के लिखत मैथिली-मिथिलाक आधुनिक इतिहास?
बहुत किछु बाकी अछि….. एखनहिं किसलय कृष्ण जी एक दुर्लभ तस्वीर साझा करैत जानकारी देलनि – ओ लिखने छथिः “इएह अछि मैथिली मंचक प्रसिद्ध तिजोड़ी… बाम सँ महेन्द्र (भेलाही, सुपौल), जयराम खाँ (बनगाँव, सहरसा) आ धीर (घोंघरडीहा, मधुबनी)।” एहि फोटो केँ देखि आ सूचना केँ पढि फेर भितर के मैथिल पुरुषार्थ ललकारा देलक … के लिखत मैथिली-मिथिलाक आधुनिक इतिहास?






