Search

शाश्वत मिथिला भवनक उद्घाटन भारतक गृहमंत्री अमित शाह द्वारा कयल गेल

१० मार्च २०२५ । मैथिली जिन्दाबाद !!

शाश्वत मिथिला अहमदाबाद द्वारा गुजरातक राजधानी गाँधीनगरक डाभोड़ा मे बनायल गेल बहुमंजिला-बहुउद्देश्यीय ‘शाश्वत मिथिला भवन’क उद्घाटनग भारतक गृहमंत्री माननीय अमित शाह जी द्वारा कयल गेल ।

शाश्वत मिथिला भवनक उद्घाटन संग महाकवि विद्यापतिक मूर्ति अनावरण तथा एहि अवसर पर प्रकाशित स्मारिकाक विमोचन कार्यक्रम सफलतापूर्वक काल्हि ९ मार्च केँ सम्पन्न भेल अछि । भारतक लोकप्रिय नेता एवं भारत सरकारक गृह मंत्री माननीय अमित शाह द्वारा ई सम्पूर्ण उद्घाटन प्रक्रिया पूरा कयल गेल अछि जे स्वयं मे बहुत पैघ गौरवक बात भेल ।

एहि अवसर पर आरो अनेकों विशिष्ट अतिथि लोकनिक उपस्थिति छल । गुजरातक माननीय मुख्यमंत्री भुपेन्द्र पटेल जी, बिहारक लोकप्रिय नेता आ राज्यसभा सांसद सह जदयूक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष माननीय संजय कुमार झा जी, गुजरातक पदेन-अपदेन अनेकानेक प्रशासनिक पदाधिकारी, पुलिस एवं राजस्व अधिकारी लोकनि, भारत-नेपाल केर लगभग ४० गोट संस्थाक प्रतिनिधि कयनिहार विशिष्य व्यक्तित्व एवं मैथिल अभियन्ता लोकनिक उपस्थिति मे लिखल गेल नव इतिहास ।

भवन लोकार्पण, कविकोकिल विद्यापतिक मूर्ति अनावरण, पाहुन सभक सम्मान संग-संग स्मारिका विमोचन – काल्हिक आयोजनक महत्वपूर्ण भाग छल । एहि अवसर पर माननीय गृहमंत्री अमित शाह जीक उपस्थिति हमरा सभक सौभाग्यवर्द्धन कयलक । संगहि पूर्वहु अपन गरिमामयी उपस्थिति आ प्रेरणाक संचरण करनिहार दृष्टिसम्पन्न व्यक्तित्व माननीय संजय कुमार झाक उपस्थिति सेहो बहुत उत्साहवर्द्धन कयलक । तहिना माननीय मुख्यमंत्री – गुजरात सरकार भुपेन्द्र पटेल जीक उपस्थिति सँ समस्त गुजरातवासी मैथिल मे नव ऊर्जाक संचरण भेल अछि । एतबा नहि, देश भरि सँ विभिन्न संस्थाक अगुआ सब एहि ऐतिहासिक अवसरक प्रत्यक्ष गबाह बनलाह, एहि सँ हमरा सब मे ई आत्मविश्वास बढ़ल जे गुजरातहि जेकाँ मैथिल अपन पहिचान केँ सबल बनेबाक लेल समयक मांग अनुसार प्रत्येक प्रवासस्थल आ मूलस्थल मिथिला मे पर्यन्त अपन समुदायक समग्र हित लेल चिन्तन करताह, जरूरत अनुसार होटल-रिसौर्ट मे कय रहल खर्च केँ नियंत्रित कय बहुउद्येश्यीय ‘मिथिला भवन’ निर्माणक कार्य सब कियो मिलिजुलि अवश्य करताह । – शाश्वत मिथिला भवनक परिकल्पना मे महत्वपूर्ण भूमिका निभेनिहार व्यक्तित्व राजकिशोर झा मैथिली जिन्दाबाद संग बातचीत मे भावना रखलनि ।

