Search

वर-वधू सम्मेलनक सफलता लेल मिथिलानी सभ आगाँ एली

167 भ्यूज

धर्मेन्द्र कुमार झा, मुम्बई। सितम्बर २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

var-vadhu-parichay-sammelan-mumbai1कांदिवली (मुम्बई), दिनांक १८/०९/२०१६ केँ महिला विकास संस्था द्वारा आयोजित चिंतन शिविर में मैथिल वर वधु सम्मलेन, जे आगामी २३ अक्टूबर २०१६ केँ होयत ताहि विषय में अंतिम प्रारूप व तैयारी हेतु गंभीर विमर्श भेल।

आयोजक मैथिल समन्वय समितिक उपरोक्त आयोजन हेतु समाजक विभिन्न प्रबुद्ध मैथिल लोकैन अपन सहभागिता दैत वर वधु सम्मलेन केँ सफल बनेबाक लेल अप्पन-अप्पन विचार रखलैन। एहि विमर्श सँ पूर्व भारत-पाक सीमा पर शहादत देनिहार वीर सैनिक सबकेँ श्रधांजलि देल गेल छल।

var-vadhu-parichay-sammelan-mumbaiवक्ता लोकनि एहि आयोजन प्रति हर्ष व्यक्त करैत एकर महत्ता आ आवश्यकता पर जोर देलनि। मिथिलाक रीति मुताबिक गीत-संगीत आ कि भोज-भात लेल लोक सहजहि जमा होइत अछि, मुदा मुम्बई में पहिल बेर समाज कल्याणार्थ (वर वधु सम्मलेन) केर आयोजन होमय जा रहल अछि। सब कियो उत्साहपूर्वक एहि विशाल यज्ञ केँ सफल बनेबाक लेल प्रतिबद्धता जाहेर केलनि।

विशेष रूप सँ महिला लोकनिक सहभागिता सेहो एहि तरहक आयोजन लेल वृहत् स्तर पर पहिल बेर देखल जा रहल अछि। कार्यक्रम में डॉ. प्रतिभा झा और श्वेता आर. झा द्वारा वक्तव्य मे दहेज़ पर आधारित काव्य पाठ सेहो कैल गेल।

“महिला विकास संस्था” द्वारा १०१ वर वधूक बायोडाटा सम्मेलनक अगुआ डॉ संदीप झा केँ सुपुर्द कएल गेल अछि। समाज सँ दहेज़रूपी बीमारी केँ मिटेबाक लेल ई वर वधु सम्मलेन एकटा मील केर पाथर साबित होयत ई कहब छलैन्ह दहेज़ मुक्त मिथिलाक अध्यक्ष पंकज झा केर, जे पूरा जोश सँ एहि सम्मेलन केँ सफल बनेबाक लेल कार्यरत छथि। मैथिल समन्वय समिति केर ई मात्र शुरुआत अछि समिति और समाज कल्याणार्थ योजना पर विचार कय रहल अछि जे वर वधु सम्मलेन केर सफलताक रूप मे सभक सोझा आओत।

Related Articles