Search

प्रवीण नारायण चौधरी

कैन्सर पीडित निर्धन बच्चाक उपचार लेल मिथिला एकता समाज द्वारा सहयोग

रियाध (सउदी अरब), दिसम्बर १५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला एकता समाज – सउदी अरब केर अध्यक्ष सुनील गुप्ता जानकारी करबैत कहलैन अछि जे संस्था द्वारा गरीब-असहायक सहाय बनबाक सिद्धान्त अनुरूप हालहि नेपालक मिथिलाक्षेत्रक सिरहा जिला जिलाक कर्जन्हा वार्ड नंबर ४ केर इन्दर पासमान केर अबोध बालक जे ब्लड कैन्सर सनक खतरनाक रोगक संक्रमण मे इलाजरत कैन्सर पीडित निर्धन बच्चाक उपचार लेल मिथिला एकता समाज द्वारा सहयोग

बुलबुल – मैथिली कथा संग्रह पर परिचर्चा गोष्ठी जनकपुर मे

जनकपुर, दिसम्बर ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! चर्चित युवा कथाकार सुजीत कुमार झा केर नव पोथी बुलबुलपर परिचर्चा मैथिली भाषामे लिखल कथा संग्रह बुलबुलपर परिचर्चा कार्यक्रम जनकपुरमे एक समारोह बीच सम्पन्न भेल अछि । स्थानीय आनन्द होटेलमे आयोजित एहि परिचर्चा समारोहमे वक्तासभ मैथिली पुस्तक प्रकाशन बढेबाक जरुरत पर जोर देलन्हि । ओ सभ कहलन्हि व्यवसायिक रुपसँ प्रकाशन संस्था नहि बुलबुल – मैथिली कथा संग्रह पर परिचर्चा गोष्ठी जनकपुर मे

राम-जानकी विवाह पंचमीक अन्तिम विधः राम कलेवा केर मनोरम दृश्य

राम जानकी विवाहपञ्चमी महोत्सव विशेषः अन्तिम विध मौहककेर सेहो खूब चर्चा रहल – सुजीत कुमार झा, जनकपुर । दिसम्बर ९, २०१६.   जखन विवाह भऽ गेलैक तऽ मौहक अर्थात राम कलेवा केर विध कोना रुकत । आर मिथिलाक वैवाहिक परंपरा मे पति-पत्नी बीच प्रेमालापक पहिल सामाजिक शिक्षा सेहो त आखिर एहि विध सँ भेटैत छैक राम-जानकी विवाह पंचमीक अन्तिम विधः राम कलेवा केर मनोरम दृश्य

मिथिला-मैथिली मे सम्मानक सम्मान होयब जरुरी

विचार – प्रवीण नारायण चौधरी सन्दर्भः मिथिला पर्सन अफ द ईयर “कने जल्दी फोन करू” – किसलय कृष्ण जी मैसेज केलैन। फोन जल्दी करू माने कोनो बात गम्भीर अछि – अतः तुरन्त फोन कएल आ जनतब भेटल जे एक अति विशिष्ट संस्था आ एकर संस्थापक पुर्णियां सँ भारतीय प्रशासनिक सेवा अधिकारी एकटा विशेष आयोजन करबाक मिथिला-मैथिली मे सम्मानक सम्मान होयब जरुरी

मिथिलाक उद्धार लेल स्वयंसेवा नितान्त आवश्यक

लेखः अपन ठेकाने नहि सूरदास के घटकैती…. – प्रवीण नारायण चौधरी बेर-बेर पिताजीक मुंह सँ ई कहाबत सुनी, “अपन ठेकाने नहि, सूरदास के घटकैती”। ताहि दिन कम बुझैत रहियैक बात सब। अपने दुनिया (बचपना) मे मस्त के एतेक गौर करय गेल। जेना-जेना उमेर बढि रहल अछि, अनुभव बढैत जा रहल अछि, व्यक्ति, परिवार, समाज, समुदाय, मिथिलाक उद्धार लेल स्वयंसेवा नितान्त आवश्यक

