Search

गीताः चारिम अध्याय (अंग्रेजी, हिन्दी आ मैथिली अनुवाद)

116 भ्यूज

ॐ श्री परमात्मने नमः !!

॥चतुर्थोऽध्यायः॥

श्री भगवानुवाच ।

इमं विवस्वते योगं प्रोक्तवानहव्ययम् ॥
विवस्वान्मनवे प्राह मनुरिक्ष्वाकवेऽब्रवीत् ॥४-१॥

The Blessed Lord said:

I told this imperishable Yoga to Vivasvat; Vivasvat told it to Manu; (and) Manu told it to Ikshvaku:

भगवान ने कहा:

मैंने यह अविनाशी योग विवस्वत को बताया; विवस्वत ने इसे मनु को बताया; (और) मनु ने इसे इक्ष्वाकु को बताया:

भगवान कहलनि:

हम ई अविनाशी योग विवस्वत केँ बतेलहुँ; विवस्वत एकरा मनु केँ बतौलनि; (आर) मनु ई इक्ष्वाकु केँ बतौलनि:

एवं परम्पराप्राप्तमिमं राजर्षयो विदुः ॥
स कालेनेह महता योगो नष्टः परन्तप ॥४-२॥
स एवायं मया तेऽद्य योगः प्रोक्तः पुरातनः ॥
भक्तोऽसि मे सखा चेति रहस्यं ह्येतदुत्तमम् ॥४-३॥

Thus handed down in regular succession, the royal sages knew it. This Yoga, by long lapse of time, declined in this world, O scorcher of foes. I have this day told thee that same ancient Yoga, (for) thou art My devotee, and My friend, and this secret is profound indeed.

Secret: Not as the privilege of an individual or a sect, but because of its profundity. It is secret to the unworthy only.

My Note: What we learnt in last chapter, how to do action and how should those actions must not bind us, how we can become a desireless one, that very Yoga is a secret. So, be careful and remain strict to not lose it to unworthy rather live it by your own life.

इस तरह निरन्तर क्रम से उत्तराधिकारियों को बताया गया, राज ऋषियों को यह पता था । हे दुश्मनों को जलाने वाले, यह योग बहुत समय बाद इस दुनिया में ह्रास (खत्म) हो गया । मैंने आज तुम्हें वही पुराना योग बताया है, क्योंकि तुम मेरे भक्त और मेरे दोस्त हो, और यह राज़ वाकई बहुत गहरा है । (यह गूढ़तम रहस्य है ।) 

राज़: किसी एक इंसान या समुदाय के खास अधिकार के तौर पर नहीं, बल्कि इसकी गहराई (गूढ़तम स्वरूप) की वजह से (यह राज है) । यह सिर्फ़ नाकाबिल लोगों के लिए राज़ है ।

मेरा नोट: जो हमने पिछले चैप्टर में सीखे, कि काम (कर्म) कैसे करें और वे काम हमें कैसे न बांधें, हम कैसे बिना इच्छा वाले बन सकते हैं, वही योग एक राज़ है । इसलिए, सावधान रहो और सख्त रहो कि इसे नाकाबिलों के हाथों न खो दो, बल्कि इसे अपनी ज़िंदगी से जियो ।

एहि तरहें निरन्तर क्रम सँ उत्तराधिकारी लोकनि केँ बतायल गेलनि, राज ऋषि सब केँ ई पता रहनि । हे दुश्मन सब केँ जराबयवला, ई योग बहुते समय बाद एहि दुनिया सँ ह्रास (खत्म) भ’ गेल । हम आइ अहाँ केँ वैह पुरना योग बतेलहुँ अछि, कियैक तँ अहाँ हमर भक्त आ हमर मित्र छी, आर ई रहस्य सचमुच काफी गूढ़तम (गहींर) अछि । 

रहस्य: कोनो एकटा लोक या समुदाय केर खास अधिकारक रूप मे नहि, मुदा एकर गहींरता (गूढ़ता) केर कारणे ई (रहस्यपूर्ण) अछि ।

हमर नोट: जे हम सब पैछला चैप्टर मे सिखलहुँ, जे काज (कर्म) केना करब आ ओ काज हमरा सब केँ केना नहि बान्हत, हम सब केना बिना इच्छा वला लोक बनि सकैत छी, वैह योग एकटा रहस्य थिकैक । तेँ, सावधान रहू आ दृढ़ रहू जे ई अयोग्य लोकक हाथ मे नहि हरा देब, बरु एकरा अपन जीवन मे जीबू ।

अर्जुन उवाच ।

अपरं भवतो जन्म परं जन्म विवस्वतः ॥
कथमेतद्विजानीयां त्वमादौ प्रोक्तवानिति ॥४-४॥

Later was Thy birth, and that of Vivasvat prior; how then should I understand that Thou toldest this in the beginning?

आपका जन्म बाद में हुआ, और विवस्वत का जन्म पहले हुआ; तो मैं कैसे समझूँ कि आपने यह बात शुरू में ही बता दी थी ?

अपनेक जन्म बाद मे भेल, आर विवस्वत केर जन्म पहिनहिं भेलन्हि; तखन हम केना बुझू जे अपने ई बात शुरूए मे बता देने रहियनि ? 

श्री भगवानुवाच ।

बहूनि मे व्यतीतानि जन्मानि तव चार्जुन ।
तान्यहं वेद सर्वाणि न त्वं वेत्थ परन्तप ॥४-५॥
अजोऽपि सन्नव्यात्मा भूतानामीश्वरोऽपि सन् ॥
प्रकृतिं स्वामधिष्ठाय सम्भवाम्यात्ममायया ॥४-६॥
यदा यदा हि धर्मस्य ग्लानिर्भवति भारत ॥
अभ्युत्थानमधर्मस्य तदात्मानं सृजाम्यहम् ॥४-७॥
परित्राणाय साधूनां विनाशाय च दुष्कृताम् ॥
धर्मसंस्थापनार्थाय संभवामि युगे युगे ॥४-८॥

The Blessed Lord said:

Many are the births that have been passed by Me and thee, O Arjuna. I know them all, whilst thou knowest not, O scorcher of foes. Though I am unborn, of changeless nature and Lord of beings, yet subjugating My Prakriti, I come into being by My own Maya. Whenever, O descendant of Bharata, there is decline of Dharma, and rise of Adharma, then I body Myself forth. For the protection of the good, for the destruction of the wicked, and for the establishment of Dharma, I come into being in every age.

Subjugating My Prakriti: He does not come into being as others do, bound by Karma, under the thralldom of Prakriti (Nature). He is not tied by the fetters of the Gunas – because He is the Lord of Maya.

By My own Maya: My embodiment is only apparent and does not touch My true nature.

The Dharma and its opposite Adharma imply all the duties (and their opposites) as ordained for men in different stations by the definite scheme of their life and salvation.

Destruction of the wicked: In order to destroy their wickedness, and give them life eternal.

भगवान ने कहा:

हे अर्जुन, मेरे और तुम्हारे कई जन्म हुए हैं । मैं उन सबको जानता हूँ, जबकि हे दुश्मनों को जलाने वाले, तुम नहीं जानते । हालाँकि मैं अजन्मा हूँ, अपरिवर्तनशील स्वभाव का हूँ और प्राणियों का स्वामी हूँ, फिर भी अपनी प्रकृति को वश में करके, मैं अपनी माया से अस्तित्व में आता हूँ । हे भरतवंशी, जब भी धर्म का पतन और अधर्म का उदय होता है, तब मैं शरीर धारण करता हूँ । अच्छे लोगों की रक्षा के लिए, बुरे लोगों के विनाश के लिए, और धर्म की स्थापना के लिए, मैं हर युग में अस्तित्व में आता हूँ ।

अपनी प्रकृति को वश में करके: वह दूसरों की तरह कर्म से बंधा हुआ, प्रकृति के बंधन (दासता, गुलामी) में नहीं आते हैं । वह गुणों की बेड़ियों से बंधे नहीं हैं – क्योंकि वह माया के स्वामी हैं ।

अपनी माया से: मेरा अवतार केवल दिखाई देता है और मेरे असली स्वरूप को नहीं छूता है ।

धर्म और उसका उल्टा अधर्म, उन सभी कामों (और उनके उलटे कामों) को कहते हैं जो अलग-अलग जगहों पर इंसानों के लिए उनके जीवन और मोक्ष की पक्की योजना के हिसाब से तय किए गए हैं ।

