Search

मैथिलीक शेक्सपियर महेन्द्र मलंगिया व मलंगिया फाउन्डेशनक नाम गिनीज विश्व रेकर्ड मे दर्ज

505 भ्यूज

नई दिल्ली, २७ अप्रैल २०२६ । मैथिली जिन्दाबाद !!

गाँधी दर्शन, राजघाट, नई दिल्ली मे मलंगिया फाउन्डेशन एवं गाँधी स्मृति दर्शन समितिक संयुक्त आयोजन मे चलि रहल ५-दिवसीय ‘मलंगिया महोत्सव’ मे काल्हि २६ अप्रैल २०२६ केँ गिनीज वर्ल्ड रेकर्ड केर भारतीय प्रतिनिधि मिलिन्द ऋषि नाथ एवं भारतीय जनता पार्टीक वरिष्ठ नेतृत्वकर्ता विजय गोयल द्वारा मैथिली भाषाक शेक्सपियर कहेनिहार महेन्द्र मलंगिया एवं मलंगिया फाउन्डेशन केँ विश्व रेकर्ड बनेबाक प्रमाणपत्र हस्तान्तरित कयल गेल अछि । एहि अवसर पर जारी प्रमाणपत्र मे वर्णित शब्दावलि निम्न अनुरूपक अछिः

“Guiness World Records Certificate: The largest script writing lesson was achieved by Mahendra Malangia and Malangia Foundation (both India) in Delhi, India on 26 April 2026.”

“गिनीज विश्व रेकर्ड प्रमाणपत्रः सब सँ दीर्घ पटकथा लेखनक प्रशिक्षण श्री महेन्द्र मलंगिया एवं मलंगिया फाउन्डेशन (दुनू भारत) द्वारा दिल्ली मे २६ अप्रैल २०२६ केँ हासिल कयल गेल ।”

विदित हो जे महेन्द्र मलंगिया सुप्रसिद्ध नाटककार होयबाक संगहि मैथिली भाषा-साहित्यक क्षेत्र मे अनेकों महत्वपूर्ण शोध ग्रन्थ सेहो लिखने छथि । हुनक ५ दशकक साहित्य सेवा यात्रा केँ एहि वर्ष ५ दिवसीय आयोजन रूप मे “मलंगिया महोत्सव” केर चारिम बेरुक आयोजन नई दिल्ली मे कयल जा रहल अछि । एहि आयोजनक मूल मे श्री मलंगियाक सुपुत्र ऋषि कुमार झा मलंगियाक विशद् अनुभव, संयोजन व सोच सन्निहित अछि ।

मलंगिया महोत्सवक पूर्वहु केर आयोजन सब मे मैथिली नाटक प्रदर्शनक संग विभिन्न विद्वत् विमर्श एवं प्रदर्शनात्मक प्रतिस्पर्धा सब करैत आबि रहल अछि । मलंगिया फाउन्डेशन एक उच्चस्तरीय इवेन्ट आर्गेनाइजर समूह रूप मे भारतक राजधानी संगहि देशक आनहु-आनहु भाग मे राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय स्तरक आयोजन सब करैत आबि रहल अछि ।

२४ अप्रैल २०२६ सँ आरम्भ मलंगिया महोत्सव २८ अप्रैल २०२६ धरि चलत । एहि विशिष्ट आयोजन मे स्वयं महेन्द्र मलंगियाक लिखल कुल ३५ गोट नाटकक मंचन भारत व नेपालक विभिन्न रंगकर्मी समूह द्वारा मंचन भ’ रहल अछि । संगहि भारतक कुल २२ गोट मान्यता प्राप्त राष्ट्रीय भाषाक विद्वान् लोकनिक उपस्थिति, रंगकर्मी कलाकार, लेखक, नाटककार, निर्देशक एवं मैथिली भाषा-साहित्यक अनेकानेक लेखक-साहित्यकार, प्रोफेसर, प्रस्तोता आदि समेत कुल ६००० लोकक उपस्थिति, देश भरिक विभिन्न नाट्य प्रशिक्षण संस्थानक प्रशिक्षु लोकनिक सहभागिता – एकर सफलतम् सम्पादन सभक अवलोकन करैत गिनीज वर्ल्ड रेकर्ड केर भारतीय प्रतिनिधि लोकनिक समूह द्वारा निर्णयोपरान्त ‘गिनीज वर्ल्ड रेकर्ड’ श्री मलंगिया व प्रस्तोता संस्थान ‘मलंगिया फाउन्डेशन’ केँ प्रदान कयल गेल अछि ।

