Search

प्रवीण नारायण चौधरी

सिरहाक सुखीपुर-सलमपुर मे मिथिला लोक कला एवं सांस्कृतिक महोत्सव सम्पन्न

सिरहा, नेपाल। १९ फरवरी २०२०. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला लोक कला सांस्कृतिक महोत्सव   नेपालीय मिथिलाक सिरहा जिलाक सुखीपुर नगरपालिका वडा संख्या ३ मे सलमपुर – कुटी चौक पर काल्हि १९ फरवरी आ नेपालक एकटा ऐतिहासिक तिथि फागुन ७ गते प्रजातंत्र दिवस पर भव्य आयोजन कयल गेल – जेकर नाम छल “मिथिला लोक कला सांस्कृतिक महोत्सव”। सिरहाक सुखीपुर-सलमपुर मे मिथिला लोक कला एवं सांस्कृतिक महोत्सव सम्पन्न

दहेज मुक्त समाज निर्माणक प्रयास लेल मैथिली गायिका अंजू ओ दूल्हा रामविनयक संयुक्त सम्मान

विराटनगर, १८ फरवरी २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!! दहेज मुक्त मिथिलाक सम्मान   सुश्री अंजू यादव एवं श्री रामविनय यादव केर शुभ-विवाहोत्सव पर काल्हि फागुन ७ गतेक दिन दहेज मुक्त मिथिला (नेपाल) केर संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा केर सौजन्य सँ अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक केर रूप मे हमरहु उपस्थिति मे ई सम्मान पत्र प्रदान कयल जेबाक निर्णय कयल दहेज मुक्त समाज निर्माणक प्रयास लेल मैथिली गायिका अंजू ओ दूल्हा रामविनयक संयुक्त सम्मान

प्रवीणक डायरी २०१३ – भाग ३

६ फरवरी २०२०. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली-मिथिलाक गतिविधि केँ सर्वाधिक उत्कर्ष पर पहुँचबाक वर्ष छल २०१३ – एहि सँ पूर्व केर दुइ भाग मे दिसम्बर आ नवम्बर केर सारा गतिविधि, बात-विचार आ लेख-रचना सब शेयर कय चुकल छी। आउ आइ अक्टूबर २०१३ केर यात्रा करीः ३१ अक्टूबर २०१३ एह…… मैथिली आ हम? (व्यंग प्रसंग) चलू! चलू!! प्रवीणक डायरी २०१३ – भाग ३

मैथिल ब्राह्मण वैवाहिक परिचय सभा विराटनगर मे सम्पन्न – कुल ४१ गोट परिचय सँ सभाक श्रीगणेश

विराटनगर, २ फरवरी २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिल ब्राह्मण वैवाहिक परिचय सभा एवं वनभोज कार्यक्रम अपन ब्राह्मण समाज विराटनगर द्वारा बड़ा भव्यता सँ पूरा कयल गेल। करीब 100 ब्राह्मण परिवार बाल बच्चा सहित एहि कार्यक्रम में भाग लेलन्हि। आपस मे गोत्र, मूल, कुलीनता, शिक्षा, पेशा, आदिक जानकारी अदला बदली करैत करीब 41 गोट वर आ कन्या मैथिल ब्राह्मण वैवाहिक परिचय सभा विराटनगर मे सम्पन्न – कुल ४१ गोट परिचय सँ सभाक श्रीगणेश

मैथिल ब्राह्मण समुदायक कल्याण आवश्यक छैक

  धार्मिक महत्वक कतेको गूढ बात (रहस्य, यथा मंत्र अथवा साधनाक कतेको उपाय आदि) सिर्फ सुपात्र केँ बतेबाक चाही – ई सिद्धान्त हमहुँ-अहाँ बेर-बेर सुनैत होयब। एतय सुपात्रक मतलब भेल जे जाहि सज्जन (व्यक्ति) केँ स्वयं एहि तरहक ज्ञानोपदेश ग्रहण करबाक इच्छा आ उत्कंठा (जिज्ञासा) आदि हो। बाकी केकरो लेल एहि तरहक महत्वपूर्ण आ उपयोगी मैथिल ब्राह्मण समुदायक कल्याण आवश्यक छैक

