सीताजी केर विदाई पर गीतकार शिव कुमार झा ‘टिल्लू’

shiv kumar jhaउदासी ! ( विवाह पंचमी विशेष )

– शिव कुमार झा टिल्लू

 

शुचिताके’ धीया हम्मर सीता

मैथिली हरिप्रीता !

आहे मैथिली हरिप्रीता हम्मर नलिनी हरिप्रीता

नवरचना त्याग धर्मके’ गीता … !

 

कानूने’ माय सुनयना वैदेही रीतिके’ अयना

सरयूतट चलली परम पुनीता …..!

 

आगाँ आगाँ हरि चरणम

मिथिला अवधक नवसंगम

नोरित भूमिजाके’ सगरो मीता ….!

 

मिथिकुलके’ बेटी भवानी

राकससँ मुक्तिके’ कामिनी

आब कोना नारी हेती पतिता……. ?

 

नैहर के’ मान बढ़ेती

आशाके’ गान सुनेती

केहेन अभव्या हम्मर सीता ……..!

 

रहू बेटी अचल सुहागिन

भेलहुँ अवधक बहुआसिन

जगमाता ध्यान जनकके’ सीता ….!