Search

दिवस विशेषः विश्व कविता दिवस व अन्य

आइ विश्व कविता दिवस

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

काठमाण्डू, ८ चैतः आइ पाँचम् अन्तर्राष्ट्रीय कविता दिवस थिक । संयुक्त राष्ट्रसङ्घ सँ घोषित कविता दिवस विश्वक अनेकों देश मे अपन संस्कृति अनुसार मनायल जाइछ ।

आइ हिमनदी, जातिवाद आ जातीय भेदभाव विरूद्ध संघर्ष कय रहल जनता संग ऐक्यबद्धता सप्ताहक पहिल दिन, जातीय भेदभाव उन्मूलन लेल अन्तर्राष्ट्रीय दिवस अन्तर्राष्ट्रीय वन दिवस, विश्व कविता दिवस, अन्तर्राष्ट्रीय नौरोज दिवस आ विश्व डाउन सिन्ड्रोम दिवस सेहो पड़ैछ ।

संयुक्त राष्ट्रसङ्घ अनुसार दुइ अरब सँ बेसी जनसंख्या स्वच्छ पानिक लेल हिमनदी पर निर्भर रहैछ तँ बाल्कन, ककेसस, इरान, मध्य एशियाई देश मे बसन्त ऋतुक आगमन आ नव दिनक प्रारम्भक रूप मे नौरोज दिवस मनायल जाइछ । ई सांस्कृतिक पर्व उक्त क्षेत्रक बहुसांस्कृतिक जाति आ समुदाय केँ एकताक सूत्रमे आबद्ध करैछ ।

डाउन सिन्ड्रोम एकटा मानव स्वास्थ्य सँ जुड़ल समस्या होइछ । जाहि सँ विश्वक सब क्षेत्रमे किछु हद धरि लोक प्रभावित अछि ।

Related Articles