समूचा मिथिला शोकाकूलः बस पानि मे डूबल, ५० सँ बेसीक मृत्यु

खराब सड़क आ ओवरलोड तथा लापरवाह चालक केर कारण भीषण बस दुर्घटना - बस पोखैर मे डूबल, ५० सँ बेसी मरल

ब्रजेश मिश्र, कोर्थू। सितम्बर २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

bus-durghatna-madhubaniदरभंगा-सीतामढ़ी मुख्यमार्गमे बसैठ चौक सऽ पश्चिम सुंदरपुर टोल लऽग भीषण बस दूर्घटना. 50 गोट सऽ बेसी यात्रीके मरबाक संभावना.

साईकिल सवारकेँ बचएबाक क्रममे अनियंत्रित भऽ बस सड़क सऽ सौ फीट नीचा पानि सऽ भरल पोखरिमे खसल. दुइ गोट बच्चा सहित कुल छह गोट यात्री हेलि कऽ बचौलनि जान, बाकी के डूबि जएबाक आशंका.

घटनास्थल पर करमान लागल लोक कएलक पुलिस प्रशासनकेर जमि कऽ विरोध. डीएम, एसपी, एसडीओ ओ डीएसपी संग भेल दुर्व्यवहार. अनियंत्रित भीड़ कएलक प्रशासन पर रोड़ाबाजी तऽ प्रत्युत्तरमे पुलिस कएलक लाठीचार्ज ओ हवाई फायरिंग.

अनियंत्रित भीड़ एनडीआरएफ टीम पर सेहो फेकलक पाथर. एनडीआरएफ केर गाड़ी सहित कतेको प्रशासनिक गाड़ी, एम्बूलेंस ओ निजी गाड़ी पर सेहो भीड़ फेकलक पाथर.

भीड़क निशाना बनल स्टेट बैंक बसैठ. दिनभरि रहल कर्फ्यू सन दृश्य. आवागमन पूर्णरूपेण रहल बाधित. यात्री सभ दिन भरि रहलाह परेशान.

पुलिस कमिश्नर पांच घंटा बाद दल-बलके संग घटना स्थल पर आबि सम्हारलाह मोर्चा. तखन क्रेन के बलें निकालल गेल डूबल बस तऽ रेस्क्यूमे लागल एसडीआरएफके टीम. ताधरि स्थानीय लोक अपना स्तर सऽ करैत रहलाह बसके बाहर निकालबाक जद्दोजहद.

एखन धरि तीन दर्जन सऽ बेसी मृत लाश निकालल गेल. रेस्क्यू एखनो चलि रहल अछि. हालांकि कतेको मृतकके परिवार बिना पोस्टमार्टमके लऽ गेला लाश. डीएम एखन धरि 32 मौतक कएलनि अछि पुष्टि.

बिहारक मुखिया नीतीश कुमार सभ मृतक परिवारके चारि-चारि लाख देबाक कएलनि घोषणा. घटनास्थल पर बिहारक पंचायती राज मंत्री कपिलदेव कामत ओ स्थानीय विधायक भावना झा आबि लेलनि स्थितिके जायजा. केन्द्र सरकारक प्रतिनिधि ओ स्थानीय सांसद हुकुमदेव नारायण यादव केर नै भेल दर्शन. प्रधानमंत्री मोदी ट्विट कऽ जतौलनि संवेदना.

एम्हर मिथिला राज्य निर्माण सेना व समस्त मैथिली-मिथिला सामाजिक-सांसकृतिक ओ राजनीतिक संस्था एहि दुखद घटना पर शोक प्रकट करैत एकर जिम्मेवार बिहार सरकार केँ बतौलनि अछि। खराब सड़क व अनियंत्रित भीड भैरकय बस आदि संचालन करबाक परिपाटी पर कोनो नियंत्रण नहि रहबाक चलते ई दुर्घटना घटल कहल जा रहल अछि।