दरभंगा, ३१ जनवरी, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली भाषा स्रष्टा कवि-लेखक तथा आकाशवाणी दरभंगाक संवाददाता तथा उद्घोषक मणिकांत झा केर ‘मणि’ श्रृंखला मे आरो एकटा नव ‘मणि’ जुड़ि गेल अछि। विंध्यवासिनी प्रोडक्शन केर ऑडियो सीडी दुर्गामणि तथा शिवमणि केर लोकार्पण ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे विदेशी भाषा संस्थान केर निदेशक डा. प्रेम मोहन मिश्र द्वारा रवि दिन दरभंगा केर राज परिसर स्थित माधवेश्वर मंदिर प्रांगण मे आयोजित समारोह मे कैल गेल ।
आकाशवाणी संवाददाता तथा मैथिली केर चर्चित गीतकार मणिकांत झा द्वारा लिखल मैथिली भक्ति गीत केर ई दुनु एलबम मे मैथिली मंच केर प्रख्यात गायक दीपक कुमार झा तथा श्वेता कुमारी अपन स्वर सँ सजौलनि अछि । हीरा कुमार झा द्वारा प्रस्तुत एहि सीडी मे सरस्वती वंदना, गणेश वंदना, भगवती गीत, शिव नचारी, हनुमान भजन सहित कुल १७ टा भावपूर्ण भजन समाहित कैल गेल अछि ।
संगीत निर्देशन केलनि अछि अजय कुमार सुमन आर संगत कलाकार छथि गौरी कांत झा, पप्पू मिश्र, बालेश्वर राम, अर्जुन कुमार झा तथा अशोक कमार झा ।
सीडी केर लोकार्पण करैत डा मिश्र कहलनि जे बहुत दिनक बाद एहेन भक्ति गीत केर सीडी बाजार मे आयल अछि जाहि मे मैथिलीक पारंपरिक गीतक सुगंध तऽ भेटिते अछि, संगहि एहिमे आधुनिकता केँ सेहो नीक समायोजन कैल गेल अछि । ओ एहि गीत सबकेँ दीर्घ काल धरि जीवित रहबाक बात सेहो क़हलनि।
कार्यक्रम मे पत्रकार विनोद कुमार, समाजसेवी विनोद कुमार झा, मुक्तिनाथ चौधरी, संतोष कुमार झा सहित कतेको रास लोक सब संबोधित केने छलाह । एहि अवसर पर एहि एल्बम मे अपन आवाज देनिहार गायक लोकनि दीपक कुमार झा तथा श्वेता कुमारी द्वारा ओहि गीत सबहक सजीव गायन प्रस्तुत करैत उपस्थित जनमानस केँ मन केँ मोहित कय लेलनि । गीतकार मणिकांत झा कहलैन जे जल्दिये बाजार मे सेहो ई भक्ति एल्बम केर सीडी उपलब्ध होयत।