बुरे लोगों का नाश: उनकी बुराई को खत्म करने और उन्हें हमेशा की ज़िंदगी (सनातन जीवन) देने के लिए ।

भगवान कहलनि:

हे अर्जुन, हमर आर अहाँक कतेको रास जन्म (पहिने) भेल अछि । हम ओहि सब केँ जनैत छी, जखन कि हे दुश्मन सब केँ जरेनिहार, अहाँ नहि जनैत छी । जखन कि हम अजन्मा छी, अपरिवर्तनशील स्वभाव केर छी आर प्राणी सभक स्वामी छी, तैयो अपन प्रकृति केँ अधीन (वश) मे कयकेँ, हम अपन माया सँ अस्तित्व मे अबैत छी । हे भरतवंशी, जखन धर्म केर पतन आ अधर्म केर उदय होइत अछि, तखन हम शरीर धारण करैत छी । साधु (नीक) लोक सबक रक्षाक लेल, दुष्कृत् (खराब कार्य करयवला) लोक सभक विनाश केर लेल, आर धर्म केर स्थापनाक लेल, हम हर युग मे अस्तित्व मे अबैत छी ।

अपन प्रकृति केँ अधीन (वश) मे कयकेँ: ओ दोसर जेकाँ कर्म सँ बान्हल, प्रकृति केर दासता (बन्धन) मे नहि अबैत छथि । ओ गुण सभक जंजीर सँ बान्हल नहि छथि – कियैक तँ ओ सम्पूर्ण मायाक स्वामी छथि ।

अपन माया सँ: हमर अवतार मात्र देखाय पड़ैत अछि आर हमर असली स्वरूप केँ नहि छुबैत अछि ।

धर्म आर ओकर उल्टा अधर्म, ओ सब काज (आर ओकर उलटा काज सब) केँ कहैत छैक जे अलग-अलग स्थान पर लोकक लेल ओकर जीवन आ मोक्ष केर सुनिश्चित योजनाक हिसाब सँ तय कयल गेल छैक ।

दुष्कृत् (खराब काज करयवला) लोकक नाश: ओकरा खराबी केँ खत्म करय लेल आर ओकरा सदाचरण (सनातन) जीवन दियए लेल (ओकर नाश कयल जाइछ) ।

जन्म कर्म च मे दिव्यमेवं यो वेत्ति तत्त्वतः ॥
त्यक्त्वा देहं पुनर्जन्म नैति मामेति सोऽर्जुन ॥४-९॥

He who knows, in true light, My divine birth and action, leaving the body, is not born again: he attains to Me, O Arjuna.

He who knows, etc.: He who knows the great truth – that the Lord though apparently born is ever beyond birth and death, apparently active in the cause of righteousness, is ever beyond all action – becomes illumined with Self-Knowledge. Such a man is never born again.

वह जो सही तौर पर (सत्य प्रकाश में) मुझे, मेरे दिव्य जन्म और कर्म को जानता है, वह (अपने) शरीर को छोड़ने के बाद दुबारा जन्म नहीं लेता; वह मुझे प्राप्त करता है, हे अर्जुन । 

जो जानता है, इत्यादि: जो इस महान सत्य को जानता है – कि भगवान भले ही जन्म लेते हैं, लेकिन जन्म और मृत्यु से परे हैं, धर्म के काम में लगे रहते हैं, और सभी कर्मों से परे हैं – वह आत्म-ज्ञान से प्रकाशित हो जाता है । ऐसा आदमी दोबारा जन्म नहीं लेता ।

ओ जे सत्य रूप सँ (सही तरह सँ) हमरा, हमर दिव्य जन्म आ कर्म केँ जनैत अछि, ओ (अपन) शरीर केँ छोड़लाक बाद दोबारा जन्म नहि लैत अछि; ओ हमरा प्राप्त करैत अछि, हे अर्जुन ।  

जे जनैत अछि, इत्यादि: जे एहि महान सत्य केँ जनैत अछि – जे भगवान भले जन्म लैत छथि, मुदा जन्म आ मृत्यु सँ परे (दूर) छथि, धर्म केर काज मे लागल रहैत छथि, आर सब कर्म सब सँ परे (दूर) छथि – ओ (व्यक्ति) आत्म-ज्ञान सँ प्रकाशित भ’ जाइत अछि । एहेन आदमी दोबारा जन्म नहि लैत अछि ।

वीतरागभयक्रोधा मन्मया मामुपाश्रिता ॥
बहवो ज्ञानतपसा पूता मद्भावमागताः ॥४-१०॥

Freed from attachment, fear and anger, absorbed in Me, taking refuge in Me, purified by the fire of knowledge, many have attained My Being.

Many have attained: The import that the path of liberation here taught by Sri Krishna is not of recent origin, nor is it dependent upon His present manifestation, but has been handed down from time immemorial.

आसक्ति, डर और गुस्से से मुक्त होकर, मुझमें लीन होकर, मेरी शरण में आकर, ज्ञान की आग से पवित्र होकर, बहुतों ने मेरे लोक को (मुझको) प्राप्त किया है ।

बहुतों ने प्राप्त किया है: इसका मतलब यह है कि श्री कृष्ण ने जो मुक्ति का रास्ता यहाँ बताया है, वह हाल का नहीं है, न ही यह उनके आज के रूप पर निर्भर है, बल्कि यह बहुत पुराने समय से चला आ रहा है ।

आसक्ति, डर आ तामश सँ मुक्त भ’ कय, हमरा मे लीन भ’ कय, हमर शरण मे आबिकय, ज्ञानक आगि सँ पवित्र भ’ कय, बहुतो लोक हमर लोक केँ (हमरा) प्राप्त कयलक अछि ।

बहुतो लोक प्राप्त कयलक अछि: एकर मतलब ई अछि जे श्री कृष्ण द्वारा जे मुक्तिक बाट (मार्ग) एतय कहल गेल अछि, ओ एखुनका (हालसाल केर) नहि थिक, नहिये ई हुनकर एखुनका रूप (श्रीकृष्ण रूप) पर निर्भर अछि, बल्कि ई बहुते प्राचीन समय सँ चलैत आबि रहल अछि ।

ये यथा मां प्रपद्यन्ते तांस्तथैव भजाम्यहम् ॥
मम वर्त्मानुवर्तन्ते मनुष्याः पार्थ सर्वशः ॥४-११॥

In whatsoever way men worship Me, in the same way do I fulfil their desires; (it is) My path, O son of Prtha, (that) men tread, in all ways.

In this Sloka Sri Krishna anticipates the objection that God partial to some and unkind to others, since He blesses some with Self-knowledge and leaves the rest in darkness and misery. This difference is not due to any difference in His attitude towards them, but is of their own choice.

My path: In the whole region of thought and action, wherever there is fulfilment of object, no matter what, the same is due to the Lord. As the Self within, He brings to fruition all wishes, when the necessary conditions are fulfilled.

लोग जिस भी प्रकार से मेरी पूजा करते हैं, उसी प्रकार से मैं उनकी इच्छाएँ पूरी करता हूँ; हे पृथा के बेटे, लोग हर तरह से मेरा ही रास्ता अपनाते हैं ।

इस श्लोक में श्री कृष्ण कुछ ऐसी आपत्ति की बातों पर सम्बोधन करते हैं जिसमें कहा जाता है कि भगवान कुछ लोगों के साथ पक्षपात करते हैं और अन्य लोगों के साथ बेरहमी करते हैं, क्योंकि वे कुछ लोगों को आत्म-ज्ञान का आशीर्वाद देते हैं और बाकी को अंधेरे और दुःख में छोड़ देते हैं । यह अंतर उनलोगों के प्रति उनके (भगवानके) नजरिए में किसी अंतर के कारण नहीं है, बल्कि यह लोगों के अपनी पसंद के कारण से है ।

मेरा रास्ता: सोच (विचार) और काम (कर्म) के पूरे क्षेत्र में, जहाँ भी मकसद पूरा होता है, चाहे कुछ भी हो, वह भगवान के कारण ही है । (हमारे) अंदर के आत्मा के रूप में, वे सभी इच्छाओं को पूरा करते हैं, जब जरूरी शर्तें पूरी हो जाती हैं तब ।

