मैथिल समाज नेपाल बुटवल केर १०म वार्षिकोत्सव २४ दिसम्बर

बुटवल, दिसम्बर ७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

maithil-samaj-nepal4मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही बुटवल केर वार्षिकोत्सव आगामी दिसम्बर २४ तारीख केँ आयोजित होयबाक जनतब संस्थाक अध्यक्ष प्राध्यापक मुखीलाल चौधरी करौलनि अछि। एहि वर्षक आयोजन १०म वार्षिकोत्सव होयत आर एकर सफलता लेल विभिन्न उपसमिति गठन कैल गेल अछि जाहि मे स्वागत उपसमिति (संयोजकः अनिता झा), निमन्त्रण कार्ड वितरण उपसमिति
(संयोजकः जगतनारायण मण्डल), मञ्च व्यवस्थापन उपसमिति (संयोजकः बिजयकुमार झा), जलपान व्यवस्थापन उपसमिति (संयोजकः प्रवीणकुमार झा), साँस्कृतिक कार्यक्रम व्यवस्थापन उपसमिति (संयोजकः लुना झा) बनायल गेल अछि।

अध्यक्ष चौधरी कहलनि जे युगल जोड़ी आजीवन सदस्यता सम्मान जे श्रीमान आ श्रीमती दुनु गोटे एहि समाजक आजीवन सदस्य बनल छथि हुनका सभ कें ई
सम्मान सँ सम्मानित कएल जाएत । अखन धरि २१ टा युगल जोड़ी श्रीमान/ श्रीमती आजीवन सदस्य बनल छथि ।

तहिना संस्था द्वारा पूर्वहि केर वर्ष जेकाँ अहु बेर २०७३ सालक SLC परीक्षा में सर्वाधिक अंक प्राप्त कएनिहारि/कएनिहार एकटा मैथिल बचिया आर एकटा मैथिल बच्चा केँ, जे तीन जिल्ला नवलपरासी, रुपन्देही आओर कपिलबस्तु सँ SLC उत्तीर्ण कयने छथि, तिनका सबकेँ “स्व• नवीनकुमार सिंह स्मृति पुरस्कार” सँ सम्मानित कएल जायत । एहि पुरस्कार में जनही रू• ३१००/-( तीन हजार एक
सय ), सम्मान-पत्र आओर ट्रफी प्रदान कएल जायत ।

विदित अछि जे मैथिल समाज रुपन्देही बुटवल मैथिल समाजक हित-कल्याणक संग समग्र सामाजिक हितकारी योजना पर सेहो अपन योगदान करैत आबि रहल अछि, ताहि अन्तर्गत एहि बेर बुटवल उपमहानगर पालिका-१३, देवीनगर स्थित
नेपाल अपाङ्ग तथा अनाथाश्रम कें रू•१०,०००/- बराबर केर छड़ (लोहा रड) प्रदान कएल जायत ।

संस्था द्वारा “स्व• नवीणकुमार सिंह स्मृति पुरस्कार” संस्थापक एवं समाजक आजीनव सदस्य उदयकुमार सिंह केँ सम्मान करैत देल जेतनि। समाजक आय-व्ययक हिसाब-किताब केँ पारदर्शी रखबाक हेतु कराएल गेल आन्तरिक लेखा
परीक्षणक परीक्षक द्वय रामउदगार यादव तथा मनोजकुमार मण्डल केँ “स्नेहक प्रतीक” प्रदान कएल जायत । आजीवन सदस्य लोकनि केँ पहिले जेकाँ समारोहपूर्वक सदस्यता प्रमाण-पत्र वितरण कएल जायत । अध्यक्ष चौधरी मैथिली जिन्दाबाद केँ ई सब जनतब करौलनि अछि।

मिथिला आ मैथिलीक हेतु विशिष्ट योगदान कएनिहारि/कएनिहार अभियानी सभ केँ मानार्थ सदस्य प्रदान करबाक महत्वपूर्ण कार्य सेहो कैल जायत जाहि मे क ) श्री मिथिलेशकुमार झा, ख ) श्री धीरेन्द्र प्रेमर्षि, ग ) श्री परमेश्वर कापडि, घ ) श्रीमती रूपा झा, ङ ) श्रीमती मीना ठाकुर, च ) श्री युक्ति मरिक, छ ) श्री रामेश्वर ठाकुर केर नाम शामिल अछि।

संस्था द्वारा सेड निर्माण करेबाक काज पूरा करबाक लेल एकटा समिति बनल अछि आर एहि मे तत्काल करीब १० लाख टकाक आर्थिक-भौतिक सहयोग प्राप्त भेल अछि। अध्यक्ष चौधरी जानकारी देलनि।