पैघ राज्यक विभाजन आ परिणामः बिहार, यूपी आ मध्यप्रदेशक केस

विचार मंथन – प्रवीण नारायण चौधरी अक्सर लोक आपस मे बहस करैत देखाएत अछि जे राज्यक विभाजन सँ नीक वर्तमान राज्य मे विकासक विकल्प पर काज हो। एहेन जबाब बेसीकाल उपदेशक वर्गक लोक जे राज्यक अर्थो तक सही हिसाब सँ नहि बुझैत अछि ओकरा विभाजनक नाम सुनिते मानू माथ मे आगि लागि जाएत हो! भारत पैघ राज्यक विभाजन आ परिणामः बिहार, यूपी आ मध्यप्रदेशक केस

साँझक चौपाड़िपर मैथिली साहित्यिक कार्यक्रम जनकपुरमे

राम सोगारथ यादव, जनकपुर। दिसम्बर ७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! “हमरा सभक प्रेरणा, मातृभाषाक जगेरणा” मूल नाराक संग कतारक मारुभुमिमे संचालित ‘साँझक चौपाडिपर’ काव्य संध्याक सौजन्यमे अगहन २० गते जनकपुर धामक भुतनाथ मंदिरक प्राङ्गनमे मैथिली काव्य गोष्ठी सम्पन्न भेल । कार्यक्रमक मुख्य अतिथिक रूपमे हेल्लो मिथिला रेडियो कार्यक्रमक सञ्चालक तथा मैथिली भाषा-साहित्यक क्षेत्र मे अनगिनती योगदान साँझक चौपाड़िपर मैथिली साहित्यिक कार्यक्रम जनकपुरमे

सीताजी केर विदाई पर गीतकार शिव कुमार झा ‘टिल्लू’

उदासी ! ( विवाह पंचमी विशेष ) – शिव कुमार झा टिल्लू   शुचिताके’ धीया हम्मर सीता मैथिली हरिप्रीता ! आहे मैथिली हरिप्रीता हम्मर नलिनी हरिप्रीता नवरचना त्याग धर्मके’ गीता … !   कानूने’ माय सुनयना वैदेही रीतिके’ अयना सरयूतट चलली परम पुनीता …..!   आगाँ आगाँ हरि चरणम मिथिला अवधक नवसंगम नोरित भूमिजाके’ सगरो सीताजी केर विदाई पर गीतकार शिव कुमार झा ‘टिल्लू’

मैथिल समाज नेपाल बुटवल केर १०म वार्षिकोत्सव २४ दिसम्बर

बुटवल, दिसम्बर ७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही बुटवल केर वार्षिकोत्सव आगामी दिसम्बर २४ तारीख केँ आयोजित होयबाक जनतब संस्थाक अध्यक्ष प्राध्यापक मुखीलाल चौधरी करौलनि अछि। एहि वर्षक आयोजन १०म वार्षिकोत्सव होयत आर एकर सफलता लेल विभिन्न उपसमिति गठन कैल गेल अछि जाहि मे स्वागत उपसमिति (संयोजकः अनिता झा), निमन्त्रण कार्ड वितरण उपसमिति (संयोजकः जगतनारायण मण्डल), मञ्च व्यवस्थापन मैथिल समाज नेपाल बुटवल केर १०म वार्षिकोत्सव २४ दिसम्बर

हम मैथिल छी, मिथिला मे जन्म हेतु धन्य छी

मिथिला मे जन्म पेबाक यथार्थ महत्वः मैथिल पहिचानक सार्थकता —————————————————————— – प्रवीण नारायण चौधरी   क्षिति, जल, पावक, गगन, समीरा – यैह पाँच तत्त्व सँ मनुष्यक निर्माण होएछ।   मिथिला मे ई ५ तत्त्व अत्यन्त शुद्ध मानल गेल अछि।   उत्तरे-दछिने हिमालय आ गंगाक बीचक भाग आ पूबे-पच्छिमे कोसी आ गंडक केर बीचक भाग थीक हम मैथिल छी, मिथिला मे जन्म हेतु धन्य छी