लोक जाहि भाव सँँ हमर पूजा करैत अछि, ताहि भाव सँ हम ओकर इच्छा सब पूरा करैत छी; हे पृथापुत्र, लोक हरेक तरीका सँ हमरहि रास्ता अपनाबैत अछि ।

एहि श्लोक मे श्री कृष्ण किछु एहेन आपत्तिक बात पर सम्बोधन करैत देखाइत छथि जाहि मे कहल जाइत अछि जे भगवान किछु लोकक संग पक्षपात करैत छथि आ बाकी आर लोकक संग निर्दयता, कियैक तँ ओ किछु लोक केँ आत्म-ज्ञान केर आशीर्वाद दैत छथि आर बाकी केँ अंधकार आ दुःख मे छोड़ि दैत छथि । ई अन्तर ओहि लोक सभक प्रति हुनकर (भगवानक) नजरिया मे कोनो अन्तरक कारण नहि छैक, बल्कि ई लोक सभक अपन पसिनक कारण सँ छैक ।

हमर रास्ता: सोच (विचार) आर काज (कर्म) केर पूरा क्षेत्र मे, जेतय कतहु उद्देश्य पूरा होइत अछि, चाहे किछुओ हो, ओ भगवानहि केर कारण सँ होइत अछि । (हमरा लोकनिक) भीतर आत्माक रूप मे, ओ सबटा इच्छा सब केँ पूरा करैत छथि, जखन जरूरी शर्त सब पूरा भ’ जाइत अछि तखन ।

काङ्क्षन्तः कर्मणां सिद्धिं यजन्त इह देवता ॥
क्षिप्रं हि मानुषे लोके सिद्धिर्भवति कर्मजा ॥४-१२॥

Longing for success in action, in this world, (men) worship the gods. Because success resulting from action, is quickly attained in the human world.

Because success…… human world: Worldly success is much easier of attainment than Self-Knowledge. Hence it is that the ignorant do not go in for the latter.

इस दुनिया में काम में सफलता की चाहत में, (इंसान) भगवान की पूजा करते हैं । क्योंकि काम से मिलने वाली सफलता, इंसानी दुनिया में जल्दी मिल जाती है ।

क्योंकि सफलता…… इंसानी दुनिया: दुनियावी सफलता, खुद को जानने से कहीं ज़्यादा आसान है । इसलिए अनजान लोग खुद को जानने की कोशिश नहीं करते ।

एहि दुनिया मे काज (कर्म) मे सफलताक चाहत मे, (मनुष्य) भगवानक पूजा करैत अछि । कियैक तँ काज सँ भेटयवला सफलता, मनुष्यक संसार मे जल्दी भेटि जाइत छैक । 

कियैक तँ सफलता…… मनुष्यक संसार: सांसारिक सफलता, स्वयं (आत्मा) केँ जानय सँ कतहु बेसी सहज छैक । तेँ अनजान लोक स्वयं केँ जनबाक कोशिश नहि करैछ ।

चातुर्वर्ण्यं मया सृष्टं गुणकर्मविभागशः ॥
तस्य कर्तारमपि मां विद्ध्यकर्तारमव्ययम् ॥४-१३॥

The fourfold caste was created by Me, by the differentiation of Guna and Karma. Though I am the author thereof, know Me to be the non-doer, and changeless.

This sloka is intended to explain the diversity of human temperaments and tendencies. All men are not of the same nature, because of the preponderance of the different Guna in them.

The caste system was originally meant to make perfect the growth of humanity, by the special culture of certain features through the process of discriminate selection.

Though I am the author etc.: The Lord, though the author of the caste system, is yet not the author. The same dread of being taken as a doer or an agent crops up again and again. The paradox is explained in Chapter IX. 5-10. Maya is the real author, but He is taken as such, because it is His light which gives existence, not only to all actions, but to Maya herself.

चार तरह की जातियाँ (वर्ण) मैंने ही बनाई हैं, गुण और कर्म के फर्क से । हालाँकि मैं इसका बनाने वाला हूँ, फिर भी मुझे अकर्ता और अपरिवर्तनशील जानो ।

यह श्लोक इंसानी स्वभाव और आदतों की अलग-अलग तरह की बातों को समझाने के लिए है । सभी इंसान एक जैसे स्वभाव के नहीं होते, क्योंकि उनमें अलग-अलग गुणों के प्राबल्यता (प्रमुखता) होते हैं ।

जाति व्यवस्था असल में मानवता की वृद्धि (विकास) को पूरा करने के लिए थी, जिसमें भेदपूर्ण चयन प्रक्रिया द्वारा कुछ विशेष संस्कृति को कुछ विशेष तरीके से किया जाता था ।

हालाँकि मैं बनाने वाला हूँ इत्यादि: भगवान, जाति व्यवस्था के बनाने वाले होने के बावजूद, फिर भी बनाने वाले नहीं हैं । करने वाला या एक प्रतिनिधि समझे जाने का वही भय (शंका) बार-बार उठता है । इस उलझन को चैप्टर ९. ५-१० में समझाया गया है । माया असली बनाने वाली है, लेकिन उनको (भगवानको) ऐसा इसलिए माना जाता है, क्योंकि उनकी रोशनी ही है जो न सिर्फ सभी कामों को, बल्कि खुद माया को भी वजूद देती है ।

चारि प्रकारक जाति (वर्ण) हमहीं बनेने छी, से गुण आ कर्म केर फर्क सँ । जखन कि हम एकर बनेनिहार छी, तैयो हमरा अकर्ता आ अपरिवर्तनशील जानब । 

ई श्लोक मनुष्यक स्वभाव आ आदति सभक अलग-अलग प्रकार केर बात सब बुझेबाक लेल अछि । सब मनुष्य एक जेहेन स्वभावक नहि होइत अछि, कियैक तँ ओकरा सब मे अलग-अलग गुणक प्रधानता (प्राबल्यता) रहैत छैक ।

जाति व्यवस्था असल मे मानवताक विकास केँ पूरा करबाक लेल छल, जाहि मे भेदपूर्ण चयन प्रक्रिया द्वारा किछु विशेष संस्कृति केँ किछु विशेष तरीका सँ कयल जायब छल ।

जखन कि हम एकर बनेनिहार छी आदिः भगवान, जाति व्यवस्थाक बनबयवला भेलाक बादो, तैयो बनबयवला नहि छथि । करयवला या एक प्रतिनिधि बुझल जेबाक वैह भय (शंका) बेर-बेर उठैत अछि । एहि दुविधा (उलझन) केँ चैप्टर ९. ५-१० मे बुझायल गेल अछि । माया असली बनबयवाली छी, मुदा हुनका (भगवानकेँ) एना एहि लेल मानल जाइत छन्हि, कियैक तँ हुनकहि प्रकाश टा अछि जे नहि सिर्फ सब काज केँ, बल्कि स्वयं माया केँ सेहो अस्तित्व प्रदान करैत अछि ।

न मां कर्माणि लिम्पन्ति न मे कर्मफले स्पृहा ॥
इति मां योऽभिजानाति कर्मभिर्न स बध्यते ॥४-१४॥

Actions do not taint Me, nor have I any thirst for the result of action. He who knows Me thus is not fettered by action.

Actions do not taint Me: Karma cannot introduce into Me anything foreign. I never depart from My true self, which is All-fullness.

न तो कर्म मुझे दूषित (लिप्त) करते हैं और न ही मुझे कर्म के फल की कोई प्यास (इच्छा या स्पृहा) है । जो मुझे इस सत्य के साथ जान लेता है, वह भी कर्मों के बंधन में नहीं बंधता ।

कर्म मुझे दूषित नहीं करते: कर्म मुझमें कुछ भी बाहरी नहीं ला सकता । मैं अपने सच्चे स्वरूप, जो कि पूर्ण-सम्पूर्ण है, उससे कभी दूर नहीं जाता ।

नहि तँ कर्म हमरा दूषित (लिप्त) करैत अछि आ न हमरा कर्मक फलहि केर कोनो प्यास (इच्छा या स्पृहा) अछि । जे हमरा एहि सत्यक संग जानि लैत अछि, ओहो कर्म सभक बन्धन मे नहि बन्हाइछ । 

कर्म हमरा दूषित नहि करैछ: कर्म हमरा मे किछुओ बाहर सँ नहि आनि सकैत अछि । हम अपन सत्य स्वरूप, जे कि पूर्ण-सम्पूर्ण अछि, ओहि सँ कखनहुँ दूर नहि जाइत छी ।

एवं ज्ञात्वा कृतं कर्म पूर्वेरपि मुमुक्षुभिः ॥
कुरु कर्मैव तस्मात्त्वं पूर्वैः पूर्वतरं कृतम् ॥४-१५॥

Knowing thus, the ancient seeker after freedom also performed action. Do thou, therefore, perform action, as did the ancients in olden times.

