विशेष सम्पादकीय
सहज सुमति वर दिअ’ हे गोसाउनि
‘ग्लोबल मैथिल’ समूह पर दुइ विशिष्ट आयोजनक चर्चा आ मीडिया कवरेज काफी आह्लादित करयवला अछि । पटना मे चेतना समिति द्वारा विभिन्न क्षेत्र मे योगदान देनिहाइर मातृशक्ति केर सम्मान – बिहारक राज्यपाल माननीय आरिफ मोहम्मद खान द्वारा मिथिलाक समृद्ध ऐतिहासिक वृत्तान्तक वर्णन, विदुषी उभया भारतीक जीवन पर चर्चा आ तहिना शाश्वत मिथिला अहमदाबादक कार्यक्रम मे भारतक चर्चित गृहमंत्री अमित शाह द्वारा मिथिलाक लोकक वैशिष्ट्य पर विशद् चर्चाक संग गुजरातक विकास मे हिनका सभक योगदान आ संगहि अयोध्या मे राम मन्दिर निर्माण उपरान्त सीतामढ़ी पुनौराधाम मे जगज्जननी जानकी मन्दिर निर्माणक विशेष प्रतिबद्धता – निश्चय मिथिला मैथिलीक आन्दोलन केँ महत्पूर्ण उपलब्धि हासिल करबय मे सफल भेल अछि । आयोजकद्वय केर जतेक प्रशंसा करब से कम होयत – एखन सामाजिक संजाल मे माननीय अमित शाह जी लगातार शाश्वत मिथिलाक विहंगम आयोजनक फोटो, वीडियो व रील्स सब साझा कय रहल छथि । ई हमरा सभक शालीन-सौम्य संस्कार प्रति हुनक विशेष प्रेम केँ स्पष्ट करैत अछि । राजनीतिक रूप सँ हमरा सब बहुत पाछू पड़ि गेल छलहुँ, लेकिन उपरोक्त दुनू कार्यक्रम मे राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय जगत मे अपन विशेष पहिचान बनेनिहार दुइ अद्भुत व्यक्तित्व द्वारा मिथिलाक वैशिष्ट्य आ विद्वत् परम्परा पर प्रकाश देब निश्चय आम मैथिलजन केँ अपन हनुमानी बल मोन पाड़बाक लेल जाम्बवन्त वचन जेकाँ प्रभावी भ’ रहल देखैत छी । आर, मुंह सँ अनायासे महाकवि विद्यापतिक गोसाउनि वन्दनाक ओ पंक्ति मोन पड़ि गेल – सहज सुमति वर दिअ’ हे गोसाउनि – अनुगत गति तुअ’ पाया !
हरिः हरः!!