मुम्बई मे थय-थयः सुच्चा मैथिल द्वारा विश्वकर्मा पूजनोत्सव

मुम्बई, सितम्बर २१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

सुच्चा मैथिल द्वारा विश्वकर्मा पूजा के उपलक्ष्य में मुफ्त स्वास्थ्य जाँच शिविर एवं स्वेच्छादान

suchcha-maithil-new1दिनांक १७ सितम्बर २०१६ केँ मुम्बई केर नालासोपाराक सन्तोसभुवन में “सुच्चा मैथिल” संस्था द्वारा शिल्पकार भगवान विश्वकर्मा केर तृतिय पूजनोत्सव धूमधाम सँ मनाओल गेल अछि। एहि अवसर पर फ्री हेल्थ चेकअप कैंप सेहो लगाओल गेल जाहि मे नीक संख्या में लोक सब मुफ्त में अपन स्वास्थ्य जाँच करौलनि । संगहि सन्ध्याकाल में कलाकार मुरलीधर व हुनक कलासमूह द्वारा “मुरलीधर नाइट” सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत केलनि।

suchcha-maithil-new2बाबा विश्वकर्माक पूजनोत्सव संग सामाजिक-सांस्कृतिक व विभिन्न अन्य सरोकार संग सुच्चा मैथिल मुम्बई आइ कतेको वर्ष सँ आयोजन करैत आबि रहल अछि। एहि बेर मिथिलाक सांस्कृतिक पहिचान केर संरक्षण लेल विभिन्न आयोजनक संग मैथिली-मिथिला अभियानी ललन चौधरी उर्फ़ ललन दरभंगावाला जे किडनीक बीमारी सँ संघर्ष कय रहल छथि तिनकर समुचित इलाज लेल ई कार्यक्रम समर्पित छल । एहि कार्यक्रमक माध्यम सँ मुरलीधर सहित अन्य गायक विनोद गुआर, परमानंद शर्मा, संजय झा तथा लवकिशन व अन्य ललनजी केर किडनी प्रत्यारोपण वास्ते धन जुटेबाक लेल सबकेँ स्वेच्छादान करबाक लेल आग्रह करैत रहलाह। परिणामस्वरूप ललनजीक मदद वास्ते कतेको हाथ बढल आर ओ सब यथासंभव आर्थिक मदद केर घोषणा सेहो केलनि ।

suchcha-maithil-new3वसई-विरार महानगरपालिकाक उपमहापौर उमेश नाइक सेहो कार्यक्रम में आबिकय आयोजन व आयोजनकर्ता सबकेँ उत्साहवर्धन केलनि। ओहो अपन श्रीमुख सँ ललन चौधरीक इलाज मे हरसंभव मदद देबाक घोषणा केलनि, संगहि दर्शक-दीर्घा सँ सेहो एहि पुनीत कार्य मे आगू बढिकय सहयोग करबाक अपील केलनि।

महाराष्ट्र मे बिहारी पर मराठा अस्मिताक तथाकथित उग्र राजनीतिकर्मी कार्यकर्ता सब द्वारा आक्रमण करबाक समाचार गये दिन सुनबा लेल भेटैत अछि, परन्तु सुच्चा मैथिल ओहि संस्था मे गानल जाएछ जे जनक-जानकीक मिथिलाक होयबाक कारणे खुलेआम सभा-समारोह करैत अछि, जाहि मे मराठी जनमानसक सहभागिता सेहो बखूबी देखल जा सकैछ। “सुच्चा मैथिल” मिथिला संस्कृति केर रक्षार्थ बनल एक सामाजिक संगठन थीक जेकरा द्वारा सामाजिक कार्यक संगहि आम जनमानस मे सीता माता केर जन्म स्थली मिथिला केर संस्कृति सँ अवगत कराओल जाएछ ।

suchcha-maithil-new5आयोजक समिति सदस्य राम नरेश शर्माक आदरणीय पिताजी बचकुन शर्मा केँ पैर छूबिकय प्रणाम करैत उप-महापौर नाइक ई सन्देश देलनि जे मिथिलाक जन-जन मे जनक छथि आ ओ प्रणम्य छथि। ई दृश्य उपस्थित विशाल जनसमूह केँ मराठीक आदर प्रति भावुक बना देलक। संगहि उप-महापौर केँ जनकरूपी शर्माजी सेहो भरपूर आशीर्वाद देलनि। हुनका फूल-मालाक गुच्छा सँ आ माथ ठोकिकय आशीर्वाद देलनि।

सुच्चा मैथिल परिवार लेमनचूस खाएत सेल्फी खेलिकय एकजुटता प्रदर्शन करैतः सूत्र
सुच्चा मैथिल परिवार लेमनचूस खाएत सेल्फी खेलिकय एकजुटता प्रदर्शन करैतः सूत्र

संस्था केर सदस्य रामनरेश शर्मा, मदन शर्मा, मिथिलेश शर्मा, राजकुमार विश्वकर्मा,चन्दन शर्मा, प्रकाश कमती, सुशील मंडल, दीपक शर्मा, अशोक साहू, विजय शर्मा, विजय महतो, संतोष शर्मा, लालबाबू शर्मा, दिगम्बर शर्मा सहित सम्पूर्ण सुच्चा मैथिल जनमानस एहि पूजनोत्सव भरपूर उत्साहक संग एकजुटताक प्रदर्शन करैत भविष्य में मानव हितार्थ एहि तरहक करैत रहबाक प्रतिबद्धता दोहरेलनि ।⁠⁠⁠⁠