पैघ राज्यक विभाजन आ परिणामः बिहार, यूपी आ मध्यप्रदेशक केस

मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक पहिल रचनाः मैथिली कविता संग्रह 'प्राण हमर मिथिला' जुन मे आओत

विचार मंथन

– प्रवीण नारायण चौधरी

मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक पहिल रचनाः मैथिली कविता संग्रह 'प्राण हमर मिथिला' जुन मे आओत
मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक पहिल रचनाः मैथिली कविता संग्रह ‘प्राण हमर मिथिला’

अक्सर लोक आपस मे बहस करैत देखाएत अछि जे राज्यक विभाजन सँ नीक वर्तमान राज्य मे विकासक विकल्प पर काज हो। एहेन जबाब बेसीकाल उपदेशक वर्गक लोक जे राज्यक अर्थो तक सही हिसाब सँ नहि बुझैत अछि ओकरा विभाजनक नाम सुनिते मानू माथ मे आगि लागि जाएत हो!

भारत मे राज्यक विभाजनक पैघ इतिहास रहलैक अछि। एतेक तक जे भारत सरकार द्वारा स्वयं नव राज्यक मांग आ तेकर संभावना पर बहुत गहिंर काज सब कैल जा रहल छैक। लेकिन राज्यक मांग कएनिहार केँ विभाजन सँ चिढ माननिहार बीच आपस मे द्वंद्वक माहौल कोनो सभा आदि मे स्पष्ट देखल जाएत छैक।

मैथिली जिन्दाबाद निरंतर प्रयास करैत रहल अछि जे राज्यक स्थापना पर पाठक केँ सही आ समुचित जानकारी देल जाय। राज्य निर्माण सँ पहिचानक विशिष्टता, भाषा, साहित्य, संस्कार आ भूगोल-विशेष केर सब तरहक विकास केर बात त छहिये, मुदा छोट राज्य रहला सँ ओतय शासन-प्रशासन सेहो चुस्त-दुरुस्त होएत छैक, शिक्षा व्यवस्था सुचारू ढंग सँ चलैत छैक, साक्षरता बढैत छैक, सामरिक पूर्वाधार आदिक विकास होएत छैक आर सरकारक ध्यान जनाकांक्षा व सरोकारक विषय पर समुचित ढंग सँ पहुँचैत ओकर समाधान ताकल जाएत छैक। राज्य आर केन्द्र बीच अपन कोष केर रख-रखाव आ जनताक हितपोषण लेल विशेष पैकेज आ बजेट आदिक घोषणा सेहो कैल जाएछ।

एतय एकटा नीक शोध आलेख केर अनुवाद राखि रहल छी जाहि मे पैघ राज्यक विभाजनक परिणाम पर प्रकाश देल गेल अछि। लेखन संचित मंगल निर्णय मे छोट आ पैघ केर मुद्दा केँ नकारैत छथि मुदा हिनका द्वारा राखल गेल विषय-वस्तु आ आधारविन्दुक गहिंर अध्ययन सँ ज्ञात होयत जे आखिरकार नवगठित राज्यक सम्बन्ध मे हमर-अहाँक सोच सही अछि आ कि गलत। एतय बिहार, उत्तर प्रदेश आ मध्य प्रदेश तीन राज्यक विभाजन २००० ई. मे करैत ३ नव-राज्य गठन केर उदाहरण राखल गेल अछि। जरुर पढी आ अपन प्रतिक्रिया पठाबी। मैथिली संग एकर मूल अंग्रेजी सेहो राखल गेल अछि।

पैघ राज्य केर विभाजन केर गुण-दोष कि अछि?

 
विज्ञ संचित मंगल केर जबाब निम्न अछिः
 
बारह साल पहिने तीन मेगा-स्टेट्स (विशाल राज्य) एक्के तरहक विभाजन देखलक । उत्तर प्रदेश, बिहार और मध्य प्रदेश केर विभाजन कय केँ उत्तराखंड, झारखंड और छत्तीसगढ़ बनाओल गेल छल ।
 
सकल राज्य घरेलू उत्पाद (GSDP) केर वार्षिक वृद्धि जे कि कोनो राज्यक अर्थ व्यवस्था मे सुधारक माप करबाक उपाय होएछ, ओ संकेत करैत अछि जे बिहार झारखंड सँ बेसी नीक कय रहल अछि; तहिना मध्य प्रदेश आ छत्तीसगढ सेहो बेहतरी केर बाट पर अग्रसर अछि आर नाइन टाक उत्तराखंड अपन मूल राज्य यूपी सँ बहुत बेसी आगू अछि ।
 
