समाचार केर प्रभाव सँ शहीदक परिवार केँ भेटय लागल आर्थिक सहयोग

कान्तिपुर पत्रकार अबधेशकुमार झा केर चौतर्फा प्रशंसा आ समाचारक प्रभावक चर्चा

– विशेष संस्मरण

sahyog 1वर्तमान युग मे मिडिया द्वारा प्रसारित समाचार केर कतेक पैघ सार्थक प्रभाव होएत छैक एकर एकटा विलक्षण उदाहरण सोझाँ आयल अछि। हालहि मोरंग केर रंगेली मे घटल दुर्भाग्यपूर्ण आन्दोलनी तथा पूलिस बल केर झड़प मे शहीद भेल तीन जनक परिवार मध्य दुइ जन केर परिवारक विपन्नता – आश्रितजनक समस्या – खासकय शहीद केर अबोध संतान सभक भविष्यक अनिश्चितता पर लिखल गेल समाचार सँ संवेदनशील मानव समाज तथा सहयोगी हाथ सब मानवीय सहयोगक संग ओहि विपन्न-असहाय परिवार धरि सहयोगक संग हाथ बढाबय आबि रहल अछि।

shahid sahayogकान्तिपुर दैनिक केर मोरंग – विराटनगर संवाददाता अवधेशकुमार झा द्वारा घटनाक बाद तीन मे सँ दुइ शहीदक परिवारक अवस्था अत्यन्त नाजुक मोड़ मे फँसि जेबाक आर ओकर धिया-पुताक भविष्य अंधकार मे डूबि जेबाक समाचार कान्तिपुर दैनिक मे प्रकाशित कैल गेल छल। एहि समाचारक सकारात्मक असर एहेन भेल अछि जे काठमांडु सँ मानवीय सहयोग संग दुनु परिवार लेल आर्थिक सहयोग तथा धिया-पुताक लेल कपड़ा आदि सहित हस्तान्तरण करबाक लेल सुन्दरमणि दीक्षित व हुनक संस्था काठमांडु सँ रंगेली आबिकय सहयोग कएलनि अछि। एहि विषय मे कान्तिपुर मे फेर सँ समाचार प्रकाशित कैल गेल अछि। संगहि मैथिली जिन्दाबाद संग अबधेशकुमार जी बात करैत समाचारक सकारात्मकता पर अपन विचार रखलैन अछि।

shahid sahayog1मोरंगक रंगेली मे गत माघ ७ गते प्रहरीक गोली लागि मृत्यु भेल तीन मध्य अति विपन्न दुइ परिवारकेँ सहयोग जुटबाक क्रम शुरु भऽ चुकल अछि। नगद, खाद्यान्न आर बालबालिका सब केँ शिक्षाक लेल सहयोग जुटय लागल अछि।
कान्तिपुर दैनिक तथा द काठमाण्डौ पोष्ट मे मृतकक परिवारक अनिश्चितता कहैत समाचार प्रकाशित भेलाक बाद काठमाण्डौ स्थित साई समाजसेवा निधी द्वारा बुध दिन रंगेली मे कार्यक्रम आयोजन करैत मृतकद्वय महादेव ऋषिदेव आर शिबु माझीक परिवार केँ नगद आर लता-कपड़ा प्रदान करबाक छैक। उक्त संस्था केर अध्यक्ष डा. सुन्दरमणि दीक्षित द्वारा ऋषिदेव परिवार केँ नगद डेढलाख आर माझी परिवार केँ नगद एक लाख रुपैया सहयोग स्वरुप प्रदान केलनि। तहिना दुनु परिवारक बच्चा केँ वास्ते किछु रास गरम कपड़ा समेत हुनका लोकनि हस्तान्तरण केलनि।