एहि प्रमाणपत्रक हस्तान्तरण कयनिहार भारतीय जनता पार्टीक दिल्ली राज्यक प्रतिनिधित्व करनिहार वरिष्ठ नेता विजय गोयल सेहो रहथि । हुनक सोशल मीडिया पोस्ट मार्फत जे उद्गार प्रकट भेल अछि से अत्यन्त ध्येय अछिः

“Today I was elated to witness 390 writers working together to create the longest script in the presence of eminent Maithili author and Sahitya Akademi awardee Mahendra Malangia at Gandhi Darshan, Rajghat at the ongoing 5-day Malangia Mohatsav and securing their name at the Guinness World Records. I joined Milind Rishi Nath of Guinness World Records to hand over the certificate to Sahitya Akademy Awardee Mahendra Malangia for this extraordinary achievement. Heartiest congratulations to them.”

“आइ हमरा ई देखिकय बड प्रसन्नता भेल जे राजघाट पर गाँधी दर्शन मे चलि रहल ५ दिनक मलंगिया महोत्सव मे जानल-मानल मैथिली लेखक व साहित्य अकादमी अवार्डी महेन्द्र मलंगियाक मौजूदगी मे ३९० गोट लेखक लोकनि मिलिकय सबसँ लम्बा स्क्रिप्ट (पटकथा) बनौलनि आर गिनीज वर्ल्ड रिकॉर्ड्स मे अपन नाम दर्ज करौलनि । हम गिनीज वर्ल्ड रिकॉर्ड्स केर मिलिन्द ऋषि नाथ केर संग साहित्य अकादमी अवार्डी महेन्द्र मलंगिया केँ एहि असाधारण उपलब्धिक वास्ते प्रमाणपत्र देबाक लेल गेलहुँ । हृदय सँ बधाई !!”

ई आह्लाद मात्र विजय गोयल केर नहि, अपितु मैथिली सहित समस्त साहित्य जगत – अन्तर्राष्ट्रीय जगत समेत मे विश्व रेकर्ड बनबाक आ से मैथिली नाटककार केँ भेटबाक बातक आह्लादकारी प्रसन्नताक अनुभूति कयल गेल अछि । सामाजिक संजाल मे बधाई सन्देशक ताँता लागल अछि ।

एहि उपलब्धि पर स्वयं मलंगियाजीक आह्लादकारी प्रतिक्रियाक कतेको रास वीडियो सब सौंसे सामाजिक संजाल मे वायरल भ’ रहल अछि । ऋषि मलंगिया – निस्सन्देह एकटा सफल सुपुत्र रूप मे सर्जक पिता महेन्द्र मलंगिया लेल श्रेष्ठतम् कृति ठाढ़ कयलनि । हुनकर एहि सपना केँ पूरा करबाक वास्ते कतेको रास रंगकर्मी समूह – डा. प्रकाश झा (मैलोरंग), रमेश रंजन झा (मिनाप), श्यामसुन्दर शशि, सुनील कुमार मल्लिक, राम भजन कामत, किशोर चौधरी (अरिपन, पटना), किशोर केशव (पटना), कमल मोहन चुन्नू, अजित आजाद, अरविन्द ठाकुर, कमलानन्द झा विभूति, डा. देवशंकर नवीन, सियाराम झा सरस, कथाकार अशोक, महेन्द्र नारायण राम, प्रीतम निषाद, आदि अनेकों नामी-हसामी चेहरा सब अपन-अपन उपस्थिति व प्रस्तुति दय रहल छथि ।

भारतक लगभग सब प्रमुख समाचार मे एहि खबरि केँ बड़ा रोचकता सँ उल्लेख कयल गेल अछि, कयल जा रहल अछि । ट्रिब्यून न्यूज सर्विस मे अंशिता मेहराक लिखल खबरि केर शीर्षक अछि “मलंगिया महोत्सव ने राजघाट पर सबसे बड़े स्क्रिप्ट लेसन का रिकॉर्ड बनाया – गांधी दर्शन, राजघाट में चल रहा मलंगिया महोत्सव रिकॉर्ड बुक में दर्ज हो गया है, मलंगिया फ़ाउंडेशन ने सबसे बड़ा स्क्रिप्ट लेसन आयोजित करने का गिनीज़ वर्ल्ड रिकॉर्ड हासिल किया है, जो भारत के थिएटर लैंडस्केप में एक बड़ा मील का पत्थर है।

मैथिलीभाषी समाज लेल एहि सँ विशेष गर्वक बात दोसर किछु भइए नहि सकैछ ! मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हार्दिक बधाई ज्ञापित !!

Related Articles