रियाध (सउदी अरब), दिसम्बर १५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला एकता समाज – सउदी अरब केर अध्यक्ष सुनील गुप्ता जानकारी करबैत कहलैन अछि जे संस्था द्वारा गरीब-असहायक सहाय बनबाक सिद्धान्त अनुरूप हालहि नेपालक मिथिलाक्षेत्रक सिरहा जिला जिलाक कर्जन्हा वार्ड नंबर ४ केर इन्दर पासमान केर अबोध बालक जे ब्लड कैन्सर सनक खतरनाक रोगक संक्रमण मे इलाजरत अछि तेकरा वास्ते देल गेल अछि।
गुप्ता कहलैन अछि जे मानव आ मानवताक रक्षा लेल सेवा सर्वोत्तम धर्म होएछ। मिथिला एकता समाज सउदी अरब द्वारा जिल्ला सिरहा कर्जन्हा ४ केर इन्दर पासमान केर बेटा ब्लड क्यानसर सँ पीडित अबोध बालक सुरेन्द्र पासमान केर उपचार वास्ते नेपाली टका ७१,०००/- (एकहत्तर हजार) केर आर्थिक सहयोग प्रदान कैल गेल अछि। ई आर्थिक सहयोगक रकम समाजक उपाध्यक्ष जनकपुर निवासी सुनील साह पीडित परिवार केर घर पहुँचिकय प्रशासन आ समाजक लोकक सामने मे हस्तान्तरण कएलनि अछि। अध्यक्ष गुप्ता अपन मातृभूमि मिथिला प्रति संपूर्ण निष्ठाक संग सेवारत रहबाक वचन दैत एहि सहयोग केर जुटेबाक महत्वपूर्ण कार्य मे योगदान देनिहार सम्पूर्ण सहयोगी मित्र सब केँ हृदय सँ धन्यवाद सेहो ज्ञापन केलनि अछि।