Search

अमेरिका मे नेपाल – नेपाली समुदायक विशेषता आ मातृभूमि प्रति समर्पणक चर्चा

85 भ्यूज

अमेरिका मे नेपाल

लेख-रचनाः साभार नितिन त्रिपाठी

मैथिली अनुवादः प्रवीण नारायण चौधरी

ऑस्टिन शहर लग हुट्टो (hutto) मे पशुपति नाथ भगवान केर मंदिर अछि । ई मंदिर काठमांडू स्थित पशुपति नाथ बाबा केर धामहि जेकाँ बनल अछि । मंदिर पूरापूरी नेपाली लोक (समाज) द्वारा संचालित अछि तथा मंदिर परिसरहि मे ग्रेटर ऑस्टिन नेपाली सोसाइटी केर ऑफिस अछि ।

अमेरिका मे नेपाली आप्रवासी सभक संख्या बेसी छैक । लगभग तीन लाख अप्रवासी नेपाली अमेरिका मे अछि । यद्यपि भारतीय सभक तुलना हिनका लोकनिक संख्या बहुत कम छन्हि मुदा दुनू देशक जनसंख्याक अनुपात केर हिसाब सँ नेपाली एतय बहुत बेसी छथि । एकर एकटा प्रमुख कारण इहो अछि जे भारत सँ अमेरिका अयबाक एक्के टा तरीका अछि उच्च शिक्षा हासिल करू फेर हाइ टेक्नॉलौजी वला क्षेत्र मे कार्य करबाक लेल एच-१ (h1) वर्क वीजा हासिल कय केँ अमेरिका आयल जाउ आ फेर एतय दसो साल संघर्ष कयकेँ ग्रीनकार्ड हासिल कयल जाउ । ओतहि दोसर दिश अमेरिकन सरकार केर एकटा डाइवर्सिटी वीजा लोटरी प्रोग्राम चलैत अछि । देश मे विविधता केँ बढ़ावा देबाक लेल एहेन देश जेकर नागरिक कम छैक तेकरा अमेरिका आनल जाय । भारतीय, चाइनीज आदि एहि लौटरी (lottery) सिस्टम सँ बाहर अछि । एहि लौटरी मे जहिना नाम अबैत अछि नेपाल मे बैसले-बैसल अमेरिकन ग्रीन कार्ड भेटि जाइत छैक । वेलकम टु अमेरिका !

ओना यैह एकटा कारण अछि जे भारतीय सभक तुलना मे एतय नेपाली कम्यूनिटी बेसी रहैत अछि । भारतीय जे एतय सेटल होइत अछि से उच्च नौकरी सब मे होइत अछि, सामान्य अमेरिकन सँ कतेको गुना अधिक कमाइत अछि । धीरे धीरे ओ सब समाज मे सीढ़ी चढ़ैत गोरा सभक मोहल्ला मे, राजनीति मे, उच्च व्यवसाय मे, पैसावला क्लब सब मे प्रवेश पाबि चुकल रहैत अछि । एहि देश केर एक्के टा बाप अछि – पैसा । आर भारतीय एतुका सबसँ पैसावला वर्ग मे अबैत अछि । त एतय अहाँ भारतीय सब केँ आब समुद्रक किनार पर स्थित महल मे, बड़का बड़का नौका सब मे, वैकैशन होम मे – एहि सब जगह सब पर पायब ।

ओतहि नेपाली लौटरी जितिकय एतय अबैत अछि त प्रायः सामान्य या अल्प शिक्षित होइत अछि, त संघर्ष रहैत छैक । प्रायः ई सब रेस्टोरेंट मे, होटल मे, पेट्रोल पम्प जेहेन जगह सब पर कार्य करैत अछि – कम इन्कम होइत छैक । एकटा औसत नेपाली केर इन्कम ४०,००० डॉलर होइत छैक । एकटा औसत अमेरिकन ४४,००० डॉलर कमाइत अछि । त एकटा औसत भारतीय ८५,००० डॉलर कमाइछ – संगहि जाहि कंपनी मे काज करैछ ओकर शेयर सेहो भेटैत छैक । एहि लेल नेपाली अमेरिका मे सेहो अपन कम्यूनिटी (समूह) बनाकय रहैछ । समूह मे रहला सँ अभाव मे सेहो जीवन आसान भ’ जाइत छैक । प्रायः एकटा घर मे अहाँ केँ एक सँ अधिक नेपाली परिवार भेटनाय सामान्य बात (कॉमन) अछि । ज्यादा लोक एक घर मे, त कमायवला लोक ज्यादा भेल । किराया आर कॉमन खर्च त बराबर (सेम) टा हेबाक अछि ।

अगर कहल जाय जे नेपाल केँ नेपाल सँ बाहर रहयवला (आप्रवासी) नेपाली टा चला रहल अछि त अतिशयोक्ति नहि होयत । वर्ष केर जीडीपी केर एक चौथाइ हिस्सा यैह नेपाली आप्रवासी लोकनि द्वारा स्वदेश पठायल जा रहल रकम होइत अछि ।

नेपाली समूह एतय चुपचाप शान्तिपूर्वक मेहनत सँ कमाइत अछि आर एकटा पैघ रकम नेपाल पठबैत अछि । डॉलर सँ रुपैया मे पठाउ त बहुते रास देखाइत अछि । यैह कारण छैक जे केवल ढाइ लाख अमेरिकन नेपाली आब वार्षिक लगभग ओतबे रकम नेपाल पठबैछ जतेक भारत मे बसल दसो लाख नेपाली । यैह एकटा पैघ कारण छैक जे समय केर संग नेपालक भारत पर निर्भरता कम भ’ रहल अछि । ओ खाली नेपाल पैसे टा नहि पठा रहल अछि बल्कि टॉप लेवल पर जे अमेरिकन नेपाली अछि, ओ सब नेपाल मे स्टार्ट अप केँ फन्डिंग कय रहल छथि, नेपाल मे विद्युत सेक्टर मे पैसा लगा रहल छथि, नेपाल स्टॉक मार्केट मे निवेश कय रहल छथि । एहि तरीका सँ ओ सब नेपाल केँ आत्मनिर्भर बना रहल छथि । #ntamerica

हमर नोटः अमेरिका मे कार्यरत नेपाली समुदायक भारतीय समुदाय सँ तुलना आ जीवनशैली मे सामुहिकता ओ एकता संग अपन मातृभूमि केँ आत्मनिर्भर बनेबाक सन्देश काफी प्रभावित कयलक । धन्यवाद नितिन त्रिपाठी जी !! अहाँ आर लिखैत रही, हमर शुभकामना !!

हरिः हरः!!

Related Articles