Search

मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली केर कार्यकारिणी समितिक गठन

दिल्ली, ३० जनबरी, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

msm1मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम), दिल्ली केर कार्यकारिणी गठन कयल गेल अछि। मैसाम द्वारा जारी कयल गेल विज्ञप्तिक मोताबिक, वर्ष 2016 – 18 हेतु 14 सदस्यीय कार्यकारिणी केर गठन कयल गेल अछि।
सुपरिचित मैथिल अभियानी श्री अमर नाथ झा केँ मैसामक अध्यक्ष बनाओल गेल अछि ओत्तहि, उपाध्‍यक्ष पद श्रीमती सविता झा खान, श्री हेमंत कुमार झा, श्री विजय कुमार झा एवं श्री अक्षय कुमार चौधरी केँ सौंपल गेल अछि। श्री संजीव कुमार सिन्हा केँ महासचिव आ श्री हितेंद्र कुमार गुप्ता, श्री संतोष सिंह राठौड़, श्री विनीत कुमार उत्पल एवं श्री कंत शरण केँ सचिवक दायित्व प्रदान कयल गेल अछि।
श्री अमित कुमार चौधरी केँ कोषाध्‍यक्ष, श्रीमती रंजना झा सह कोषाध्‍यक्ष, श्री विमलजी मिश्र कार्यालय सचिव एवं श्री श्रीचंद कामत सह कार्यालय सचिव बनाओल गेलाह अछि।
विदित हो जे गत वर्ष अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस पर 21 फरवरी कय नई दिल्ली मे मैथिली साहित्य महासभाक गठन कयल गेल छल, जेकर उद्देश्य अछि मैथिली पोथीक प्रकाशन, सम्मान अर्पण ओ विचार-गोष्ठीक माध्यम सॅ मैथिली साहित्यक प्रति अभिरुचि उत्पन्न करैत मैथिलक बीच सामूहिक चेतना जागृत करनाई।
मैथिली जिन्दाबाद केँ ई जानकारी प्रेस विज्ञप्ति मार्फत महासचिव संजीव कुमार सिन्हा पठौलनि अछि। आगामी २१ फरबरी २०१६ केँ पहिल वार्षिकोत्सव सह अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस कान्स्टीच्युशन क्लब मे मनेबाक निर्णयक जानकारी सेहो ओ करौलनि अछि।

Related Articles