विद्यापतिक स्मृतिगान
कातिक धवल त्रयोदशी जान – विद्यापतिक आयु अवसान
जी, एहि उक्तिक आधार पर मैथिल कविकोकिल विद्यापतिक पुण्यतिथि पर ‘विद्यापति स्मृति’ केर खास दिवस मनाओल जाइछ बहुते ठाम । काल्हि दरभंगा, पटना, दिल्ली सहित कतेको स्थान पर अत्यन्त धूमधाम सँ मनाओल गेल विद्यापति स्मृति पर्व समारोह ।
एकटा बात आर बहुत नीक लागल जे बिहार केर मुखिया सम्राट चौधरी द्वारा दरभंगा आ पटनाक आयोजन मे सहभागिता जनबैत मैथिलीक कायापलट लेल कतेको रास वचनबद्धता व्यक्त कयल गेल, तहिना दिल्लीक माननीया मुख्यमंत्री रेखा गुप्ता बुराड़ी मे आयोजित विश्व मैथिल संघ केर मंच पर पहुँचिकय मैथिल जनसमुदायक आयोजन केँ शोभा बढ़ौलिह आ संगहि अपन सन्देश मे सेहो बहुत उच्चकोटिक भाव व सम्मान जतौलिह ।
मैथिल समाजक ओहि पुरखाजन केँ बेर-बेर प्रणाम करबाक मन होइत अछि जे एना समाज मे विद्यावानक स्मृति समारोहपूर्वक मनेबाक परम्परा आरम्भ कयलनि । संस्कृतक सूत्र कहैछ –
विद्वत्वं च नृपत्वं च नैव तुल्यं कदाचन ।
स्वदेशे पूज्यते राजा विद्वान् सर्वत्र पूज्यते ॥
आर, एहि सूत्र-सिद्धान्त केँ जिबन्त करबाक लेल भोला लाल दास, कांचीनाथ झा ‘किरण’ एवं तत्कालीन प्रबुद्ध समाज केँ बेर-बेर धन्यवाद जे गाम-गाम पैदल व साइकिल सँ भ्रमण करैत ‘महाकवि विद्यापति’ केर तैल्यचित्र पर माल्यार्पण कय मैथिली साहित्यक महत्व केँ मैथिल जनमानस मे स्थापित करबाक अदम्य साहसिक सुकार्य कयलनि ।
विद्यापति एक व्यक्ति परञ्च बहुप्रतिभासम्पन्न व्यक्तित्व रूप मे पूजित छथि । ओ एहि लेल बेसी पूजित छथि जे भाषा आधारित क्रान्ति केर सूत्रपात कयलनि – महावाक्य अछि “देसिल वअना सबजन मिठ्ठा, तेँ तैसओँ जँपऔँ अवहट्टा” ।
दुःख एहि बातक जरूर अछि जे ई महावाक्यक महान भावार्थ एखन धरि सामान्यजन लोकनिक मन-माथ मे नहि आबि सकलैक अछि । कारण घोर जातिवादी राजनीति, मैथिली पर हिन्दी या नेपाली केर भारी चाप, शिक्षा आ संस्कार पर सामान्यवर्गक पहुँच अत्यल्प तथा भाषा-साहित्य सँ संस्कार, संस्कृति, सभ्यता व भूगोल केर मोक्षदायी ज्ञान सँ बहुलजन अपरिचित किंवा वंचित – ई सब चलते विद्यापति जेहेन क्रान्तिकारी महानायकक उपरोक्त नारा जे मातृभाषाक महत्व केँ झलकाबैत अछि, सेहो जनसामान्यक हित मे एकर बेस वकालत करैत अछि – तेकर लाभ १०० वर्ष धरि अभियान चलितो सामान्य लोक केर समझ मे नहि आयब घोर विस्मयकारी अछि ।
एकर आरो कय टा कारण छैक – मिथिला मे रजनी-सजनी (अगबे गीतनाद, नाच, वीरगाथा, कीर्तन आदि) बेसी प्रचलित हेबाक कारण बौद्धिक चिन्तन मे मात्र किछु खास आ विशेष वर्ग टा आगू देखाइछ । उपर सँ नेताजी आ जातिगत मैनजन सभक पसारल पसाही (आगि) जे बाभन-सोलकन आ परस्पर जातीय ईर्ष्या-डाह केर प्रसार मे ‘विद्यापति’ जेहेन महान व्यक्तिक स्मृति सँ सब केँ नहि जुड़य देल गेल ।
एहि अभियान मे गोटेक सामान्यवर्गक प्रतिनिधित्व करय आगू अयबो कयलाह, स्वयं विद्यापति बनिकय ओ मैथिली भाषा-साहित्य केँ प्रतिष्ठित कयलनि, मुदा हुनकहि जाति सँ दोसर विद्यापति बनि जायत त लोक हुनकर पूछ कम करतनि, ताहि चक्कर मे दोसर केँ कोनो न कोनो भाँज सँ रोकि देल गेल, भड़का देल गेल… ई सब कुचालि सब देखय मे आयल, आबि रहल अछि ।
लेकिन एहि वर्ष प्रथम बेर राज्यक मुखिया लोकनि केँ आगाँ आयब आ महाकविक स्मृतिगान करब निश्चय एकटा नीक संकेत देलक ।
कतहु-कतहु सँ फेर किछु नकारात्मक खबरि सेहो लागि रहल अछि, जे अस्वभाविक किन्नहुं नहि कहल जा सकैछ । राजनीतिक स्वार्थ – किनको म्युनिसिपैलिटी कारपोरेशन केर मेम्बरशिप केर आकांक्षा, किनको एमएलए टिकट केर… ई सब चलिते रहैत छैक । धरि राज्यक मुख्यमंत्री केर सहभागिताक संग-संग विभिन्न औचित्यपूर्ण मांग सभक प्रति सम्बोधन सचमुच आह्लादकारी लागल । महाकवि प्रति सत्य श्रद्धाञ्जलि आ स्मृति पर्वक मिठास जल्द सँ जल्द घोषित मांग सब केँ पूरा करय मे होयत । आयोजक लोकनि केँ हार्दिक बधाई !
रे माधव, कत तोर करब बड़ाई! जय महाकवि विद्यापति ! जय शंकरप्रिय विद्यावान् – हमर महान् भगवान् !
हरिः हरः!!
