आचार्य रमानाथ झा केर १११म जयन्ती मनाओल गेल

आचार्य रमानाथ झा केर १११म जन्म जयन्ती मनल उजान मेः पुस्तक विमोचन सेहो भेल

उजान, दरभंगा। सितम्बर २२, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

ujan3काल्हि २१ सितम्बर, २०१६ बुध दिन धर्मपुर – उजान मे किरण साहित्य शोध संस्थान द्वारा आचार्य रमानाथ झा केर १११म जयन्ती दिवस पर साहित्यिक गोष्ठीक आयोजन संग मनाओल गेल अछि।

मिथिलाक सुप्रसिद्ध विद्वान् पं. किशोरनाथ झा केर अध्यक्षता मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे वरिष्ठ साहित्यकार – लेखक – कवि लोकनिक नीक सहभागिता छल। रामजी ठाकुर, सतीरमण झा, भैरवेश्वर झा, यशोदानन्द झा, केदारनाथ झा, गीता नाथ झा, रामप्रीत पासवान, विजय कुमार ठाकुर, मोदनारायण चौधरी, बुचरू पासवान, मलय नाथ मण्डन, अमल कुमार झा, अजित झा, विजय कुमार ठाकुर, ईश नाथ झा, रमा नाथ झा (रमणजी), श्रीकान्त मंडल, मोहित राज, मयंक कुमार झा, कल्पकवि कर्ण, आदिक महत्वपूर्ण उपस्थिति छल।

ujan4कार्यक्रमक आरम्भ राखी कुमारी, श्रिता कुमारी ओ अंजली कुमारी द्वारा मंगलाचरण गाबिकय कैल गेल। समस्त स्रष्टा लोकनि आचार्य रमानाथ झा केर चित्रपर पुष्प अर्पण करैत हुनका स्मृति मे अनलैन। पुनः डा. किशोरनाथ झा, श्रीमती जयन्ती देवी, अजित आजाद एवं प्रो. गीता नाथ झा द्वारा आचार्य केर व्यक्तित्व व कृतित्व पर प्रकाश देल गेल।

एहि अवसरपर डा. रामजी ठाकुर द्वारा लिखल गेल शक्तिविलास काव्यम् पोथीकेर लोकार्पण सेहो कैल गेल। ई लोकार्पण डा. किशोरनाथ झा, डा. रामजी ठाकुर, डा. सदानन्द झा, डा. सतीरमण झा, डा. योगानन्द झा द्वारा संयुक्त रूप मे कैल गेल छल।

तहिना पुस्तक परिचय डा. सतीरमण झा, डा. रामजी ठाकुर, डा. योगानन्द झा एवं डा. सदानन्द झा द्वारा कराओल गेल छल।

विदित हो जे डा. काञ्चीनाथ झा किरण समान महान् पुरुष केर सिद्ध स्थल धर्मपुर उजान हरेक वर्ष मे कतेको रास साहित्यिक आयोजन सँ मैथिली केँ आइयो पुष्ट करैत आबि रहल अछि। सुसंयोग कहि सकैत छी जे धर्मपुर केर चारूकात मैथिलीक फूलबारी पूर्वहि सँ पल्लवित-पुष्पित होएत रहल अछि। एहि क्रम मे काल्हिक ई आयोजन आरो एकटा डेग साबित भेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर रूपमे नित्य निखार आबय यैह शुभकामना अछि।