Knowing thus: Taking this point of view, that is, that the Self can have no desire for the fruits of action and cannot be soiled by action.

ऐसा जानकर, मुक्ति चाहने वाले प्राचीन साधक ने भी कर्म किया । इसलिए, तुम भी कर्म करो, जैसे पुराने ज़माने में पुराने लोग करते थे ।

ऐसा जानकर: इस नज़रिए से, यानी कि आत्मा को कर्म के फल की कोई इच्छा नहीं हो सकती और वह कर्म से गंदा नहीं हो सकता ।

एना जानिकय, मुक्ति चाहयवला प्राचीन साधक लोकनि सेहो कर्म कयलनि । तेँ, अहाँ सेहो कर्म करू, जेना प्राचीन समय मे प्राचीन लोक सब करैत रहथि । 

एना जानिकय: एहि नजरिया सँ, यानी कि आत्मा केँ कर्मक फल केर कोनो इच्छा नहि भ’ सकैत अछि आर ओ कर्म सँ दूषित सेहो नहि भ’ सकैत अछि ।

किं कर्म किमकर्मेति कवयोऽप्यत्र मोहिताः ॥
तत्ते कर्म प्रवक्ष्यामि यज्ज्ञात्वा मोक्ष्यसेऽशुभात् ॥४-१६॥

Even sages are bewildered, as to what is action and what is inaction. I shall, therefore, tell you what action is, by knowing which you will be freed from evil.

Evil: the evil of existence, the wheel of birth and death.

ऋषि-मुनि भी उलझन में हैं कि कर्म क्या है और अकर्म क्या है । इसलिए मैं तुम्हें बताऊंगा कि कर्म क्या है, जिसे जानकर तुम बुराई से मुक्त हो जाओगे ।

बुराई: अस्तित्व की बुराई, जन्म और मृत्यु का चक्र ।

ऋषि-मुनि लोकनि सेहो उलझन मे छथि जे कर्म कि थिक आर अकर्म कि थिक । तेँ हम अहाँ केँ बतायब जे कर्म कि थिक, जे जानिकय अहाँ खराबी सँ मुक्त भ’ जायब । 

खराबी: अस्तित्वक खराबी, जन्म आ मृत्यु केर चक्र ।

कर्मणो ह्यपि बोद्धव्यं बोद्धव्यञ्च विकर्मणः ॥
अकर्मणश्च बोद्धव्यं गहना कर्मणो गतिः ॥४-१७॥

For verily, (the true nature) even of action (enjoined by the Sastras) should be known, as also, (that) of forbidden action, and of inaction: the nature of Karma is impenetrable.

वास्तव में, (शास्त्रों द्वारा निर्दिष्ट) कर्म का भी (वास्तविक स्वरूप) जानना चाहिए, साथ ही (उस) निषिद्ध कर्म और अकर्म को भी जानना चाहिए; कर्म की प्रकृति अभेद्य है ।

वास्तव मे, (शास्त्र द्वारा निर्दिष्ट) कर्म केँ सेहो (वास्तविक स्वरूप) जनबाक चाही, संगहि (ओहि) निषिद्ध कर्म आर अकर्म केँ सेहो जनबाक चाही, कर्मक गति बहुत अभेद्य (गहन, गूढ़) होइछ ।

कर्मण्यकर्म यः पश्येदकर्मणि च कर्म यः ॥
स बुद्धिमान्मनुष्येषु स युक्तः कृत्स्नकर्मकृत् ॥४-१८॥

He who sees inaction in action, and action in inaction is intelligent among men, he is a Yogi and a doer of all action.

An Action is an action so long as the idea of actorship of the Self holds good. Directly as the idea of actorship disappears, no matter what or how much is done, action has lost its nature. It has become harmless; it can no longer bind. On the other hand, how much soever inactive an ignorant person may remain, so long as there is the idea of actorship in him he is constantly doing action. Action equals to belief in the actorship of oneself and inaction its reverse.

He is the doer of action: He has achieved the end of all action , which is inaction.

जो मनुष्य कर्म में अकर्म और अकर्म में कर्म देखता है, वह मनुष्यों में बुद्धिमान है, योगी है और सभी कर्मों का कर्ता है ।

कोई भी कार्य तब तक ही कार्य है जब तक स्वयं की भूमिका का विचार कायम रहता है । जैसे ही कर्तापन का विचार लुप्त हो जाता है, चाहे कुछ भी किया जाए या कितना भी किया जाए, कर्म अपना स्वभाव खो देता है । यह हानिरहित हो गया है; यह अब बांध नहीं सकता । दूसरी ओर, अज्ञानी व्यक्ति चाहे कितना भी निष्क्रिय क्यों न हो, जब तक उसमें कर्तापन का विचार है, वह निरंतर कर्म करता रहता है । कर्म कर्तापन के विश्वास के समान है और अकर्म इसका उलटा है ।

वह कर्म का कर्ता है: उसने सभी कर्मों का अंत प्राप्त कर लिया है, जो अकर्म है ।

जे मनुष्य कर्म मे अकर्म आ अकर्म मे कर्म देखैत अछि, से मनुष्य मे बुद्धिमान अछि, योगी अछि आर सब कर्म केर कर्ता अछि ।

कोनो कार्य ताबते धरि कार्य अछि जाबत धरि स्वयं (आत्मा) केर भूमिकाक विचार कायम रहैत छैक । जहिना कर्तापन केर विचार लुप्त भ’ जाइत छैक, चाहे किछुओ कयल जाए, चाहे कतबो कयल जाए, कर्म अपन स्वभाव हरा लैत अछि । ई हानिरहित भ’ गेल अछि; ई आब बान्हि नहि सकैत अछि । दोसर दिश, अज्ञानी लोक चाहे कतबोक निष्क्रिय कियैक नहि भ’ जाए, जाबत धरि ओकरा मे कर्तापन केर विचार छैक, ओ निरन्तर कर्म करैत रहैत अछि । कर्म कर्तापन केर विश्वासक बराबर छैक आर अकर्म एकर उलटा छैक ।

ओ कर्म केर कर्ता अछि: ओ सब कर्मक अन्त पाबि गेल अछि, जे अकर्म थिक ।

यस्य सर्वे समारम्भाः कामसङ्कल्पवर्जिताः ॥
ज्ञानाग्निदग्धकर्माणं तमाहुः पण्डितं बुधाः ॥४-१९॥

Whose undertakings are all devoid of plan and desire for results, and whose actions are burnt by the fire of knowledge, him, the sages call wise.

Whose undertakings etc.: Who is devoid of egoism.

जिसके सारे कर्म योजना और परिणाम की इच्छा से रिक्त हो गए हों, और जिसके कर्म ज्ञान की अग्नि से जल गए हों, उसको, ऋषि लोग बुद्धिमान कहते हैं ।

जिसके काम वगैरह: जो अहंकार से खाली हो ।

जेकर सबटा कर्म नियार (योजना) आ नतीजा (परिणाम) केर इच्छा सँ खाली भ’ गेल हो, आर जेकर कर्म ज्ञानक अग्नि सँ जरि गेल हो, ओकरा, ऋषि लोकनि बुद्धिमान कहैत छथि ।

जेकर कर्म ज्ञानक अग्नि सँ, आदि: जे अहंकार सँ खाली हो ।

त्यक्त्वा कर्मफलासङ्गं नित्यतृप्तो निराश्रयः ॥
कर्मण्यभिप्रवृत्तोऽपि नैव किञ्चित्करोति सः ॥४-२०॥

Forsaking the clinging to fruits of action, ever satisfied, depending on nothing, though engaged in action, he does not do anything.

