Search

बुलबुल – मैथिली कथा संग्रह पर परिचर्चा गोष्ठी जनकपुर मे

जनकपुर, दिसम्बर ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

चर्चित युवा कथाकार सुजीत कुमार झा केर नव पोथी बुलबुलपर परिचर्चा

bulbul-paricharchaमैथिली भाषामे लिखल कथा संग्रह बुलबुलपर परिचर्चा कार्यक्रम जनकपुरमे एक समारोह बीच सम्पन्न भेल अछि । स्थानीय आनन्द होटेलमे आयोजित एहि परिचर्चा समारोहमे वक्तासभ मैथिली पुस्तक प्रकाशन बढेबाक जरुरत पर जोर देलन्हि । ओ सभ कहलन्हि व्यवसायिक रुपसँ प्रकाशन संस्था नहि भेलाक कारण जाहि रुपमे मैथिलीक पुस्तकसभ आबए चाही से नहि आबि रहल अछि ।

पत्रकार सुजीत कुमार झाद्वारा लिखल कथा संग्रह बुलबुल विमोचनक एक महीना भीतर जाहि रुपमे चर्चा पौलक अछि नव लेखक सभक लेल प्रेरणाक काज करत हुनका सभक कहब छलन्हि । ओ सभ बुलबुलक कथासभ समाजक वास्ते आइना समान होयबाक बात सेहो कहलनि।

प्रमुख अतिथिक आसनसँ बजैत मैथिलीक बरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल कथा लेखनमे जाहि गतिसँ सुजीत बढि रहल छथि मैथिलीक लेल एकटा सुखद सन्देश दऽ रहल उल्लेख कएलन्हि । लेखकसभकेँ निरन्तर लेखन दिस प्रेरणाक काज करत से विश्वास व्यक्त कएलन्हि । ओे कथा संग्रह बुलबुलकेँ गुलाब फूल संग तुलना करैत मिथिलाक समस्यासभ उठाबएमे सफल भेल दाबी कएलन्हि ।

तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक वरिष्ठ नेता एवं सांसद डा. विजय कुमार सिंह मैथिली साहित्यकेर सहज आ पठनीय बनाबए मे मैथिली साहित्यक अगुवासभसँ आग्रह कएलन्हि । मैथिली साहित्य केँ लोक पढए चाहैत अछि मुदा एखनो पढएमे लोककेँ दिक्कत भऽ रहल सत्यकेँ बुझबाक आवश्यकता पर सरोकारवालाक ध्यानाकर्षण करबैत आगू ईहो कहलन्हि जे विद्यालयसभमे कोना मैथिलीक निरन्तर पढाई होइ ताहि दिशामे उचित डेग बढेबाक आवश्यक्ता अछि । ओ मिथिलाक्षर लिपीकेर विकासपर सेहो जोर देलन्हि ।

समारोहमे बरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवती रमण लाल सुजीतक कथासभक बहुत बडका प्रशंसकमे सँ एक स्वयं हेबाक धारणा संग हिनकर किछु कथा उर्दुक प्रख्यात कथाकार मन्टोकेर स्मरण करा दैत छथि ओ कहलैन । मैथिली लेखकसभक कमीकेँ मात्र उजागर केनाय आर लेखकक मनोबल नहि बढेबाक परिपाटी पूरे गलत संस्कार थीक – एहि विन्दुपर ओ अपन चिन्ता व्यक्त कएलन्हि आ आम अनुरोध जे आगामी समय मे एहि गलत संस्कार सँ मैथिली भाषा-साहित्य केँ बचेबाक कार्य सेहो कैल जाय ।

नेपाल संगीत तथा नाट्य कला प्रतिष्ठानक प्राज्ञ रमेश रञ्जन झा मैथिलीक पाठककेर संख्या बढाएब मैथिली लेखकसभक लेल चुनौती रहल उल्लेख कएलन्हि । सांस्कृतिविद डा. भोगेन्द्र झा जाहि गतिमे सुजीतक पुस्तक प्रकाशन भऽ रहल अछि मिथिलाञ्चलमे भूकम्प आनि देने अछि कहलन्हि । ओ उपन्यास लेखन दिस सेहो सक्रिय होबए कथाकारसँ आग्रह कएलन्हि । प्राध्यापक डा. सुरेन्द्र लाभ कथाकार सुजीतकेर कथाक कारखानाक उपमा दैत कहलन्हि बुलबुलमे सरल भाषा कथाक आकार उपयुक्त, महिला अधिकारक वकालत, सामाजिक विडम्बनापर चोट आ सन्देशमूलक रहबाक धारणा रखलैन ।

आफन्त नेपालक उपाध्यक्ष प्रदीप यादवक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल एहि परिचर्चा कार्यक्रममे बरिष्ठ पत्रकार बिएम खनाल, समाजसेवी अमरचन्द्र अनिल, सेभ हिस्टोरिकल जनकपुरक अध्यक्ष रामअशिष यादव, नेपाली कांग्रेसक युवा नेता धीरेन्द्र मोहन झा, नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष अनिल मिश्र, गौ संरक्षण मञ्चक केन्द्रिय अध्यक्ष जगदीश महासेठ, जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक महासचिव जितेन्द्र प्रसाद साह, मैथिली विकास कोषक सदस्य सचिव एवं पत्रकार श्यामसुन्दर शशि, नेपाल भारत मैत्री संघक अध्यक्ष उमेश प्रसाद सिंह, पत्रकार जयन्त ठाकुर सहितक वक्तासभ सेहो परिचर्चाक विषय पर अपन भावना रखलनि । बुलबुलमे कुल १३ गोट कथा शामिल कएल गेल अछि जे पत्रकार-कथाकार सुजीत कुमार झा केर नवीनतम रचना थीक । 

 

Related Articles