ई सब राज्य मोटामोटी कृषिपर निर्भर अछि, ताहि सँ मानसून केर अनियमितताक चलते भारी उतार चढ़ाव देखल जाएछ । लेकिन झारखंड में खनन पर तनाव एकरा बहुत आगू प्रेरित नहि बढा सकल अछि । पहाड़ी राज्य उत्तराखंड अपन मैदानी क्षेत्र मे तेजी सँ औद्योगिकीकरण करबाक कारण बहुत आगू बढ़ि चुकल अछि । एतय बेसी समय धरि नहि टिकयवला पर्यटन उद्योग आ पनबिजली सँ सेहो नीक फसल प्राप्त करैत पैछला ८ वर्ष मे १६% केर अभूतपूर्व वार्षिक विकास दर प्राप्त कैल गेल अछि ।
 
लेकिन झारखंड खाद्यान्न उत्पादन मे बिहार सँ बहुत आगू बढि चुकल अछि, २००१-०२ आ २०११-१२ केर समयावधि मे बिहार केर निकृष्ट वार्षिक वृद्धि दर २% मात्र रहल जखन कि झारखंड मे १०% केर वार्षिक वृद्धि दर देखल गेल अछि। निष्पक्षता सँ, बिहार केँ बाढि आ सुखाड़ सनक बहुते रास बाधा सब सँ निबटय पड़लैक अछि तहिना झारखंड अत्यल्प आधार सँ शुरू कय रहल छल ।
 
मध्यप्रदेश सेहो अपन बेटी-राज्य छत्तीसगढ सँ दोब्बर खाद्यान्न उत्पादन वृद्धि मे सफल भेल । अविश्वसनीय रूप सँ, उत्तर प्रदेश और एकर छोट वंशज उत्तराखंड दुनु ठाम एक्के दर यानि 1% सँ खाद्यान्न उत्पादन भेल । तैँ फेरो, परिणामक एकटा मिश्रित पेटी देखाएछ ।
 
जनताक प्रति राज्य सरकारक ध्यान केर बारे मे कि कहब? छोट राज्य सँ बेसी नीक सामाजिक परिणाम आबि सकल त? फेर सँ कोनो स्पष्ट जवाब नहि भेटैत अछि ।
 
एहि राज्य सब मे शिशु मृत्यु दर (आइएमआर – IMR – Infant Mortality Rate) मे पैछला दशक मे पैघ गिरावट आयल अछि । जतय छत्तीसगढ़ और झारखंड मे ३१ अंक केर कमी आयल ततय मध्यप्रदेश मे २९ अंक केर कमी देखायल । तहिना यूपी केर आइएमआर मे २३ अंक केर गिरावट अबितो ई एखनहु ६० अंक केर ऊंचाई पर अछिये । हालांकि ई सब राज्य मे कमी होएबाक दिशा मे अभिसरण (झुकाव) दिश उन्मुख अछि मुदा पैघ राज्य मे छोट राज्यक अपेक्षा गति धीमा अछि ।
 
दुनू (पैघ आ छोट राज्य) केर दृष्टि मे सरकारी निष्क्रियता गहरेला सँ सामाजिक पूर्वाग्रह बढि गेल अछि, शिशु लिंग अनुपात के लेल चाहे छोट या बड़ सबटा छहो राज्य मे गिरावट जारी अछि । चिन्ताक बात तऽ ई जे बेटा हेबाक इच्छा (प्राथमिकता) आर कन्या शिशु हत्या झारखंड तथा छत्तीसगढ़ केर आदिवासी समुदाय मे सेहो आबि गेल अछि जे कि हाल धरि बालिकाक खिलाफ भेदभावपूर्ण नहि लगैत छल ।
 
साक्षरताक दर यूपी आ बिहार मे काफी ऊपर पहुँचि गेल अछि, तहिना बेटी राज्य झारखंड मे सेहो। मध्यप्रदेश-छत्तीसगढ मे बस कनेमने वृद्धि साक्षरता दिश पैछला एक दशक मे देखाएत अछि ।
 
