Search

मुसहर समुदायक छात्र लेल दीनाभद्री छात्रवृत्ति कोषक स्थापना

जनकपुर, सितम्बर २१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mushahar-utthaanभोर नामक गैर-सरकारी संस्थाक संचालक राज कुमार महतो जानकारी देलनि अछि जे मुसहर समुदायक पिछड़ापण मे अशिक्षा केँ मुख्य कारण मानि हुनक संस्था द्वारा एहि जाति-समुदायक छात्र सब केँ छात्रवृत्ति देबाक योजना चलाओल जा रहल अछि।
 
अषाढ १८, २०७३ केर दिन जनकपुरधाममे पूर्व राष्ट्रपति डा. रामबरण यादव द्वारा २०७२ सालक एसएलसी उत्तीर्ण ९२ मुसहर छात्र मे सँ एखन धरि ६१ गोटाक उच्च शिक्षा लेल छात्रवृत्ति उपलब्ध कराओल जा चुकल अछि। एहि छात्र सभक विभिन्न जिल्लाक विभिन्न कलेज सब मे प्रवेश-नामांकन कराओल जा चुकल अछि।
 
महतो कहलैन जे एहि विद्यार्थी सब पर प्रति जन केर हिसाब सँ शिक्षा ग्रहण लेल खर्चा लगभग ३५ हजार टका वार्षिक होएत अछि, एहि मे एडमिशन सँ लैत किताब-कापी आदि सब समाहित होएत अछि। मुसहर समुदाय शिक्षा सँ वंचित रहल अछि, भोर संस्था एहि दिशा मे डेग बढौने अछि आर ५ वर्ष मे ई लक्ष्य हासिल कय लेल जायत जे एहि समुदाय मे कोनो युवा छात्र अशिक्षित नहि रहि जाय। कुल ५१ हजार रुपयाक प्रारम्भिक योगदान भोर द्वारा कैल गेल आर एहि मे पूर्व राष्ट्रपति यादव सहित अन्य समाजसेवी व शिक्षाविद् लोकनिक सामूहिक अपील सँ आम जनमानस द्वारा सेहो कोष मे स्वैच्छिक दान एबाक जानकारी महतो करौलनि अचि। एहि कार्य लेल दीनाभद्री छात्रवृत्ति कोष केर स्थापना कैल गेल अछि।

Related Articles