बिन्देश्वर ठाकुर, दोहा, कतार। जनबरी ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
“मातृभाषाक जगेर्णा हमरासबहक प्रेरणा” मूल नाराक संग पैछला ६ मास सँ निरन्तर रुपमे आयोजना होइत आबि रहल मैथिली काव्यक बैसार अन्तर्गत केर कार्यक्रम, ‘साँझक चौपारि पर’ केर छठम मासक बैसार काल्हि २९ जनबरी शुक्र दिन ३९ बलदिया कैम्प सनैया – दोहा (कतार) मे संपन्न भेल अछि।
जहिना छठम मासक छठम आयोजन – तहिना एकर विशेषता जगज्जननी सियाक विशेष कृपा सँ भेल। मैथिली आ मिथिलाक सुप्रसिद्ध प्रणेता – स्रष्टा – साहित्यकार आ हेल्लो मिथिला सँ देश-विदेश सर्वत्र अलख जगौनिहार धीरेन्द्र प्रेमर्षि स्वयं एहि कार्यक्रम केर मुख्य अतिथि छलाह।
आयोजन समिति व संयोजनकर्ता सब केओ अपन आदर्श आ प्रेरणाक स्रोत मार्गदर्शक केँ एना सदेह उपस्थिति पाबि धन-धन्य छलाह।
कार्यक्रममे कतारक मैथिल सर्जकसब द्वारा आदरणीय श्री प्रेमर्षि जी केँ दोसल्ला ओढा’ सम्मान सेहो कएल गेल । संगे चीर स्मरण लेल सप्रेम किछु मायाक प्रतीक रूप भेंट-उपहार सेहो देल गेल । विस्तार सँ खबैर बाद मे पठेबाक बात कहि सब केओ एहि आयोजन विशेष केर आनन्द कार्यक्रमक समापन भेलाक बादो लैत रहलाह।