काल्हिक कार्यक्रम मे अतिथि लोकनि केँ विशेष यादगारीक प्रतीक चिह्न स्वरूप ‘मिथिला चित्रकला’ सौंपल गेल । भवन निर्माणक विभिन्न लाभ आ सामुदायिक एकजुटताक लाभ पर केन्द्रित सम्बोधन प्रमुख अतिथि संगहि अन्य विशिष्ट अतिथि लोकनिक रहल जाहि सँ सभास्थल मे भरल हजारों मैथिलजन खुब उत्साहित भेलथि । कार्यक्रमक दरम्यान वन्दना झा सहितक सम्पादकीय मंडलक उत्कृष्ट योगदान सँ प्रकाशित स्मारिकाक विमोचन कयल गेल । शाश्वत मिथिलाक अध्यक्ष संतोष मिश्र संगहि पूर्व अध्यक्ष ललित कुमार झा, निरज कुमार सहित अन्य विभिन्न समर्पित कार्यकर्ता व हुनका सभक शिष्ट कार्यदल – विभिन्न जिम्मेदार संयोजक लोकनिक संयुक्त प्रयास सँ एकटा भव्य आ सभ्य समारोह पूरे देश-विदेश धरि अपन धमक आ प्रेरणाक संचार करैत सम्पन्न भेल अछि ।

एहि आयोजनक सुखद निष्पादन पर जन-जन सँ एक्के टा आवाज आबि रहल अछि – “सब मैथिल लेल सच्चा आनन्द केर क्षण! काल्हि एकटा ऐतिहासिक आयोजन छल । मिथिला भवन केर उद्घाटन आ डभोड़ा (गांधीनगर, अहमदाबाद, गुजरात) मे विद्यापति प्रतिमाक अनावरण माननीय गृहमंत्री अमित शाह द्वारा माननीय सीएम गुजरात केर उपस्थिति मे आ संगहि मिथिलाक ललितबाबूक प्रतिमान चेहरा माननीय संजय कुमार झाक संग ओतय एतेक रास उभरैत मैथिल कार्यकर्ता सभक उपस्थिति छल जे स्वतःस्फूर्त रूप मे शाश्वत मिथिलाक अनुकरणीय कार्यक सन्दर्भ समूचा देशवासी धरि पहुँचा रहल छल ।

एहि आयोजन सँ प्राप्त एक महत्वपूर्ण पाठ सब केँ मोन रखबाक चाही आ स्वयं सेहो कृतिपुरुष बनबाक चाही – शाश्वत मिथिला जे बजैत अछि से उचित दृष्टि आ योजनाक संग करिते टा अछि । भवन निर्माणक प्रस्ताव मात्र किछेक वर्षक योजना मे भव्यता सँ पूरा करब एकर जिबन्त प्रमाण अछि । संसाधनक सेहो हुनका लोकनि केँ कहियो कमी नहि भेल, दुर्लभ होयबाक त सवाले नहि उठैछ । यैह तेजस्विता अपनेबाक अछि सब केँ । रामचरितमानस मे कहल गेल अछि – जहाँ सुमति तहाँ सम्पत्ति नाना ! सचमुच ओ सब ई बात साबित कय देलनि ।

मैथिली जिन्दाबादक सम्पादक एक टिप्पणी लिखैत कहलनि जे ओना त किछु खास कौआ रहैत अछि जे सब पुनीत काज मे किछु न किछु चटक (गड़बड़ी) करैत शुचिता केँ भंग करय चाहैत अछि, आर सामान्यतः मिथिलाक हरेक डारि पर बैसल ई कौआ आ उल्लू देखाइत अछि, तइयो उज्ज्वल विचार आ स्मार्ट एक्शनवला प्रतिबद्ध बेटा सब लक्ष्य केँ जरूर पूरा करैत अछि । भगवान एहन बेटा सब केँ आशीर्वाद देथिन आ कौआ आ उल्लूक भाव रखनिहार केँ सद्बुद्धि भेटय आ भवन सही उपयोग सब कियो करय, ई सभक लेल बनल अछि । अपन पूँजी होटल आ रिसौर्ट मे उड़ेबाक बदला ‘शाश्वत मिथिला भवन’ केर सदुपयोग सब कियो करथि । एहि भवनक ऐतिहासिकता आ उपादेयता नित्य नव आ ऊर्जान्वित बनल रहय । पूरा दुनियाक समस्त मैथिल केँ गुजरातक निवासी मैथिल द्वारा एहेन महान रचना निर्माण देखबाक समय जरूर भेटय । जय मिथिला – जय जानकी – जय हो समस्त गुजरात निवासी मैथिल लोकनि !!

Related Articles