साँझक चौपाड़िपर मैथिली साहित्यिक कार्यक्रम जनकपुरमे

राम सोगारथ यादव, जनकपुर। दिसम्बर ७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

sanjhak-chaupari-par-janakpur“हमरा सभक प्रेरणा, मातृभाषाक जगेरणा” मूल नाराक संग कतारक मारुभुमिमे संचालित ‘साँझक चौपाडिपर’ काव्य संध्याक सौजन्यमे अगहन २० गते जनकपुर धामक भुतनाथ मंदिरक प्राङ्गनमे मैथिली काव्य गोष्ठी सम्पन्न भेल ।

कार्यक्रमक मुख्य अतिथिक रूपमे हेल्लो मिथिला रेडियो कार्यक्रमक सञ्चालक तथा मैथिली भाषा-साहित्यक क्षेत्र मे अनगिनती योगदान कएनिहार आ युवा सर्जक सभक प्रेरणादायक धीरेन्द्र प्रेमर्षी एहि मे उपस्थित छलाह । अहि कार्यक्रमक संयोजक कवि अब्दुर रज्जाक, राम सोगारथ यादव, प्रणव कान्त झा छलाह ।

कार्यक्रम सुरुवातक पहिल चरणमे सहभागी कवि लोकनि अपन परिचय देलनि । दोसर चरणमे कतारसँ बहरायल ‘परदेसी आखर’ केर अंक-२ पर चर्चा भेल । तहिना कार्यक्रमक तेसर चरणमे गायक राजेश यादव अपन मधुर स्वरमे स्वागत गीत गा सभगोटेक स्वागत केलनि । मनिष कर्ण, मनिष राय, दिनेश यादव, प्रणव कान्त झा द्वारा अपन-अपन कविताक मधुर वाचन कैल गेल ।

कवि राम सोगारथ यादव द्वारा “हे युवा उठु” शीर्षक कविताक वाचन उपस्थित युवा तथा स्रोता सभकेँ मन जितने छल । तहिना कवि अब्दुर रज्जाक समसामयिक राजनीतिसँ जुडल कता आ श्रृंगारिक गजल सुना सभगोटे केँ मंत्रमुग्ध कय देने छलाह । संगहि गीतकार अर्जुन झा अपन रचल गीत गा एकटा नव सर्जककेर परिचय करौलनि । तहिना मैथिली साहित्यसँ अति लगाव रखनिहार श्रोता सभमेसँ कतारक साँझक चौपाडिक सहयात्री राम उदगारजी केर उपस्थिति देख समुचा सर्जक सभकेँ मनोबल बढल छल तँ आरो विशेष श्रोता सभमेसँ कृष्ण ठाकुर, नारायण यादव केर उपस्तिथि छल । समग्रमे कहल जाय त ई कार्यक्रम जय जय रहल आर एकटा स्वर्णमयी भविष्य केर संकेत केलक जे मिथिलाक प्राचीन राजधानी जनकपुर केर धरा पर मैथिली साहित्य मे युवा सबकेँ जोड़ैत रहत ।

प्रमुख अतिथि धीरेन्द्र प्रेमर्षि द्वारा सब युवा सर्जक केँ लेखनी मे धार कोना आनल जाय आर केहेन विषय सब पर लिखल जाय ताहिपर गुरुमंत्र देल गेल । ओ आयोजक सभक प्रशंसा करैत अपन रोजी-रोटीक संग भाषा-साहित्य केर सेवा प्रति लगन होयब मिथिलाक चौजुगी जीबित रहबा मे सहयोग कय रहल अछि से कहि सभक उत्साहवर्धन केलनि।