Search

मैथिली भाषा-साहित्य मे निरन्तर योगदान लेल अमरेन्द्र यादव केँ भेटलनि प्रज्ञा पुरस्कार

368 भ्यूज

२ मई २०२६, मैथिली जिन्दाबाद!!

रंजू यादव, काठमांडू (साभार फेसबुक पोस्ट ३० अप्रैल २०२६) ।

पत्रकार एवं साहित्यकार अमरेन्द्र यादवजी कें आइ प्रज्ञा मातृभाषा पुरस्कार-२०८२ सँ सम्मानित कएल गेल ।
पत्रकार आ साहित्यकार अमरेन्द्रजी कें अपन मैथिली भाषा आ साहित्य मे तीन दशक सँ देल गेल योगदानक लेल नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान काठमाण्डू सम्मानित केलक अछि । काठमाण्डूक कमलादी स्थित प्रज्ञा प्रतिष्ठान सभागार मे आयोजित विशेष समारोह मे हुनका सम्मानित कएल गेल ।
कवि एवं पत्रकार अमरेन्द्रजी तीन दशकसँ मैथिली अभियान आ साहित्य लेखनमे सक्रिय छथि । हिनकर लिखल मैथिली काव्य संग्रह ‘स्त्री आ आगि’ बि. सं. २०७८ सालमे प्रकाशित भेल अछि । ओहि पोथीक लेल अमरेन्द्रजी नेपाल विद्यापति पाण्डुलिपि पुरस्कार–२०७७ सँ सम्मानित भेल छथि । अमरेन्द्रजी बहुभाषिक काव्य संग्रह ‘भवप्रीता’ के सम्पादन केने छथि, जाहिमे १०टा भाषाक ५० गोटे कविक १ सय कविता संकलित अछि । अमरेन्द्रजी मैथिली मे १ सयसँ बेसी गीत, गजल, कविता, लघुकथा आ कथा लिखने छथि । हिनकर किछ साहित्यिक रचना विभिन्न पत्रपत्रिका मे प्रकाशित भेल अछि ।
अंग्रेजी साहित्य आ राजनीति शास्त्र मे स्नातकोत्तर केने अमरेन्द्रजी मैथिली, नेपाली आ अंग्रेजी भाषा मे दक्षतापूर्वक लिखै छथि । राजनीतिक आ सामाजिक विषयवस्तु पर लिखल हुनकर लेख आ निबन्ध सभ विभिन्न राष्ट्रीय दैनिक पत्रिका मे प्रकाशित अछि ।
दू दशक सँ मैथिली, नेपाली आ अंग्रेजी भाषाक पत्रकारिता मे सक्रिय अमरेन्द्रजी करिब १४ वर्ष सँ दि राइजिङ नेपाल अंग्रेजी दैनिकक समाचार कक्ष आ सम्पादकीय टीम मे क्रियाशील छथि ।

Related Articles