कर्म के फल से आसक्ति छोड़कर, हमेशा संतुष्ट, किसी चीज़ पर निर्भर न रहते हुए, कर्म में लगे रहने पर भी वह कुछ नहीं करता ।

कर्म केर फल सँ आसक्ति छोड़िकय, हमेशा सन्तुष्ट, कोनो चीज पर निर्भर नहि रहैत, कर्म मे लागल रहलो पर ओ किछु नहि करैत अछि । 

निराशीर्यतचित्तात्मा त्यक्तसर्वपरिग्रहः ॥
शारीरं केवलं कर्म कुर्वन्नाप्नोति किल्बिषम् ॥४-२१॥

Without hope, the body and mind controlled, and all possessions relinquished, he does not suffer any evil consequences, by doing mere bodily action.

Evil consequences: resulting from good and bad actions, for both lead to bondage.

बिना उम्मीद के, शरीर और मन को नियंत्रण में रखकर, और सारी चीज़ें छोड़कर, वह सिर्फ़ शारीरिक काम करके कोई बुरा नतीजा नहीं भुगतता ।

बुरे नतीजे: अच्छे और बुरे कामों के नतीजे, क्योंकि दोनों ही बंधन की ओर ले जाते हैं ।

बिना उम्मीद केँ, शरीर आ मन केँ नियंत्रण मे राखिकय, आर सब चीज छोड़िकय, ओ मात्र शारीरिक काज कयकेँ कोनो खराब नतीजा (दुष्परिणाम) नहि भोगैत अछि । 

खराब नतीजा: नीक आ बेजा काज सभक नतीजा (परिणाम), कियैक तँ दुनू बन्धन दिश लय जाइत अछि ।

यदृच्छालाभसन्तुष्टौ द्वन्द्वातीतौ विमत्सरः ॥
समः सिद्धावसिद्धौ च कृत्वापि न निबध्यते ॥४-२२॥

Content with what comes to him without effort, unaffected by the pairs of opposites, free from envy, even-minded in success and failure, though acting, he is not bound.

बिना किसी खास श्रम किये जो भी कुछ मिलता है, उसी से खुश रहता है, विपरीत चीजों के युग्म से बेपरवाह, जलन (डाह) से मुक्त, कामयाबी और नाकामी में एक जैसा सोचने वाला, काम करते हुए भी, वह बंधा नहीं होता है ।

बिना कोनो विशेष यत्न कएने जेहो किछु भेटैत अछि, ताहि सँ प्रसन्न (सन्तुष्ट) रहैछ, उलटा-सीधाक जोड़ा सँ बेपरवाह, ईर्ष्या-डाह सँ मुक्त, सफलता आ असफलता मे एक्के समान सोचयवला, काज करितहु, ओ बन्हायल नहि रहैछ । 

गतसङ्गस्य मुक्तस्य ज्ञानावस्थितचेतसः ॥
यज्ञायाचरतः कर्म समग्र प्रविलीयते ॥४-२३॥

Devoid of attachment, liberated with mind centred in knowledge, performing work of Yajna alone, his whole Karma dissolves away.

आसक्ति से रहित, ज्ञान में केंद्रित मन के साथ मुक्त, केवल यज्ञ का कार्य करते हुए, उसके सारे कर्म नष्ट हो जाते हैं ।

आसक्ति सँ रहित, ज्ञान मे केन्द्रित मन केर संग मुक्त, केवल यज्ञ केर कार्य करैत, ओकर सबटा कर्म नष्ट भ’ जाइत छैक । 

ब्रह्मार्पणं ब्रह्म हविर्ब्रह्माग्नौ ब्रह्मणा हुतम् ॥
ब्रह्मैव तेन गन्तव्यं ब्रह्मकर्मसमाधिना ॥४-२४॥

The process is Brahman, the clarified butter is Brahman, offered by Brahman in the fire of Brahman; by seeing Brahman in action, he reaches Brahman alone.

How can the whole Karma of a person, engaged in work, melt away as stated here? Because after knowledge, his whole life becomes one act of Yajna, in which the process of oblation, the offering, the fire, the doer of the sacrifice, the work, and the goal, all are Brahman. Since his Karma produces no other result than the attainment of Brahman, his Karma is said to melt away.

प्रक्रिया ब्रह्म है, घृत ब्रह्म है, ब्रह्म द्वारा ब्रह्म की अग्नि में अर्पित किया गया; ब्रह्म को कर्म करते हुए देखकर, वह केवल ब्रह्म तक ही पहुँचता है ।

यहाँ बताए अनुसार, काम में लगे व्यक्ति के सारे कर्म कैसे पिघल सकते हैं ? क्योंकि ज्ञान के बाद, उसका पूरा जीवन यज्ञ का एक कार्य बन जाता है, जिसमें आहुति की प्रक्रिया, आहुति, अग्नि, यज्ञ करने वाला, काम, और लक्ष्य, सभी ब्रह्म हैं । चूँकि उसके कर्म से ब्रह्म को पाने के अलावा कोई और नतीजा नहीं मिलता, इसलिए कहा जाता है कि उसके कर्म पिघल जाते हैं ।

प्रक्रिया ब्रह्म अछि, घृत ब्रह्म अछि, ब्रह्म द्वारा ब्रह्म केर अग्नि मे अर्पित कयल गेल; ब्रह्म केँ कर्म करैत देखिकय, ओ मात्र ब्रह्महि धरि पहुँचैत अछि ।

एतय कहल गेल मुताबिक, काज मे लागल लोक केर सबटा कर्म केना पिघैल सकैत छैक ? कियैक तँ ज्ञानक बाद, ओकर पूरा जीवन यज्ञ केर एकटा काज बनि जाइत छैक, जाहि मे आहुति देबाक प्रक्रिया, आहुति, अग्नि, यज्ञ करयवला, काज, आर लक्ष्य, सबटा ब्रह्म छथि । चूँकि ओकर कर्म सँ ब्रह्म केँ पेबाक अलावा कोनो आर नतीजा नहि भेटैछ, तेँ कहल जाइत अछि जे ओकर कर्म पिघैल जाइत अछि ।

दैवमेवापरे यज्ञं योगिनः पर्युपासते ॥
ब्रह्माग्नावपरे यज्ञं यज्ञेनैवोपजुह्वति ॥४-२५॥

Some Yogis perform sacrifices to Devas alone, while others offer the self as sacrifice by the self in the fire of Brahman alone.

Others offer etc.: The sacrifice referred to here is divesting the Self of its Upadhis (limiting adjuncts), so that It is found to be the Self.

कुछ योगी सिर्फ़ देवताओं के लिए यज्ञ करते हैं, जबकि दूसरे सिर्फ़ ब्रह्म की अग्नि में स्वयं (आत्मा) को ही बलिदान सामग्री के रूप में अर्पित करते हैं ।

दूसरे लोग अर्पण करते हैं वगैरह: यहाँ जिस यज्ञ का ज़िक्र है, वह है स्वयं को उसकी उपाधियों (सीमित करने वाले सहायकों) से अलग करना, ताकि ‘इस’ (आत्मा) को परम आत्मा (परमात्मा) के रूप में पाया जा सके ।

किछु योगी मात्र देवता सभक वास्ते यज्ञ करैत छथि, जखन कि दोसर मात्र ब्रह्म केर अग्नि मे स्वयं (आत्मा) अपनहिं केँ बलिदान सामग्रीक रूप मे अर्पित करैत छथि ।

दोसर लोक अर्पण करैत अछि आदि: एतय जाहि यज्ञ केर चर्चा अछि, से अछि स्वयं केँ ओकर उपाधि (सीमित करयवला सहायक) सँ अलग करब, जाहि सँ ‘ई’ (आत्मा)  ‘परम आत्मा’ (परमात्मा) के रूप मे प्राप्त कयल जा सकय ।

श्रोत्रादीनीन्द्रियाण्यन्ये संयमाग्निषु जुह्वति ॥
शब्दादीन्विषयानन्य इन्द्रियाग्निषु जुह्वति ॥२६॥

Some again offer hearing and other senses as sacrifice in the fire of control, while others offer sound and other sense-objects as sacrifice in the fire of the senses.

Others offer sound etc.: Others direct their senses towards pure and unforbidden objects, and in so doing regard themselves as performing acts of sacrifice.

