Search

मैथिल जीवन पद्धति – मिथिला व्यवहारक महत्ता

21 भ्यूज

लेख-विचार

– प्रवीण नारायण चौधरी

आइ मन मे अपन मिथिलाक लोक व्यवहार पर मन मे बहुत बात उचरि रहल अछि । बेर-बेर अपन बाप-पुरखा लोकनिक महानता केँ प्रणाम कय रहल छी । मुदा नव पीढ़ी मे विकृतिक स्वीकृति प्रति चिन्ता सेहो भ’ रहल अछि । सोचलहुँ जे आजुक वर्णन एहि दुइ विम्ब पर आधारित हो । तदनुसार……

“धर्मस्य निर्णयो ज्ञेयो मिथिला-व्यवहारतः” – याज्ञवल्क्य स्मृति सँ उद्धृत् ई महान वाक्य हम मैथिल (मैथिलीभाषी समुदाय) केँ आत्मगौरव सँ ओतप्रोत कय दैत अछि । हमरा लेल ई वाक्य जीवनक एकटा गूढ़ आ गम्भीर पक्ष रूप मे स्थापित भेल, तदनुसार अपन अध्ययन आ खोजक दायरा सेहो बनल आ बढ़ैत चलि गेल ।

अपन विवाह भेल तहिया युवा उमेर, विभिन्न जोश, हर्ष, उत्साह, अभिमान आदिक कारण एतेक सरियायल लोक त किन्नहुं नहि रही; पढ़ैयो मे वैह विषय-सन्दर्भ दिश रुचि छल जाहि सँ दु टका कमा सकब । गणितक शिक्षक रही त गणित मे रुचि छल । बाद मे नौकरी शुरू कयलहुँ त कारपोरेट कानून तथा कस्टम्स कानून सहित बैंक, इन्स्योरेन्स, आइसीसी आ यूपीसी पब्लिकेशन्स सब मे रुचि ट्रान्सफर भेल ।

विभागीय नोटिफिकेशन्स, सर्कुलर आ केस-रेफरेन्सेज सब पढ़ैत-बुझैत ‘एडज्युडिकेशन’ जेहेन प्रक्रिया मे एसी, जेसी, सीसी पदाधिकारी स्तर केर विभागीय न्याय प्रक्रिया सँ बढ़ैत ‘सेस्टैट’ आ ‘सुप्रीम कोर्ट’ मे एसएलपी तक फेस करैत रहबाक ओ सब दिन – क्लासिफिकेशन डिस्प्यूट सँ लैत एचएस कोड चेन्ज आ तेकर इफेक्ट्स – कस्टम्स ड्यूटी (टैक्सेज) मे चेन्ज, तेकरा अपन कम्पनी लेल बचेबाक जोरदार संघर्ष – यैह सब जीवनक पेट-चलौआ विषय सब मे जबानी बीतल । आ जखन पेट भरल त संसार सुझल ।

बहुते समय अंग्रेजीक संसार मे रहलहुँ । १९९० सँ २००७ धरि । तदोपरान्त हिन्दी संसार मे प्रवेश कयलहुँ आ ई २ वर्ष धरि यानि २००९ धरि हावी रहल । मुदा शीघ्रहि ओहि महावाक्य केर प्रभाव सँ अपनहि मिथिला मे वापसी भेल । कोनो वर्षों-वर्ष सँ भटकैत परदेशी केँ अपन घर घुरलाक बाद जे सन्तुष्टि आ सुख भेटैछ तेहने अनुभूति देलक । आ, आब बाहर जाय के मने नहि होइछ ।

मिथिला मे मोक्षक उपाय

मिथिलाक आध्यात्मिकता बारे गहन खोज सँ बहुते रास बात प्राप्त भेल । मनुष्य लेल वर्णित चारि गोट पुरुषार्थ आवश्यक अछि – अर्थ, धर्म, काम तथा मोक्ष । आर मिथिलाक एक नाम तिरहुत यानि संस्कृत शब्द ‘तीरभूक्ति’ केर सिद्धान्त पर वर्णित अछि । मिथिला तीन गोट पवित्र देवनदी – कोसी, गंडक आ गंगा केर तिनमुहानी सिमाना सँ बनल भूभाग जाहि मे मस्तक ‘हिमालय’ सँ बहयवला निर्झर सात बहिन सीता स्वरूपा सप्तनदी सभक चर्चा अछि । सम्पूर्ण आँगन एहि नदी सब सँ पवित्र त अछिये, लोक निवास करथि जलस्रोतक कछेर पर, पोखरिक महाड़ पर, जल सहित समस्त तत्त्वक शुचिताक सहारा रहय, पवित्रता दहुंदिश रहय, सारा भुक्ति (भोग आ मोक्ष) ओतहि भेटत ।

पुरखाजन केर ई महान सोच आ वेदक धर्मशास्त्रानुरूप जीवन-आचरण सँ चारू पुरुषार्थ भेटबाक अबस्था बनैछ । ई सिद्ध-सिद्धान्त अछि । समूचा भारतवर्ष मे उपरोक्त उक्ति तखन प्रसिद्ध भेल जखन विद्यापतिक पितामह चण्डेश्वर ठाकुर अपन रत्नाकर मे, वाचस्पति मिश्र अपन विवादचिन्तामणि मे, तथा वर्धमान उपाध्यायक लिखित ग्रन्थादिक संग ताहि समय प्रचलित शास्त्रार्थ सब मे मिथिला पांडित्य परम्परा प्रति पूरा संसारक ध्यानाकर्षण कयल गेल ।

हमरा सभक कर्तव्य बनैछ जे नकली विद्वता झाड़बाक काज बन्द कय उपरोक्त विद्वत ओ ज्ञान परम्परा केँ आगू बढ़बैत रही । एखन विभिन्न स्थान पर ‘बिहारी’ कहाकय छाती चौड़ा करैत छी, मधेशी कहाकय गौरव करैत छी, धरि अपन मूल पहिचान ‘मैथिल’ सँ विलग होइत जा रहल छी, एकरा तत्काल प्रभाव सँ सुधार करी । मौलिकता केर महत्व बुझी । स्वधर्म भले कमजोर कियैक न हो, परधर्म सँ बेहतर अछि ।

हमरा लेल तेँ मैथिली संसार मात्र सर्वोपरि अछि । धन्यवाद परमपिता परमात्मा केँ, मनुष्य रूप मे मिथिला मे जन्म देलनि । बस, आब जीना यहाँ, मरना यहाँ, इसके सिवा जाना कहाँ वला स्थिति अछि ।

मैथिल विवाह पद्धति केर अध्ययन आ एकर प्रकाशन जानि-बुझिकय कएने रही । एक बेर फेर अपनहुँ सभक हितकार्य भ’ सकय एहि सँ, ई साझा कय रहल छी ।

मैथिली जिन्दाबादः
https://maithilijindabaad.com/?p=21835

हरिः हरः!!

Related Articles