दुइ पैघ राज्य बिहार और यूपी तऽ विद्यालयक बुनियादी ढाँचा ठाढ करबाक क्षेत्र मे काफी पाछाँ छूटल देखाएत अछि – एतय १००० बच्चा पर बामोस्किल ६ या ७ टा प्राथमिक विद्यालय उपलब्ध छैक । बेटी राज्य झारखंड आ उत्तराखंड मे ई क्रमशः १३ आ १७ केर संख्या मे उपलब्ध छैक । मध्यप्रदेश-छत्तीसगढ़ केर जोड़ी लगभग एकसमान छैक । शिक्षातंत्र मे दोसर महत्वपूर्ण कड़ी – शिक्षक केर संख्या – पैघ राज्य सब त एहि मामिला मे अत्यन्त पिछड़ल (फिसड्डी) अछि । एहि तीनू बड़का राज्य मे शिष्य-शिक्षक केर अनुपात अपन बच्चा राज्यक तूलना मे काफी पैघ अन्तर पर छैक ।
 
हालांकि ई सबटा राज्य अपन पुरान रोग बेरोजगारी सँ त्रस्त अछिये, केंद्र सरकार केर रोजगार गारंटी योजना (Mahatma Gandhi National Rural Employment Guarantee Act – MGNREGA) केर कार्यान्वयन सँ दुइ छोट राज्य छत्तीसगढ एवं उत्तराखंड अपन माता-राज्य (मूल राज्य) केर तूलना मे बेसी नीक कय रहल अछि । मुदा बिहार मे रोजगार उपलब्ध करेबाक औसत दिन बेटी-राज्य झारखंड सँ बेसी अछि ।
 
तखन, कोनो राज्य केर प्रदर्शन ओकर आकार केर अलावे राजनैतिक इच्छाशक्ति और अपन सरकार केर अभिविन्यास द्वारा निर्धारित होएछ ।
 
 
Twelve years ago, three mega-states had seen a similar division. Uttar Pradesh, Bihar and Madhya Pradesh were split and Uttarakhand, Jharkhand and Chhattisgarh created.
 
Annual growth of the gross state domestic product (GSDP), which is a measure of the way the state’s economy is faring, indicates that Bihar is doing better than Jharkhand, MP and Chhatisgarh are doing the same and tiny Uttarakhand is way ahead of ‘mother’ state UP.
 
All these states largely depend on agriculture – hence the vagaries of monsoon cause huge ups and downs. But the stress on mining in Jharkhand hasn’t propelled it much further. The hill state of Uttarakhand has surged ahead because of rapid industrialization in its plains areas. It has also reaped the rather unsustainable harvest of tourism and hydel power to notch up a phenomenal annual growth rate of 16% in the last eight years.
 
But Jharkhand races way ahead of Bihar in foodgrain production, clocking an annual growth of 10% even as Bihar languished at a measly 2% between 2001-02 and 2011-12. To be fair, Bihar faced many more challenges, like droughts and floods, and Jharkhand was starting from a very low base.
 
MP too had double the growth in food grain production than its daughter state Chhattisgarh. Incredibly, Uttar Pradesh and its tiny offspring Uttarakhand both had the same 1% growth in foodgrain output. So again, a mixed bag of results.
 
What about state governments’ attention towards the people? Have smaller states had better social outcomes? Again we found no clear answer.
 
The infant mortality rate (IMR) in these states has declined across the board over the past decade. Chhattisgarh and Jharkhand showed a 31-point decrease while MP showed a 29-point dip. UP’s IMR declined by 23 points but it was still high at 60. All states were converging, although the larger states more slowly than the smaller ones.
 
Reflecting both, government inaction as also deeply entrenched social prejudices, child sex ratio continued to decline in all six states whether small or big. Worryingly , son preference and female infanticide seem to be creeping into tribal communities in Jharkhand and Chhattisgarh too, which were hitherto not so discriminatory against the girl child.
 
Literacy rates have jumped up in two big states – UP and Bihar – but also in the daughter state of Jharkhand. The MP-Chhatisgarh duo has seen only a small increase in literacy in the past decade.
 
 
 
The two big states of Bihar and UP are severely lagging in school infrastructure – they have just 6 and 7 primary school sections per 1,000 children. Compare that to their daughter states – Jharkhand has 13 and Uttarakhand 17. The MP-Chhatisgarh duo is fairly even on this count. On the other crucial link in the education system – teachers – the bigger states are clear laggards. All three bigger states have higher upil teacher ratios than their smaller progeny.
 
Although all these states suffer from chronic unemployment , the implementation of the central government’s job guarantee scheme (MGNREGA) is doing better in the two smaller states of Chhattisgarh and Uttarakhand , compared to their ‘mother’ states. But in Bihar, the average days of employment given is more than its ‘daughter’ Jharkhand.
 
So, the performance of a state is not so much determined by its size as by the political will and orientation of its government.