१५ जून २०२६ । मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम) द्वारा शनिदिन नव दिल्ली स्थित संस्कार भारती सभागारमे मैथिली बाल कवि-कथाकार सम्मेलनक आयोजन कएल गेल।
कार्यक्रमक शुभारंभ दीप प्रज्वलन एवं जय-जय भैरवी गीतक प्रस्तुति सँ भेल।
एहि सम्मेलनमे कुल 30 गोट मैथिली बाल कवि एवं कथाकार सहभागी भेलाह। एहिमे प्रांजल कर्ण (प्रज्ञम एवं ऑपरेशन सिंदूर), जायसी झा (माय), श्रृष्टि (विद्यापति), यज्ञेश नंदन दत्त (हमर नाम), समृद्धि पाठक एवं सानवी पाठक (भगवती गीत), सुकृति सिन्हा (कॉन्ग्राचुलेशन), अंशिका (मेडल गीत), सृष्टि (मां मैथिलीक भाव), सानिध्या झा (मां भारती), अनन्या पाठक (हम्मर गाम), प्राची मिश्रा (शिक्षाक महत्त्व), हर्ष मिश्रा (समयक महत्त्व), वैष्णवी मिश्रा (वक्तव्य), शुभ्रांगी झा (निखिलक साहस), कुसुमांगी झा (असली जीत), अयांश दास (कविता), शाम्भवी झा (कविता), आकृति झा (कविता) एवं चिराग झा (गीत) अपन मातृभाषा मैथिलीमे रचित कथा, कविता एवं गीत प्रस्तुत कऽ सभक मन मोहि लेलनि।
बाल कवि एवं कथाकार सभक रचनामे राष्ट्रप्रेम, मिथिलाप्रेम, समाज, लैंगिक संवेदनशीलता एवं प्रकृतिकें प्रति प्रेमक भाव प्रमुख रूप सँ देखबा लेल भेटल। सभ उपस्थित साहित्यप्रेमी एहि प्रस्तुति सभक भरपूर रसास्वादन कएलनि।
कार्यक्रमक मुख्य अतिथि साहित्य अकादेमी बाल साहित्य पुरस्कार विजेता वैद्यनाथ झा कहलनि जे एहि सम्मेलनमे आबि कऽ एहन अनुभूति भेल जेना साक्षात् सम्पूर्ण मिथिला उपस्थित अछि। सभ बाल रचनाकारक प्रस्तुति प्रशंसनीय रहल। बाल कवि कथाकार सभक रचनामे मिथिलाक लोकजीवन, संस्कार, रीति-रिवाज एवं पर्व-त्योहारक सुंदर चित्रण देखबामे आयल।
विशिष्ट अतिथिक रूपमे साहित्य अकादेमी बाल साहित्य पुरस्कार विजेता मुन्नी कामत कहलनि जे बाल मैथिली कवि-कथाकार सम्मेलनक आयोजन कऽ मैसाम मैथिली साहित्यक क्षेत्रमे एकटा महत्त्वपूर्ण कार्य कएलनि अछि।
कार्यक्रमक प्रारंभमे मैथिली साहित्य महासभाक अध्यक्ष हेमंत कुमार झा संस्था परिचय प्रस्तुत करैत कहलनि जे मैसाम 2015 सँ निरंतर मैथिली भाषा एवं साहित्यक संरक्षण-संवर्धनमे सक्रिय अछि। ओ कहलनि जे मैसामक द्वारा प्रत्येक वर्ष दू गोट सम्मान—समग्र योगदान लेल मैसाम सम्मान एवं युवा सम्मान प्रदान कएल जाइत अछि। अगिला वर्ष सँ मैसाम बाल साहित्य सम्मान सेहो प्रारंभ कएल जाएत।
एहि अवसर पर कवयित्री मंजूषा झाक नव प्रकाशित पोथी ‘स्वर्गक सीढ़ी मिथिला’ क विमोचन कएल गेल।
कार्यक्रमक संचालन मैसाम सदस्य काजल चौधरी एवं धन्यवाद ज्ञापन कोषाध्यक्ष सरोज झा कएलनि। सम्मेलनक संयोजिका मैसाम सदस्य प्रभा झा एवं अनीता मिश्रा छलीह।
एहि कार्यक्रममे मैसाम उपाध्यक्ष निवेदिता झा मिश्रा, महासचिव अरुण कुमार मिश्र एवं आशीष नीरज, सचिव राहुल वत्स, कविता पाठक एवं संजय कुमार झा, विशेष आमंत्रित सदस्य राहुल झा, सदस्य संजीव सिन्हा, तपन झा, सुबोध झा, अखिलेश कुमार मिश्र, सुधा ठाकुर, संजीव कुमार झा, शुभ्रा झा एवं संतोष चौधरी सहित भारी संख्यामे साहित्यकार एवं साहित्यप्रेमीक उपस्थिति उल्लेखनीय रहल।

1 Comment
बहुत सुंदर विश्लेषण
हार्दिक आभार। 🙏