कुछ लोग सुनने और दूसरी इंद्रियों को बलिदान स्वरूप नियंत्रण की आग में चढ़ाते हैं, जबकि दूसरे लोग आवाज़ और दूसरी इंद्रियों की चीज़ों को इंद्रियों की आग में बलि चढ़ाते हैं ।

दूसरे लोग आवाज़ वगैरह चढ़ाते हैं: दूसरे लोग अपनी इंद्रियों को पवित्र और मना न की गई चीज़ों की ओर लगाते हैं, और ऐसा करके खुद को बलि का काम करने वाला मानते हैं ।

किछु लोक सुननाय आ दोसर इंद्रिय सब केँ बलिदान स्वरूप नियंत्रण केर अग्नि मे चढ़बैत छथि, जखन कि दोसर लोक सब आवाज आर दोसर इंद्रिय केर चीज सब केँ इंद्रिय केर अग्नि मे बलि स्वरूप चढ़बैत छथि । 

दोसर लोक सब आवाज वगैरह चढ़बैत छथि: दोसर लोक अपनी इंद्रिय केँ पवित्र तथा निषेधित नहि कयल गेल चीज सब दिश लगबैत छथि, आर एना कय केँ स्वयं केँ बलिक कार्य करयवला मानैत छथि ।

सर्वाणीन्द्रियकर्माणि प्राणकर्माणि चापरे ॥
आत्मसंयमयोगाग्नौ जुह्वति ज्ञानदीपिते ॥४-२७॥

Some again offer all the actions of senses and the functions of the vital energy, as sacrifice in the fire of control in Self, kindled by knowledge.

कुछ लोग ज्ञान द्वारा प्रज्वलित (प्रदीप्त) आत्म-नियंत्रण की अग्नि में इंद्रियों की सभी क्रियाओं और प्राण ऊर्जा की क्रियाओं को आहुति के रूप में अर्पित करते हैं ।

गोटेक लोक ज्ञान द्वारा प्रज्वलित (प्रदीप्त) आत्म-नियंत्रण केर अग्नि मे इंद्रिय केर समस्त क्रिया सब केँ तथा प्राण ऊर्जा केर क्रिया सब केँ आहुति (बलिदान) रूप मे अर्पित करैत छथि ।

द्रव्ययज्ञास्तपोयज्ञा योगयज्ञास्तथाऽपरे ॥
स्वाध्यायज्ञानयज्ञाश्च यतयः संशितव्रताः ॥४-२८॥

Others again offer wealth, austerity, and Yoga, as sacrifice, while still others, of self-restraint and rigid vows, offer study of the scriptures and knowledge, as sacrifice.

Offer Yoga as sacrifice: Practise the eightfold Yoga as an act of sacrifice.

कुछ लोग फिर से धन, तपस्या और योग को बलि के रूप में चढ़ाते हैं, जबकि कुछ अन्य लोग संयम और कठोर व्रतों के साथ शास्त्रों के अध्ययन और ज्ञान को बलि के रूप में चढ़ाते हैं ।

योग को बलि के रूप में चढ़ाना: अष्टांग योग का अभ्यास बलि के रूप में करना होता है ।

किछु लोक फेर सँ धन, तपस्या आर योग केँ बलि रूप मे चढ़बैत छथि, जखन कि किछु अन्य लोक सब संयम आ कठोर व्रत सभक संग शास्त्र आदिक अध्ययन व ज्ञान केँ बलिक रूप मे चढ़बैत छथि ।

योग केँ बलिक रूप मे चढ़ेनाय: अष्टांग योग केर अभ्यास बलिक रूप मे करय पड़ैत छैक ।

अपाने जुह्वति प्राणं प्राणेऽपानं तथाऽपरे॥
प्राणापानगती रुद्ध्वा प्राणायामपरायणाः॥
अपरे नियताहाराः प्राणान्प्राणेषु जुह्वति ॥४-२९॥

Yet some offer as sacrifice, the outgoing into the incoming breath, and the incoming into the outgoing, stopping the courses of the incoming and outgoing breaths, constantly practising the regulation the vital energy; while others yet of regulated food, offer in the Pranas the functions thereof. 

Offer in the Pranas the functions thereof: Whatever Prana has been controlled, into it they sacrifice all other Pranas; these latter become, as it were, merged in the former. Or, in another way: They control the different Pranas and unify them by the foregoing method; the senses are thus attenuated and are merged in the unified Prana, as an act of sacrifice.

All the various acts described in verses 25 to 29, as offerings of sacrifice, are only conceived as such, the study of the scriptures is regarded as an act of sacrifice, and so on.

फिर भी कुछ और लोग बलि के रूप में, बाहर जानेवाले सांस को अन्दर आनेवाली सांस में, और अंदर आने वाली सांस को बाहर जाने वाली सांस में, अन्दर आने वाली और बाहर जाने वाली सांसों की मार्ग को रोककर, लगातार महत्वपूर्ण ऊर्जा के नियमन का अभ्यास करते हुए, अर्पित करते हैं; जबकि अन्य लोग अभी भी नियंत्रित भोजन के द्वारा, प्राणों में उनके कार्यों को अर्पित करते हैं ।

प्राणों में उनके कार्यों को अर्पित करना: जो भी प्राण नियंत्रित किया गया है, उसमें वे अन्य सभी प्राणों की आहुति देते हैं; ये बाद वाले, मानो पहले वाले में विलीन हो जाते हैं । या, दूसरे तरीके से: वे विभिन्न प्राणों को नियंत्रित करते हैं और उन्हें पूर्वोक्त विधि से एकीकृत करते हैं; इस प्रकार इंद्रियां क्षीण हो जाती हैं और एकीकृत प्राण में विलीन हो जाती हैं, जो एक यज्ञ कार्य होता है ।

श्लोक २५ से २९ में वर्णित सभी विभिन्न कार्यों को यज्ञ में चढ़ावे (बलिदान की जानेवाली सामग्रियों) के रूप में केवल कल्पना की गई है, शास्त्रों का अध्ययन यज्ञ का कार्य माना जाता है, इत्यादि ।

तैयो किछु आर लोक बलिक रूप मे, बाहर जायवला सांस केँ अन्दर जायवाली सांस मे, आर अन्दर आबयवाली साँस केँ बाहर जायवाली सांस मे, अन्दर आबयवाली आ बाहर जायवाली सांसक मार्ग केँ रोकिकय, लगातार महत्वपूर्ण ऊर्जा केर नियमन केर अभ्यास करैत, अर्पित करैत छथि; जखन कि आन लोक सब सेहो नियंत्रित भोजन द्वारा, प्राण मे ओकर कार्य केँ अर्पित करैत छथि । 

प्राण मे ओकर कार्य (नियंत्रित भोजनक कार्य) केँ अर्पित कयनाय: जे कोनो प्राण नियंत्रित कयल गेल अछि, ओहि मे ओ आन समस्त प्राण केर आहुति दैत छथि; ई बादवला, मानू पहिल वला मे विलीन भ’ जाइत अछि । या, दोसर तरीका सँ: ओ विभिन्न प्राण सब केँ नियंत्रित करैत छथि आर ओकरा सब केँ पूर्वोक्त विधि सँ एकीकृत करैत छथि; एहि प्रकारे इंद्रिय सब क्षीण भ’ जाइत अछि आर एकीकृत प्राण मे विलीन भ’ जाइत अछि, जे एकटा यज्ञ कार्य होइत अछि ।

श्लोक २५ सँ २९ मे वर्णित सम्पूर्ण विभिन्न कार्य सब केँ यज्ञ मे चढ़ावा (बलिदान कयल जायवला सामग्री सब) केर रूप मे केवल कल्पना कयल गेल अछि, शास्त्र सभक अध्ययन यज्ञक कार्य मानल जाइत अछि, इत्यादि ।

सर्वेऽप्येते यज्ञविदो यज्ञक्षपितकल्मषाः ॥४-३०॥
यज्ञशिष्टामृतभुजो यान्ति ब्रह्म सनातनम् ॥
नायं लोकोऽस्त्ययज्ञस्य कुतोऽन्यः कुरुसत्तम ॥४-३१॥

All of these are knowers of Yajna, having their sins consumed by Yajna, and eating of the nectar – the remnant of Yajna – they go to the Eternal Brahman. (Even) this world is not for the non-performer of Yajna, how then another, O best of the Kurus ?

They go to the Eternal Brahman: In course of time, after attaining knowledge through purification of heart.

