Search

प्रवीण नारायण चौधरी

बिना रिलीज भेने मिथिला मखान केँ राष्ट्रीय सम्मान कोनाः पढू कारण

मुम्बई, सितम्बर २२, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! पहिल मैथिली आ बिहारहु केर प्रथम फिल्म ‘मिथिला मखान’ केँ राष्ट्रीय पुरस्कार सँ सम्मानित कैल जेबाक विदिते अछि। हालहि मैथिली जिन्दाबाद पर निर्देशक नितिन चन्द्रा केर एकटा साक्षात्कार प्रकाशित कैल गेल छल जाहि मे शीर्षक छल जे मिथिला मखान फिल्म शीघ्रे भारत आ नेपाल दुनु ठाम रिलीज कैल जायत। बिना रिलीज भेने मिथिला मखान केँ राष्ट्रीय सम्मान कोनाः पढू कारण

आचार्य रमानाथ झा केर १११म जयन्ती मनाओल गेल

उजान, दरभंगा। सितम्बर २२, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि २१ सितम्बर, २०१६ बुध दिन धर्मपुर – उजान मे किरण साहित्य शोध संस्थान द्वारा आचार्य रमानाथ झा केर १११म जयन्ती दिवस पर साहित्यिक गोष्ठीक आयोजन संग मनाओल गेल अछि। मिथिलाक सुप्रसिद्ध विद्वान् पं. किशोरनाथ झा केर अध्यक्षता मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे वरिष्ठ साहित्यकार – लेखक – आचार्य रमानाथ झा केर १११म जयन्ती मनाओल गेल

मिथिलाक बेटी संजू केँ राष्ट्रसंघ केर एन-पिस सम्मान दियाउ

विराटनगर, सितम्बर २१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! विभिन्न सामाजिक संजाल व व्हाट्सअप मार्फत मिथिलाक बेटी संजू केँ एन-पिस सम्मान दियेबाक लेल वोटिंग करबाक अनुरोध कैल जा रहल अछि। एहि क्रम मे संजू साह मैथिली जिन्दाबाद संग बातचीत करैत जानकारी देलनि अछि जे विश्व मे मिथिलाक बेटीक सम्मान लेल हमरा समस्त मिथिलावासीक सहयोग भेटत से उम्मीद संग मिथिलाक बेटी संजू केँ राष्ट्रसंघ केर एन-पिस सम्मान दियाउ

मुसहर समुदायक छात्र लेल दीनाभद्री छात्रवृत्ति कोषक स्थापना

जनकपुर, सितम्बर २१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! भोर नामक गैर-सरकारी संस्थाक संचालक राज कुमार महतो जानकारी देलनि अछि जे मुसहर समुदायक पिछड़ापण मे अशिक्षा केँ मुख्य कारण मानि हुनक संस्था द्वारा एहि जाति-समुदायक छात्र सब केँ छात्रवृत्ति देबाक योजना चलाओल जा रहल अछि।   अषाढ १८, २०७३ केर दिन जनकपुरधाममे पूर्व राष्ट्रपति डा. रामबरण यादव द्वारा मुसहर समुदायक छात्र लेल दीनाभद्री छात्रवृत्ति कोषक स्थापना

मुम्बई मे थय-थयः सुच्चा मैथिल द्वारा विश्वकर्मा पूजनोत्सव

मुम्बई, सितम्बर २१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! सुच्चा मैथिल द्वारा विश्वकर्मा पूजा के उपलक्ष्य में मुफ्त स्वास्थ्य जाँच शिविर एवं स्वेच्छादान दिनांक १७ सितम्बर २०१६ केँ मुम्बई केर नालासोपाराक सन्तोसभुवन में “सुच्चा मैथिल” संस्था द्वारा शिल्पकार भगवान विश्वकर्मा केर तृतिय पूजनोत्सव धूमधाम सँ मनाओल गेल अछि। एहि अवसर पर फ्री हेल्थ चेकअप कैंप सेहो लगाओल गेल जाहि मुम्बई मे थय-थयः सुच्चा मैथिल द्वारा विश्वकर्मा पूजनोत्सव

