Search

मैथिली बाजय मे केकरा आ कियैक लाज लगैत छैक ?

172 भ्यूज

लेख – विचार

– प्रवीण नारायण चौधरी

हीनताबोध केकरा आ कियैक ?

एहि बीच ‘द ब्रेकिंग न्यूज’ केर संवाददाता प्रदीप भुजेल दाजू ‘मैथिली’ सन्दर्भित विभिन्न पक्ष पर रिपोर्टिंग करबाक सुन्दर कार्य कय रहल छथि । ओ एक प्रश्न लय केँ अयलाह – मैथिलीभाषामा युवाहरुको आकर्षण कम्दै जानूको कारण के होला ? एहि अन्तर्वार्ता केँ हम अपन फेसबुक पोस्ट मे शेयर सेहो कएने छी । जे काज मैथिलीभाषी संचारकर्मी लोकनि सँ तेहेन स्तरीय ढंग सँ कहियो नहि भेल, से काज एक नेपालीभाषी अनुभवी संचारकर्मी द्वारा होइत देखि हमरा काफी सन्तुष्टि भेटल ।

ओना कोशी प्रदेश सरकार द्वारा एनटीवी इटहरी मे मैथिली सन्दर्भित १० विशेष एपिसोड निर्माणार्थ कयल गेल सहयोगक सम्बन्ध मे जानकारी भेटब, दीपक कर्ण जी एहि विषय-सन्दर्भ सब पर निरन्तर सलाह-सुझाव लैत कार्य आगू बढ़ायब सेहो हमरा काफी उत्साह दय रहल अछि । संचारक्षेत्र मे मैथिलीक सन्दर्भ पर जतेक बेसी चर्चा होयत, लोक मे निजत्व प्रति गौरवबोध बढ़त । यैह काज समुचित ढंग सँ नहि हेबाक कारण मैथिलीभाषी लोक मे ‘हीनताबोध’ केर भावना हावी भ’ गेल अछि ।

हीनताबोध केर कारण मूल रूप सँ यैह जे –

१. शिक्षा आ रोजगारक भाषा मैथिली सँ भिन्न

२. अड्डा अदालत ओ अन्य कार्यालय व शासन-प्रशासनक भाषा मैथिली सँ भिन्न

३. संचारक्षेत्र मे प्रचलित सूचना ओ समाचार प्रसारणक भाषा मैथिली सँ भिन्न

४. कला आ मनोरंजन मे चलयवला भाषा सेहो मैथिली सँ भिन्न

५. सामाजिक व्यवहार मे – बाजार आ व्यापार मे चलयवला भाषा मैथिली सँ भिन्न

आब कहू, मैथिली प्रयोग करबाक ललक, उत्साह आ ऊर्जा सामान्यजन मे कतय सँ होयत ? ई स्थिति केना बनल ? कारण स्पष्ट अछि – मैथिली केँ अपन राज्य नहि भेटल । ‘मिथिला राज्य’ सँ मैथिलीभाषी वृहत् स्तर पर भारत मे वंचित रहि गेल – बिहारी बनि गेल । तहिना नेपाल मे भौगोलिक रूप सँ आंशिक राज्य ‘मधेश प्रदेश’ रूप मे भेटलाक बादो, हिन्दीक ओकालति करयवला ‘मधेशी राज्य सूत्र’ बिल्कुल बिहारे जेकाँ अपनहिं भाषा केँ स्थापित नहि कय सकल ‘संघीयता’ स्थापित भेलाक लगभग २१ वर्षक समयान्तराल मे ।

नेपाल मे शासक वर्ग द्वारा थोपल गेल एकलभाषाक वर्चस्व कायम अछि । मैथिलीभाषी जनता सेहो एहिना एकलभाषाक वर्चस्वक भीतर दोसर दर्जाक नागरिक बनि जिबय लेल बाध्य अछि । मजबूत राष्ट्रीयता केर निर्माणार्थ बहुभाषिकता केँ सुस्थापित करबाक कतेको संवैधानिक आयोग केर सिफारिश ब्यर्थ भ’ रहल अछि । २०७२ केर नया संविधान अन्तर्गत संघीयता केँ दृढ़ता प्रदान करबाक लेल गठित भाषा आयोगक सिफारिश तक केँ लागू नहि कयल जा सकल अछि मैथिलीभाषी-बहुल-प्रदेश मे ।

जन-निर्वाचित प्रदेश सांसद व नीति-नियन्ता राजनीतिक आका सब केवल सत्ता-स्वार्थक सूत्र मे मैथिली प्रति खुलिकय सौहार्द्रता नहि देखा सकल अछि नेपाल मे ।

उपरोक्त ५ विन्दु मे वर्णित एक-एक बात जा धरि मैथिली मे लागू नहि होयत, मैथिलीक स्थिति दयनीय रहत । एहि दयनीयताक दुष्प्रभाव निम्न रूप मे पड़त –

१. मातृभाषा मे प्राथमिक शिक्षाक अभाव सँ सामाजिक पिछड़ापन आ निरक्षर आबादीक बढोत्तरी ।

२. अन्य भाषा पर निर्भरताक कारण परतंत्र मानसिकता सँ ग्रसित मानव संसाधनक दोसर दर्जाक नागरिक हेबाक दुरुह स्थिति ।

३. सांस्कृतिक, धार्मिक एवं आर्थिक – हर आयाम मे अन्य समुदायक तुलना मे पाछू पड़बाक अबस्था ।

४. शासित वर्ग मे पड़िकय शोषित-दमित समुदाय बनल रहबाक दुराबस्था ।

५. उच्चस्तरीय मानव संसाधनक विकास मे वर्गीय अन्तर सँ अन्तर्विभेदक बढ़ोत्तरी । (विभिन्न जातीय समुदाय बीच गहींर अन्तर आ द्वंद्वक सृजना, मतभेद आ परस्पर ईर्ष्या-घृणा आदिक प्रसार ।)

एहेन आरो कतेको रास दुष्परिणाम सँ ग्रसित मैथिली समाज मे अपनहिं भाषा सँ हीनताबोधक विकसित होयब, अपन बाल-बच्चा सँ प्रचलित भाषा (हिन्दी, नेपाली, अंग्रेजी आदि) मे बात-व्यवहार करैत अपन संस्कृति-सभ्यता सँ ओकरा विलगेबाक स्थिति स्पष्ट रूप सँ देखाय पड़ि रहल अछि । बाहरी आ अपसंस्कृति केँ अपनाकय समाज कतेको रास विकृति सँ ग्रसित भ’ गेल अछि ।

तेँ, राज्य द्वारा स्थापित संयंत्र केँ तत्काल सुधारोन्मुख होयब जरूरी मात्र नहि, अनिवार्य सेहो अछि ।

हरिः हरः!!

Related Articles