Search

प्रवीण नारायण चौधरी

मैथिली महायात्राक दोसर चरण फरबरी ६-७ काशी सँ शुरु होयत

सूचनाः मैथिली महायात्रा दोसर चरणक आरम्भ ६ तथा ७ फरबरी, २०१६ काशी (बनारस) सँ होयत   काशी मे मिथिलाक ऐतिहासिकताक गहिंराइ केँ नपबाक कूब्बत हमरा मे नहि अछि। परञ्च ‘मैथिली महायात्रा दोसर चरण’ केर आरम्भ हम करय जा रहल छी काशी सँ आ बुझबाक प्रयत्न करब ओहि समस्त बात केँ। एकबेर फेर ‘मिथिलादेश’ केर ओहि मैथिली महायात्राक दोसर चरण फरबरी ६-७ काशी सँ शुरु होयत

मणिकांत झा केर भक्ति रचना ‘शिवमणि’ आ ‘दुर्गामणि’क लोकार्पण भेल

दरभंगा, ३१ जनवरी, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली भाषा स्रष्टा कवि-लेखक तथा आकाशवाणी दरभंगाक संवाददाता तथा उद्घोषक मणिकांत झा केर ‘मणि’ श्रृंखला मे आरो एकटा नव ‘मणि’ जुड़ि गेल अछि। विंध्यवासिनी प्रोडक्शन केर ऑडियो सीडी दुर्गामणि तथा शिवमणि केर लोकार्पण ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे विदेशी भाषा संस्थान केर निदेशक डा. प्रेम मोहन मिश्र द्वारा रवि दिन मणिकांत झा केर भक्ति रचना ‘शिवमणि’ आ ‘दुर्गामणि’क लोकार्पण भेल

मैथिली कथाः प्लेग

मैथिली कथाः प्लेग – कर्ण संजय सुगना मुसहरकेँ दश दिनसँ लागल जड़–बोखार उतरबाक नामे नहि ल’ रहल छै । आब तऽ मूँह पेट सेहो चलए लागलैए । ओकर माए–बाप गंंगिया आ पल्टनमा जतेक जानै ततेक ओझा-धामीकेँ देखौलक मुदा बेमारी एक दिशि आ पथ्य–पानि एक दिशि । आइ पल्टना बडका गहबरसँ परोपट्टाक सबसँ पैघ भगताकेँ अनलक अछि मैथिली कथाः प्लेग

मैथिली लेखन-पठन-वाचन कार्यशालाः संचारकर्मी लेल विराटनगर मे

विराटनगर, नेपाल। जनबरी ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली सेवा समिति – विराटनगर द्वारा काल्हि महेन्द्र मोरंग आदर्श बहुमुखी कैम्पस मे मैथिलीभाषाक संचारकर्मी केन्द्रित एकटा महत्वपूर्ण कार्यशालाक संचालन कैल गेल छल जाहि मे मैथिली मे कोना लिखब, कोना पढब आ कोना बाजब एहि विषय पर विज्ञ-विशेषज्ञ द्वारा प्रशिक्षु संचारकर्मी सब केँ मूल्यवान् सुझाव आ तकनीकी सब मैथिली लेखन-पठन-वाचन कार्यशालाः संचारकर्मी लेल विराटनगर मे

विभेदमुक्त महिला जनजागरण अभियान विराटनगर मे

विराटनगर, जनबरी ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! अप्पन विराट गढ द्वारा आयोजित विभेदमुक्त महिला जनजागरण अभियान केर एक कार्यक्रम विराटनगर केर हिमालय सिनेमाक आगाँ मे मुख्य सड़क पर मंच स्थापित कय आम जनमानस समक्ष आयोजन कैल गेल। एहि आयोजन केर अध्यक्षता वसुन्धरा झा केलनि तथा मुख्य अतिथि समाजसेवी सीता यादव छलीह। संगहि विभा कर्ण, वन्दना चौधरी, विभेदमुक्त महिला जनजागरण अभियान विराटनगर मे

मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली केर कार्यकारिणी समितिक गठन

दिल्ली, ३० जनबरी, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम), दिल्ली केर कार्यकारिणी गठन कयल गेल अछि। मैसाम द्वारा जारी कयल गेल विज्ञप्तिक मोताबिक, वर्ष 2016 – 18 हेतु 14 सदस्यीय कार्यकारिणी केर गठन कयल गेल अछि। सुपरिचित मैथिल अभियानी श्री अमर नाथ झा केँ मैसामक अध्यक्ष बनाओल गेल अछि ओत्तहि, उपाध्‍यक्ष पद श्रीमती सविता मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली केर कार्यकारिणी समितिक गठन

विभाजन सकारात्मक कि नकारात्मकः दिल्ली अभियानक परिप्रेक्ष्य

दिल्ली मे हरकम्पः मिथिलाक प्रसिद्ध उचक्का टोली फेर सक्रिय   किछुए दिन पूर्व मुम्बई सँ दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय अध्यक्ष एकटा महत्वपूर्ण विचारक संग समाचार पठौने छलाह मुम्बई सँ – ओतय समाजक सब वर्ग आ समूहक आपसी समन्वय सँ कैल जायत महत्वपूर्ण कार्य आर सब कियो एक-दोसर केर कार्य-योजना मे अपन भरपूर सहयोग देता से संकल्प विभाजन सकारात्मक कि नकारात्मकः दिल्ली अभियानक परिप्रेक्ष्य

छठम साँझक चौपारि पर – दोहा मे मुख्य अतिथि धीरेन्द्र प्रेमर्षि

बिन्देश्वर ठाकुर, दोहा, कतार। जनबरी ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! “मातृभाषाक जगेर्णा हमरासबहक प्रेरणा” मूल नाराक संग पैछला ६ मास सँ निरन्तर रुपमे आयोजना होइत आबि रहल मैथिली काव्यक बैसार अन्तर्गत केर कार्यक्रम, ‘साँझक चौपारि पर’ केर छठम मासक बैसार काल्हि २९ जनबरी शुक्र दिन ३९ बलदिया कैम्प सनैया – दोहा (कतार) मे संपन्न भेल अछि।  जहिना छठम छठम साँझक चौपारि पर – दोहा मे मुख्य अतिथि धीरेन्द्र प्रेमर्षि

समाचार केर प्रभाव सँ शहीदक परिवार केँ भेटय लागल आर्थिक सहयोग

कान्तिपुर पत्रकार अबधेशकुमार झा केर चौतर्फा प्रशंसा आ समाचारक प्रभावक चर्चा – विशेष संस्मरण वर्तमान युग मे मिडिया द्वारा प्रसारित समाचार केर कतेक पैघ सार्थक प्रभाव होएत छैक एकर एकटा विलक्षण उदाहरण सोझाँ आयल अछि। हालहि मोरंग केर रंगेली मे घटल दुर्भाग्यपूर्ण आन्दोलनी तथा पूलिस बल केर झड़प मे शहीद भेल तीन जनक परिवार मध्य समाचार केर प्रभाव सँ शहीदक परिवार केँ भेटय लागल आर्थिक सहयोग

‘गंग नहौन’ मैथिली कविता संग्रह लेल निशाकर केँ नव हस्ताक्षर सम्मान

मधुबनी, फरबरी २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समिति मधुबनी द्वारा बेगूसराय केर मैथिली कवि निशाकर केर पहिल मैथिली कविता संग्रह ‘गंग नहौन’ लेल नव हस्ताक्षर सम्मान देल जायत। ई जानकारी संस्थाक तरफ सँ आधिकारिक तौर पर करायल गेल अछि। हिनका संस्था द्वारा नगद पुरस्कार स्वरूप ५००१ टाका देबाक निर्णय लेल गेल अछि। आगामी ‘गंग नहौन’ मैथिली कविता संग्रह लेल निशाकर केँ नव हस्ताक्षर सम्मान