मधुबनीक बिट्ठो मे संपन्न भेल साहित्यिकीक २७३मा गोष्ठी

बिट्ठो, मधुबनी। सितम्बर २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मात्र ७ जन साहित्यसेवी युवा सर्जक द्वारा १९९४ ई. मे स्थापित ‘साहित्यिकी’ केर २७३मा बैसार यैह रवि १८ सितम्बर बिट्ठो गाम मे संपन्न भेल जाहि मे करीब ३ दर्जन मैथिली कवि – कथाकार – साहित्यसेवी – अभियानी लोकनिक सहभागिता रहल। साहित्यिकी केर अध्यक्ष डा. विद्यानाथ झा केर आवास मधुबनीक बिट्ठो मे संपन्न भेल साहित्यिकीक २७३मा गोष्ठी

शिल्प गुरु आ नेशनल अवार्ड लेल मधुबनी सँ ९ कलाकार नामित

नुनु झा मैथिल, रसीदपुर। सितम्बर २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मधुबनीक नौ कलाकार राष्ट्रीय स्तर केर शिल्प गुरु व नेशनल अवार्ड केर अंतिम दौर मे शामिल भेला । अही शिल्पिकार सभक नामक  सूची राज्य स्तरीय चयन समिति द्वारा हस्तशिल्प मंत्रालय भारत सरकार लग पठा देल गेल अछि । दुनु अवार्ड के लेल देश भरिक विभिन्न विद्या मे शिल्प गुरु आ नेशनल अवार्ड लेल मधुबनी सँ ९ कलाकार नामित

वर-वधू सम्मेलनक सफलता लेल मिथिलानी सभ आगाँ एली

धर्मेन्द्र कुमार झा, मुम्बई। सितम्बर २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! कांदिवली (मुम्बई), दिनांक १८/०९/२०१६ केँ महिला विकास संस्था द्वारा आयोजित चिंतन शिविर में मैथिल वर वधु सम्मलेन, जे आगामी २३ अक्टूबर २०१६ केँ होयत ताहि विषय में अंतिम प्रारूप व तैयारी हेतु गंभीर विमर्श भेल। आयोजक मैथिल समन्वय समितिक उपरोक्त आयोजन हेतु समाजक विभिन्न प्रबुद्ध मैथिल लोकैन वर-वधू सम्मेलनक सफलता लेल मिथिलानी सभ आगाँ एली

समूचा मिथिला शोकाकूलः बस पानि मे डूबल, ५० सँ बेसीक मृत्यु

ब्रजेश मिश्र, कोर्थू। सितम्बर २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! दरभंगा-सीतामढ़ी मुख्यमार्गमे बसैठ चौक सऽ पश्चिम सुंदरपुर टोल लऽग भीषण बस दूर्घटना. 50 गोट सऽ बेसी यात्रीके मरबाक संभावना. साईकिल सवारकेँ बचएबाक क्रममे अनियंत्रित भऽ बस सड़क सऽ सौ फीट नीचा पानि सऽ भरल पोखरिमे खसल. दुइ गोट बच्चा सहित कुल छह गोट यात्री हेलि कऽ बचौलनि समूचा मिथिला शोकाकूलः बस पानि मे डूबल, ५० सँ बेसीक मृत्यु

मिथिला मरइ-जियइ तै सँ कि…. मोदीजीक हिसाब धरि हमहीं जोड़ब

विचारः नेशन फर्स्ट – मैथिलक मनोदशाक एक चित्रण – प्रवीण नारायण चौधरी  हम ई खूब नीक सँ बुझैत छी जे मिथिलावासी केर बौद्धिक सामर्थ्य आर कोनो संस्कार सँ या आवोहवा-सभ्यता सँ बहुत बेसी अछि। एहि सामर्थ्य मे जे अपन क्षमताक सदुपयोग करैत अछि ओ त जीवन सफल करैत अछि, मुदा दुर्भाग्यवश वर्तमान बौद्धिकताक स्तर ओहि मिथिला मरइ-जियइ तै सँ कि…. मोदीजीक हिसाब धरि हमहीं जोड़ब