मैथिली महायात्राक दोसर चरण फरबरी ६-७ काशी सँ शुरु होयत

सूचनाः मैथिली महायात्रा दोसर चरणक आरम्भ ६ तथा ७ फरबरी, २०१६ काशी (बनारस) सँ होयत
 
kashi1काशी मे मिथिलाक ऐतिहासिकताक गहिंराइ केँ नपबाक कूब्बत हमरा मे नहि अछि। परञ्च ‘मैथिली महायात्रा दोसर चरण’ केर आरम्भ हम करय जा रहल छी काशी सँ आ बुझबाक प्रयत्न करब ओहि समस्त बात केँ। एकबेर फेर ‘मिथिलादेश’ केर ओहि प्रमाणिकता केँ राष्ट्रीय व अन्तर्राष्ट्रीय जगत केर मैथिल जनमानसक सोझाँ रखबाक प्रयास करब बाकायदा शिलालेख व शोधपत्र मे उल्लेखित महत्वपूर्ण बात सब सँ। आनब साक्षात्कार शंकराचार्य व करपात्रीजी महाराज केर आश्रम सँ, संगहि मिथिलाक योगदान सँ निर्मित ओहि चौजुगी संस्था पर राखब एकटा संछिप्त शोधपत्र। आरो अछि बहुत रास मनकामना काशी केर मैथिली महायात्रा सँ…. उम्मीद अछि जे एहि दोसर चरण केर उद्घाटन पर अपने लोकनि सेहो संग रहब। कारण ई यात्रा केर भले संयोजनकर्ताक रूप मे अगुआ योजना बनेनिहार प्रवीण थीक, मुदा बिना अहाँ सब गोटाक प्रोत्साहन आ संङोर कोनो उपलब्धिमूलक कार्य होयबाक संभावना नहि अछि। जनिते छी जे मैथिल समाज मे कतेक अन्तर्विभाजन छैक। ताहि ठाम जँ पूर्ण सम्बल संग हम सब नहि पहुँचब तऽ लोक केँ एकर सारगर्विताक भान तक नहि हेतैक। तखन एहनो कमजोर हम सब नहि छी जे परजीवी बनब। स्वयंसेवा व स्वसंरक्षण सँ समस्त सम्वर्धन-प्रवर्धनक कार्य करैत आबि रहल छी, करैत रहब। आशा नहि पूर्ण विश्वास अछि जे स्वयं जानकीक संग राघव एहि मे संग रहता कारण काशी मे हमरा लोकनिक खास बाबा विश्वनाथ स्वयं अन्नपूर्णा सहित विराजमान् छथि। कार्यक्रमक विस्तृत प्रारूप पर काल्हि आयोजन समितिक बैसार कैल जायत, तदोपरान्त पूर्ण व्योरा संग जानकारी देब। हाल समस्त सहयोगी सरोकारवाला केँ हम एहि पोस्ट मे टैग करैत “मैथिली महायात्रा” केर एहि दोसर चरणक आरम्भ आगामी ६ तथा ७ फरबरी केँ होयबाक जानकारी करा रहल छी। चरण दुइ मे कार्यशैली शोध पर आधारित होयत, कार्यक्रम आयोजनक प्रारूप मोट मे पूर्ववत् रहत।
 
यात्री – प्रवीण नारायण चौधरी
मैथिली महायात्रा – दोसर चरण २०१६.
 
हरिः हरः!!