नेपालक प्रदेश २ केर नाम आ राजकाजक भाषा तय करबाक झंझटिया सवाल पर धर्मेन्द्र झाक लेख

लेख – धर्मेन्द्र झा (मूल लेख नेपाली मे नयाँ पत्रिका मे प्रकाशित – मैथिली अनुवाद प्रवीण नारायण चौधरी) प्रदेश २ मे नाम आर भाषाक बेहाली प्रदेश २ मे नेपाली बाद सरकारी कामकाजक पहिल भाषाक रूपमे मैथिलीकेँ मान्यता प्रदान करबाक चाही।   प्रदेश दुइमे खूबे चर्चामे रहल राजधानी आर प्रदेशक नामकरणमध्य आ राजधानीक चर्चाकेँ हाललेल विराम नेपालक प्रदेश २ केर नाम आ राजकाजक भाषा तय करबाक झंझटिया सवाल पर धर्मेन्द्र झाक लेख

विजिट नेपाल २०२० वर्ष मे ब्रिटेन सँ आबि रहल पर्यटक लेल मिथिलाक्षेत्र मे कोन पकवान परसब

साभार – श्री भरत साह केर फेसबुक स्टेटस हाल सिमरौनगढ (मिथिलाक पूर्वकालिक एक राजधानी) मे पुरातात्विक सर्वेक्षण पूर्वक किछु विशेष अध्ययन ब्रिटिश विज्ञजनक टोली द्वारा कयल जा रहल अछि। एहि अध्ययनक क्रम मे सामाजिक-सांस्कृतिक-पुरातात्विक अध्येता व अभियन्ता लोकनि विदेश सँ आयल विज्ञजनक टोलीक संग विभिन्न सहकार्य कय रहल छथि। हुनका लोकनि द्वारा सर्वेक्षण पूर्व अध्ययन विजिट नेपाल २०२० वर्ष मे ब्रिटेन सँ आबि रहल पर्यटक लेल मिथिलाक्षेत्र मे कोन पकवान परसब

सरस्वती पूजा पर विशेष – ५ माता आ ५ पिताक परिचय

पाँच गो माय आ पाँच पिता होयबाक तथ्य   मनुष्य जीवन मे ओना तऽ ज्ञानक स्रोत अनेक अछि, कहल गेल छैक जे अपना सँ छोटो सँ ज्ञान भेटय त ओकरा निश्चित ग्रहण करबाक चाही। मुदा मुख्य रूप सँ हिन्दू धर्मावलम्बी व आनो धर्मक लोक लेल धर्मग्रन्थ, ऋषिवाणी, सन्तवाणी, गुरुवाणी, विद्वानक वाणी आदि सेहो ज्ञानक मुख्य सरस्वती पूजा पर विशेष – ५ माता आ ५ पिताक परिचय

बाबा बैद्यनाथक दर्शन – विशिष्टता ओ संस्मरणक संग

बाबा बैद्यनाथक दर्शन   माता सतीक हृदयस्थल पर विराजित मनोकामना लिंग – रावणेश्वर लिंग देवाधिदेव महादेव केर गाथा आ महत्ता के नहि जनैत होयब! खास कय मिथिलावासी – सम्पूर्ण मिथिलाक लोकजीवन मे बाबा एक-एक साँस मे रहैत छथि। किसान, मजदूर, विद्यार्थी, विद्वान्, कवि, राजनेता, सभक आशा छथिन देवाधिदेव महादेव केर ई महत्वपूर्ण स्वरूप – कय बाबा बैद्यनाथक दर्शन – विशिष्टता ओ संस्मरणक संग

नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ द्वारा शारदे-पूजनोत्सव पर फोटो प्रदर्शनी धरान मे

पूर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस धरान केर ‘नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ’ केर छात्र समूह एहि वर्ष ‘विजिट नेपाल २०२०’ मे किछु खास करय जा रहला अछि। खास माने केहेन खास?   क. राष्ट्र द्वारा निर्धारित लक्ष्य मे अपन तरहक सहभागिता। विजिट नेपाल २०२० मे बाहरी मुलुक सँ बेसी लोक घूमय आबथि आर से अपन मिथिला (तराई नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ द्वारा शारदे-पूजनोत्सव पर फोटो प्रदर्शनी धरान मे