मे योगदान देनिहाइर मातृशक्ति केर सम्मान – बिहारक राज्यपाल माननीय आरिफ मोहम्मद खान द्वारा मिथिलाक समृद्ध ऐतिहासिक वृत्तान्तक वर्णन, विदुषी उभया भारतीक जीवन पर सहज सुमति वर दिअ’ हे गोसाउनि

शाश्वत मिथिला भवनक उद्घाटन भारतक गृहमंत्री अमित शाह द्वारा कयल गेल

१० मार्च २०२५ । मैथिली जिन्दाबाद !! शाश्वत मिथिला अहमदाबाद द्वारा गुजरातक राजधानी गाँधीनगरक डाभोड़ा मे बनायल गेल बहुमंजिला-बहुउद्देश्यीय ‘शाश्वत मिथिला भवन’क उद्घाटनग भारतक गृहमंत्री माननीय अमित शाह जी द्वारा कयल गेल । शाश्वत मिथिला भवनक उद्घाटन संग महाकवि विद्यापतिक मूर्ति अनावरण तथा एहि अवसर पर प्रकाशित स्मारिकाक विमोचन कार्यक्रम सफलतापूर्वक काल्हि ९ मार्च केँ शाश्वत मिथिला भवनक उद्घाटन भारतक गृहमंत्री अमित शाह द्वारा कयल गेल

कुम्भमेलाक खेला – ई केहेन भ’ गेल झमेला

मैथिली कथा – हेमन्त झा महाकुम्भ आ भ्रम मुरारी बाबू – हे सुनू, शोर नै मचबै जाउ, आब जे निर्णय भ’ गेलै ताहि पर कायम रहू सब गोटे । श्याम – हँ कक्का जी, फेर लिस्ट बनाउ, सामान सभक ओरियान करू, अहू सब मे त समय लगतै । मुरारी बाबू – हँ, सुनै जाउ सब कुम्भमेलाक खेला – ई केहेन भ’ गेल झमेला

महाकुम्भः सनातनी संस्कृतिक उत्कर्ष अभिव्यक्ति

साहित्यः कुम्भ यात्रा संस्मरण – धर्मेन्द्र विह्वल (कुम्भमेला – प्रयागराज सँ वापसी पर) महाकुम्भः सनातनी संस्कृतिक उत्कर्ष अभिव्यक्ति पृष्ठभूमि – कुम्भक चर्च पौराणिक आ आध्यात्मिक मान्यता छैक जे कुम्भस्नान केलासँ जीवनमे नीक आ सकारात्मक प्रभाव पडै़ छै । एहि प्रभावक परीक्षण तँ के केने अइछ जाइन ने, मुदा धर्मग्रंथसबमे एकर महत्वक मादे वेश चर्चा कएल महाकुम्भः सनातनी संस्कृतिक उत्कर्ष अभिव्यक्ति