Search

विद्यापति परंपराक स्मरणक संग युवा साहित्यिक प्रतिभाक प्रोत्साहन, गंभीर साहित्यिक विमर्श एवं नव सृजनकेँ बढ़ावा देबाक मैसामक प्रतिबद्धता

23 भ्यूज

प्रेस आलेख

प्रेषित:- मंजूषा झा

स्रोत :- मैसाम संस्था

मैथिली साहित्य महासभा ( मैसाम), दिल्ली द्वारा १२म विद्यापति स्मृति एकल व्याख्यान एवं मैसाम युवा सम्मान समारोह–२०२६ आयोजित

नई दिल्ली, २७ सितम्बर २०२६।
मैथिली भाषा, साहित्य एवं संस्कृतिक संरक्षण, संवर्धन एवं प्रसार लेल समर्पित संस्था मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम), दिल्ली द्वारा रविदिन २७ सितम्बर २०२६ केँ कॉन्स्टिट्यूशन क्लब ऑफ इंडिया, नई दिल्लीमे १२म विद्यापति स्मृति एकल व्याख्यान एवं मैसाम युवा सम्मान समारोह–२०२६ केर भव्य आयोजन कएल गेल।

समारोहक मुख्य आकर्षण सुप्रसिद्ध समालोचक डॉ. रामानन्द झा ‘रमण’ केर “मैथिली नाट्य साहित्यक विकास” विषयपर एकल व्याख्यान रहल। डॉ. ‘रमण’ मैथिली नाट्य साहित्यक ऐतिहासिक विकास, प्रमुख प्रवृत्ति, रचनाकार आ सामाजिक-सांस्कृतिक सरोकारपर गंभीर एवं सारगर्भित विचार प्रस्तुत कएलनि।

एहि अवसरपर युवा साहित्यकार डॉ. भास्कर ज्योति केँ हुनक चर्चित यात्रा-वृत्तांत ‘अथक अविराम’ लेल ‘मैसाम युवा सम्मान–२०२६’ सँ सम्मानित कएल गेल। निर्णायक मंडलक सदस्य श्रीमती कल्पना झा सम्मानित कृतिक साहित्यिक विशेषतापर प्रकाश देलनि।

समारोहमे छः गोट मैथिली पोथीक लोकार्पणक संग मैसामक अर्द्धवार्षिक साहित्यिक पत्रिका ‘अपूर्वा’ केर सेहो विमोचन भेल। पत्रिकाक सम्पादन श्री संजीव सिन्हा एवं श्री उज्ज्वल कुमार झा द्वारा कएल गेल अछि।

कार्यक्रमक अध्यक्षता प्रो. उदय नारायण सिंह ‘नचिकेता’, संयोजक, मैथिली भाषा विभाग, साहित्य अकादेमी द्वारा कएल गेल। मैसाम अध्यक्ष श्री हेमन्त झा स्वागत अभिभाषण देलनि। श्री राज किशोर मिश्र सेहो अपन विचार व्यक्त कएलनि। कार्यक्रमक प्रभावशाली संचालन श्री संजीव सिन्हा कएलनि तथा धन्यवाद ज्ञापन श्रीमती मंजूषा झा द्वारा कएल गेल।

समारोहमे मैथिली साहित्यकार, लेखक, विद्वान, पाठक एवं मैथिलीप्रेमी लोकनिक उल्लेखनीय सहभागिता रहल। एहि अवसरपर मैसाम कार्यकारिणी २०२६–२८ केर नव पदाधिकारी एवं सदस्यगणक परिचय सेहो प्रस्तुत कएल गेल।

कार्यक्रम मैथिली साहित्यक समृद्ध परंपरा आ नव सृजनशीलताक बीच एकटा सार्थक सेतुक रूपमे सम्पन्न भेल। विद्यापति परंपराक स्मरणक संग युवा साहित्यिक प्रतिभाक प्रोत्साहन, गंभीर साहित्यिक विमर्श एवं नव सृजनकेँ बढ़ावा देबाक मैसामक प्रतिबद्धता एहि आयोजनमे स्पष्ट रूप सँ परिलक्षित भेल।

Related Articles