Even the world is not for the non-performer of Yajna: this means – He that does not perform any of the Yajnas mentioned above is not fit even for this wretched human world – how then could he hope to gain a better world than this?

ये सभी यज्ञ के ज्ञाता हैं, यज्ञ द्वारा अपने पापों को भस्म करके और यज्ञ के अवशेष – अमृत को खाकर – वे सनातन ब्रह्म को प्राप्त होते हैं । यज्ञ न करने वालों के लिए तो यह संसार भी नहीं होता है, फिर हे कौरवश्रेष्ठ, दूसरा (संसार से आगे का कोई संसार) कैसे हो सकता ?

वे सनातन ब्रह्म को प्राप्त होते हैंः समय के साथ, हृदय की शुद्धि के द्वारा ज्ञान प्राप्त करके वे सनातन ब्रह्म को प्राप्त होते हैं ।

यज्ञ न करने वालों के लिए यह संसार भी नहीं है: इसका अर्थ है – जो उपरोक्त यज्ञों में से किसी को भी नहीं करता, वह इस दुःखी मानव संसार के भी योग्य नहीं है – फिर वह इससे श्रेष्ठ लोक को प्राप्त करने की आशा कैसे कर सकता है ?

ई सब गोटे यज्ञक ज्ञाता छथि, यज्ञ द्वारा अपन पाप सब केँ भस्म कयकेँ आर यज्ञ केर अवशेष – अमृत केँ खाकय – ओ सनातन ब्रह्म केँ प्राप्त होइत छथि । यज्ञ नहि करयवलाक लेल त ई संसारो नहि होइत अछि, फेर हे कुरुश्रेष्ठ, दोसर (संसार सँ अलग अन्य विभिन्न ब्रह्माण्डीय संसार सब) केना भ’ सकैछ ?

ओ सनातन ब्रह्म केँ प्राप्त होइत छथिः समय केर संग, हृदय केर शुद्धि द्वारा ज्ञान प्राप्त कयकेँ ओ सनातन ब्रह्म केँ प्राप्त होइत छथि ।

यज्ञ नहि करयवला लेल त ई संसारो नहि होइत अछि: एकर अर्थ अछि – जे उपरोक्त यज्ञ सब मे सँ कोनो एकहु केँ नहि करैछ, ओ एहि दुःखी मानव संसारहु केर योग्य नहि अछि – फेर ओ एहि सँ श्रेष्ठतर लोक केँ प्राप्त करबाक आशा भला केना कय सकैत अछि ?

एवं बहुविधा यज्ञा वितता ब्रह्मणो मुखे ॥
कर्मजान्विद्धि तान्सर्वानेवं ज्ञात्वा विमोक्ष्यसे ॥४-३२॥

Various Yajnas, like the above, are strewn in the storehouse of the Veda. Know them all to be born of action; and thus knowing, thou shalt be free.

Strewn in the storehouse of the Veda: inculcated by or known through the Veda.

ऊपर बताए गए जैसे कई यज्ञ वेद के भंडार में बिखरे हुए हैं । उन सभी को कर्म से पैदा हुआ जानो; और इस तरह जानकर, तुम मुक्त (स्वतंत्र) हो जाओगे ।

वेद के भंडार में बिखरे हुए: वेद से सिखाए गए या वेद के ज़रिए जाने गए ।

उपर कहल गेल जेकाँ कतेको रास यज्ञ वेद केर भंडार मे बिखड़ल पड़ल अछि (वर्णित अछि) । ओहि सबटा केँ कर्म सँ उत्पन्न भेल जानू; आर एहि प्रकार सँ जानिकय, अहाँ मुक्त (स्वतंत्र) भ’ जायब ।

वेद केर भंडार मे बिखड़ल पड़ल: वेद सँ सिखायल गेल या वेद केर जरिए जानेल गेल ।

श्रेयान्द्रव्यमयाद्यज्ञाज्ज्ञानयज्ञः परन्तप ॥
सर्वं कर्माखिलं पार्थ ज्ञाने परिसमाप्यते ॥४-३३॥

Knowledge-sacrifice, O scorcher of foes, is superior to sacrifice (performed) with (material) objects. All action in its entirety, O Partha, attains its consummation in knowledge.

हे शत्रुओं को जलाने वाले, ज्ञान-यज्ञ, भौतिक वस्तुओं (हविष्य सामग्रियों, चढ़ावे आदि) से किए गए यज्ञ से श्रेष्ठ है । हे पार्थ, सभी कर्म अपने संपूर्ण रूप में ज्ञान में ही अपनी पूर्णता प्राप्त करते हैं ।

हे शत्रु सब केँ जरबयवला, ज्ञान-यज्ञ, भौतिक वस्तु (हविष्य सामग्री, चढ़ावा आदि) सँ कयल गेल यज्ञ सँ श्रेष्ठ अछि । हे पार्थ, सब कर्म अपन संपूर्ण रूप मे ज्ञानहि टा मे अपन पूर्णता प्राप्त करैत अछि ।

तद्विद्धि प्रणिपातेन परिप्रश्नेन सेवया ॥
उपदेक्ष्यन्ति ते ज्ञानं ज्ञानिनस्तत्त्वदर्शिनः ॥४-३४॥

Know that, by prostrating thyself, by questions, and by service; the wise, those who have realised the Truth, will instruct thee in that knowledge.

Prostration before the Guru, questions and personal services to him, constitute discipleship.

Those who have realised the Truth: mere theoretical knowledge, however perfect, does not qualify a person to be a Guru: the truth, or Brahman, must be realised, before one can claim that most elevated position.

यह जान लो कि तुम स्वयं को विनम्र रूप से झुकाकर (दण्वत प्रणाम करके), प्रश्न पूछने (सवाल करने) और सेवा करने से; बुद्धिमान लोग, जिन्होंने सत्य को जान लिया है, तुमको उसी ज्ञान की शिक्षा देंगे ।

गुरु के सामने प्रणाम करना, सवाल पूछना और उनकी निजी सेवा करना, शिष्यत्व है ।

जिन्होंने सत्य को जान लिया है: सिर्फ सैद्धांतिक ज्ञान, चाहे कितना भी सही हो, किसी व्यक्ति को गुरु बनने के काबिल नहीं बनाता: सत्य, या ब्रह्म को, किसी के द्वारा उस सबसे ऊँचे पद का दावा करने से पहले, (स्वयं) महसूस किया जाना चाहिए ।

ई जानि लिय’ जे अहाँ अपना केँ विनम्र रूप सँ झुकाकय (दण्डवत प्रणाम कयकेँ), प्रश्न पूछय (सवाल करय) आ सेवा करय सँ; बुद्धिमान लोक, जे सत्य केँ जानि लेलनि अछि, अहाँ केँ सेहो वैह (सत्य) ज्ञान केर शिक्षा देताह ।

गुरु के सामने प्रणाम कयनाय, सवाल पुछनाय आर हुनकर निजी सेवा कयनाय, शिष्यत्व छी ।

जे सत्य केँ जानि लेलनि अछि: सिर्फ सैद्धांतिक ज्ञान, चाहे कतबो सही हो, कोनो व्यक्ति केँ गुरु बनेबाक काबिल नहि बनबैछ: सत्य, या ब्रह्म केँ, केकरो द्वारा ओहि ऊँच पद केर दावा करय सँ पहिने, (अपना आप) मे अनुभति कयल जेबाक चाही । 

यज्ज्ञात्वा न पुनर्मोहमेवं यास्यसि पाण्डव ॥
येन भूतान्यशेषेण द्रक्ष्यस्यात्मन्यथो मयि ॥४-३५॥

Knowing which, thou shalt not, O Pandava, again get deluded like this, and by which thou shalt see the whole of creation (thy) Self and in Me.

Which: the knowledge referred to in the preceding sloka to be learnt from the Guru.

जिसे जानकर, हे पांडव, तुम फिर इस तरह धोखा नहीं खाओगे, और जिससे तुम पूरी सृष्टि को (अपने) स्वरूप और मुझमें देखोगे ।

जिसे जानकर: पिछले श्लोक में गुरु से सीखने के लिए कहा गया ज्ञान ।

जे जानिकय, हे पांडव, अहाँ फेर एना धोखा नहि खायब, आर जाहि सँ अहाँ पूर्ण सृष्टि केँ (अपन) स्वरूप आ हमरा मे देखब । 

जे जानिकय: पैछला श्लोक मे गुरु सँ सिबाक लेल कहल गेल ज्ञान ।

अपि चेदसि पापेभ्यः सर्वेभ्यः पापकृत्तमः ॥
सर्वं ज्ञानप्लवेनैव वृजिनं सन्तरिष्यसि ॥४-३६॥

Even if thou be the most sinful among all the sinful, yet by the raft of knowledge alone thou shalt go across all sin.

