विराटनगर, सितम्बर २१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
विभिन्न सामाजिक संजाल व व्हाट्सअप मार्फत मिथिलाक बेटी संजू केँ एन-पिस सम्मान दियेबाक लेल वोटिंग करबाक अनुरोध कैल जा रहल अछि। एहि क्रम मे संजू साह मैथिली जिन्दाबाद संग बातचीत करैत जानकारी देलनि अछि जे विश्व मे मिथिलाक बेटीक सम्मान लेल हमरा समस्त मिथिलावासीक सहयोग भेटत से उम्मीद संग एहि न्युजपोर्टल केर पाठक सब सँ वोट करबाक अनुरोध करैत छी। विदित हो जे आब मात्र ९ दिन शेष रहि गेल अछि जाहि मे हुनका लेल हम सब वोट कय सकैत छी।
मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी फेसबुक सँ ई अनुरोध दोहरबैत कहलैन अछि जेः
हेलो मिथिलावासी!
मैथिली जिन्दाबाद!! अभिवादन!!
अपन मिथिला केर एक बुझनुक बुधियैर बेटी संजू कुमारी साह यूएन केर एक एन-पीस अवार्ड्स मे नोमिनी छथि। कृपया हिनका लेल वोट कयकेँ विजयी बनाबी। आर, ई जानकारी सब केँ दी जे ओहो वोट करैथ।
वोट करबाक तरीका छैकः
१. निम्न लिंक पर क्लीक करब त संजू जी केर फोटो देखायत, तेकर नीचाँ मे वोट करबाक लेल क्लीक करू।
लिंकः
http://n-peace.net/candidate/candidate-1087
२. तखन फेर दायाँ भाग मे अपन वोट सब्मिट करबाक अप्शन आयत, ताहि पर क्लीक करबैक त अहाँक अपन विवरण मांगत, जेना नाम, ईमेल, देश इत्यादि। से सब भैर दियौक आ फेर सब्मिट करू अपन वोट।
३. तखन अहाँ केँ ईमेल पर एकटा कन्फर्मेशन लिंक आयत – अपन ईमेल खोलू आ ओहि लिंक पर क्लीक करू। तखन अहाँक वोट बैध आ गणनीय होयत।
एहि तरहें अहाँ मिथिलाक बेटी संजू केँ ई अवार्ड जितेबाक लेल सहयोग करब!
अहाँक सहयोगक प्रतीक्षा मे,
प्रवीण नारायण चौधरी आ मैथिली जिन्दाबाद परिवार
हरिः हरः!!

2 Comments
http://n-peace.net/candidate/candidate-1087
एहि लिंक पर क्लीक करू आ वोट करय जाउ! अन्तिम तिथि ३० सितम्बर धरि मात्र अछि।
हरिः हरः!!
I have excerised my vote in her favour best on your appeal….Convey our best wishes