शिल्प गुरु आ नेशनल अवार्ड लेल मधुबनी सँ ९ कलाकार नामित

नुनु झा मैथिल, रसीदपुर। सितम्बर २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithila-painting-news-nunu-jeeमधुबनीक नौ कलाकार राष्ट्रीय स्तर केर शिल्प गुरु व नेशनल अवार्ड केर अंतिम दौर मे शामिल भेला । अही शिल्पिकार सभक नामक  सूची राज्य स्तरीय चयन समिति द्वारा हस्तशिल्प मंत्रालय भारत सरकार लग पठा देल गेल अछि । दुनु अवार्ड के लेल देश भरिक विभिन्न विद्या मे पारंगत कलाकार केर चयन कैल जायत । सेन्ट्रल कमेटी दुनु अवार्ड केर लेल चयनित व्यक्तिक नामक घोषणा करताह ।

विदित हो जे शिल्प गुरु पेनिहार केँ छः लाख टका एवं नेशनल अवार्ड पाबैयवला केँ डेढ़ लाख टका नगद, प्रशस्ति पत्र व अंग वस्त्र प्रदान कैल जायत । हरेक साल देश भरिक 10 कलाकार केँ शिल्प गुरु आ 20 सिद्धहस्त शिल्पी केँ नेशनल अवार्ड देल जाएत अछि । शिल्प गुरु लेल रसीदपुर गाँव केर मेरिट सर्टिफिकेट होल्डर श्रीमती लीला देवी (  मिथिला पेंटिंग ) एवं लहेरियागंज केर नेशनल अवार्डी श्री शिवन पासवान ( गोदना पेंटिंग ) विद्या केँ राज्य स्तर स चुनल गेल अछि । ओतहि नेशनल अवार्ड केर लेल लहेरियागंज सँ श्रीमती सिता देवी  ( लाह  चुड़ी ), रसीदपुर गाँव केर श्री सतीश चंद्र लाल दास  ( मिथिला पेंटिंग ), लहेरियागंज केर श्री संतोष कुमार  ( मिथिला पेंटिंग ), विजय गाँव केर श्रीमती पूनम देवी  ( मिथिला पेंटिंग ), मधुबनी केर कामनि कौशल ( पेपरमेशी ), गंगापुर केर श्रीमती सुभद्रा देवी  ( सुजनी कला ), आ रसीदपुर गाँव केर हेमा कर्ण जी ( मिथिला पेंटिंग ) शामिल छथि ।

हस्तशिल्प कार्यालय मधुबनी केर विकास आयुक्त श्री कमल नारायण कर्ण कहला जे दुनु अवार्ड वास्ते 35 शिल्पी आवेदन केला । राज्य चयन समिति एहि मे सँ 9 कलाकार केर चयन कय हस्तशिल्प विभाग नई दिल्ली केँ पठा देला, आब ई सब कलाकार आगाँक दौड़ मे शामिल हेताह ।