भले ही तुम सभी पापियों में सबसे ज़्यादा पापी हो, फिर भी सिर्फ़ ज्ञान के बेड़े से तुम सभी पापों से पार हो जाओगे ।

भले अहाँ सब पापियो मे सब सँ बेसी पापी होइ, तैयो मात्र ज्ञान केर बेड़ा (जहाज) सँ अहाँ सब पाप सँ पार पाबि (पार उतरि) जायब । 

यथैधांसि समिद्धोऽग्निर्भस्मसात्कुरुतेऽर्जुन ॥
ज्ञानाग्निः सर्वकर्माणि भस्मसात्कुरुते तथा ॥४-३७॥

As blazing fire reduces wood into ashes, so, O Arjuna, does the fire of knowledge reduce all Karma to ashes.

Excepting of course the Prarabdha, or Karma which, after causing the present body, has begun to bear fruits.

जैसे धधकती आग लकड़ी को राख कर देती है, वैसे ही हे अर्जुन, ज्ञान की आग सारे कर्मों को राख कर देती है ।

बेशक इसे छोड़कर, यानि प्रारब्ध या वह कर्म, जो शरीर बनाने के बाद, फल देना शुरू कर चुका है ।

जेना धधकैत आगि लकड़ी केँ राख बना दैत अछि, तेनाही हे अर्जुन, ज्ञान केर आगि सारा कर्म केँ राख कय दैत अछि ।

बेशक ओकरा छोड़िकय, यानि प्रारब्ध या ओ कर्म, जे शरीर बनलाक बाद, फल देनाय शुरू कय चुकल अछि ।

न हि ज्ञानेन सदृशं पवित्रमिह विद्यते ॥
तत्स्वयं योसंसिद्धः कालेनात्मनि विन्दति ॥४-३८॥

Verily there exists nothing in this world purifying like knowledge. In good time, having reached perfection in Yoga, one realises that oneself in one’s own heart.

सच में, इस दुनिया में ज्ञान जैसा पवित्र करने वाला और कुछ भी नहीं है । सही समय पर, योग में पूर्णता प्राप्त करने के बाद, व्यक्ति अपने दिल में खुद को महसूस करता है ।

सच मे, एहि दुनिया मे ज्ञान जेहेन पवित्र करयवला आर किछुओ नहि अछि । सही समय पर, योग मे पूर्णता प्राप्त कयलाक बाद, लोक अपन हृदय मे स्वयं केँ अनुभव (महसूस) करैत अछि । 

श्रद्धावाँल्लभते ज्ञानं तत्परः संयतेन्द्रियः ॥
ज्ञानं लब्ध्वा परां शान्तिमचिरेणाधिगच्छति ॥४-३९॥

The man with Sraddha, the devoted, the master of one’s senses, attains (this) knowledge. Having attained the knowledge one goes at once to the Supreme Peace.

श्रद्धा रखने वाला, समर्पित, अपनी इंद्रियों का मालिक, इस ज्ञान को पाता है । ज्ञान पाकर वह तुरंत परम शांति को प्राप्त हो जाता है ।

श्रद्धा राखयवला, समर्पित, अपन इंद्रिय सभक मालिक, एहि ज्ञान केँ पबैत अछि । ज्ञान पाबिकय ओ तुरन्त परम शान्ति केँ प्राप्त भ’ जाइत अछि । 

अज्ञश्चाश्रद्दधानश्च संशयात्मा विनश्यति ॥
नायं लोकोऽस्ति न परो न सुखं संशयात्मनः ॥४-४०॥

The ignorant, the man without Sraddha, the doubting self, goes to destruction. The doubting self has neither this world, nor the next, nor happiness.

The ignorant: one who know not the Self.

The man without Sraddha: one who has no faith in the words and teachings of his Guru.

The doubting self has etc.: One of a doubting disposition falls to enjoy this world, owing to his constantly rising suspicion about the people, and things around him, and is also full of doubt as regards the next world; so do the ignorant and the man without Sraddha.

अज्ञानी, श्रद्धा रहित मनुष्य, स्वयं पर संदेह करने वाला व्यक्ति विनाश को प्राप्त होता है । संदेह करने वाले व्यक्ति के पास न तो यह लोक है, न परलोक, न ही सुख ।

अज्ञानी: जो स्वयं (आत्मा) को नहीं जानता ।

श्रद्धा विहीन व्यक्ति: जिसे अपने गुरु के शब्दों और शिक्षाओं पर कोई विश्वास नहीं है ।

संदेह करने वाले व्यक्ति के पास, आदि: एक संदेह करने वाला स्वभाव (प्रवृत्ति) इस दुनिया का आनंद लेने के लिए गिर जाता है, उसके मन-मस्तिष्क में लगातार लोगों और उसके आस-पास की चीजों के बारे में संदेह बढ़ते रहने के कारण, और अगली दुनिया के संबंध में भी संदेह से भरा होता है; अज्ञानी और श्रद्धाहीन मनुष्य भी ऐसा ही करते हैं ।

अज्ञानी, श्रद्धा रहित मनुष्य, स्वयं पर सन्देह करयवला लोक विनाश केँ प्राप्त होइत अछि । सन्देह करयवला लोक लग नहि त ई लोक अछि, न परलोक, नहिये सुख । 

अज्ञानी: जे स्वयं (आत्मा) केँ नहि जनैत अछि । 

श्रद्धा विहीन लोक: जेकरा अपन गुरुक शब्द आर शिक्षा सब पर कोनो विश्वास नहि छैक ।

सन्देह करयवला लोक लग, आदि: एकटा सन्देह करयवला स्वभाव (प्रवृत्ति) एहि दुनियाक आनन्द लय मे खसि पड़ैत अछि, ओकर मन-मस्तिष्क मे लगातार लोक सब आ ओकर लग-पासक चीज सभक बारे मे सन्देह बढ़ैत रहबाक कारण, आर ऐगला दुनियाक सम्बन्ध मे सेहो सन्देह सँ भरल होइत छैक; अज्ञानी और श्रद्धाहीन मनुष्य सेहो एहिना करैत अछि ।

योगसंयस्तकर्माणं ज्ञानसंछिन्नसंशयम् ॥
आत्मवन्तं न कर्माणि निबध्नन्ति धनञ्जय ॥४-४१॥

With work renounced by Yoga and doubts rent asunder by knowledge, O Dhananjaya, actions do not bind him who is poised in the Self.

हे धनंजय, योग द्वारा कर्म का त्याग कर दिया हुआ और ज्ञान द्वारा संदेह को दूर कर दिया हुआ व्यक्ति, जो स्वयं (आत्मा) में स्थित है, उसे कर्म नहीं बांधते हैं ।

हे धनंजय, योग द्वारा कर्म केर त्याग कय देने तथा ज्ञान द्वारा सन्देह केँ दूर कय देने लोक, जे स्वयं (आत्मा) मे स्थित अछि, ओकरा कर्म नहि बान्हैत छैक ।

तस्मादज्ञानसंभूतं हृत्स्थं ज्ञानासिनात्मनः ॥
छित्त्वैनं संशयं योमातिष्ठोत्तिष्ठ भारत ॥४-४२॥

Therefore cutting with the sword of knowledge, this doubt about the Self, born of ignorance, residing in thy heart, take refuge in Yoga. Arise, O Bharata!

इसलिए अपने दिल में रहने वाले अज्ञान से पैदा हुए इस खुद के बारे में शक को ज्ञान की तलवार से काटकर योग की शरण लो । उठो, हे भारत !

तेँ अपना हृदय मे रहयवला अज्ञान सँ उत्पन्न एहि ‘स्वयं’ (आत्मा) केर बारे मे सन्देह केँ ज्ञानक तलवार सँ काटिकय योग केर शरण लियह । उठू, हे भारत !

इति ज्ञानकर्मसंन्यासयोगो नाम चतुर्थोऽध्यायः॥

हरिः हरः !!

Related Articles