सिरहा, नेपाल। १९ फरवरी २०२०. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला लोक कला सांस्कृतिक महोत्सव

मुख्य अतिथि मंत्री श्री विजय कुमार यादव अपन गरिमामय संबोधन मे उपस्थित जनमानस केँ अपन भाषा, भेष आ भूषणक महत्व केँ खोंइचा छोड़ाकय एतेक सुन्दर ढंग सँ बुझेलनि जे हुनकर हरेक बात सुनि उपस्थित जनमानस गदगद होइत रहल। बीच-बीच मे कतेको रास रहस्योद्घाटनक संग गूढ राजनीतिक यथार्थ बात सभक जिकिर मंत्री यादवजी रोचक ढंग सँ कयलनि। ओ कहलनि जे केकरो पहिचान केँ समाप्त करबाक मुख्य आधार भाषा-संस्कृति जँ छीन लेल जाय त फेर ओकर अस्तित्व कतय भऽ कय रहत से स्वयं बुझबाक बेर अछि नेपाल मे। लगभग ७ दशक सँ जाहि देश मे प्रजातंत्र केँ परिभाषित तक करय मे एतेक संघर्ष आ शहादत देल गेल हो ओतय आगुओ सब जनता केँ सतर्क आ सजग रहबाक जरूरत अछि। कलाकारक महत्व केँ आत्मसात करैत प्रस्तुत महोत्सव लेल राज्य केर तरफ सँ सहयोग उपलब्ध करेबाक बात कहैत आगाँ सेहो एहि जनजागरणमूलक कार्यक्रम आ भाषा-संस्कृति केर संरक्षणक लेल स्वयं आ प्रदेश सरकार संग रहबाक वचनबद्धता प्रकट कयलनि।
बीच-बीच मे मिथिलाक लोककला सभक रंगारंग प्रस्तुति सँ उपस्थित लोकक भरपूर मनोरंजन सेहो करायल गेल। महोत्सवक दोसर सत्र रातिक ८ बजे सँ आरम्भ कयल गेल जाहि मे एक सँ बढिकय एक नामी कलाकार सभक प्रस्तुति विशिष्ट मनोरंजन आ उत्साहवर्धन करैत स्थानीय लोकमानस मे अपन भाषा आ संस्कृति प्रति विशेष आकर्षण उत्पन्न कयलक। वरिष्ठ हास्य अभिनेता रामनारायण ठाकुर केर हास्य-प्रहसन, ललित कापर केर विशिष्ट गायन, रश्मि झा एवं अविनाश कर्ण केर स्वागत गान प्रथम सत्र सँ सांस्कृतिक सत्रक अनेकों लोकगीत आ पारम्परिक गीतनादक प्रस्तुतिक संग रोचक-घोचक टेलीश्रृंखलाक कलाकार लोकनि केँ लाइव अपन गाम-ठाम मे देखबाक लेल हजारों लोकक भीड़ उमड़ल छल।
एहि अवसर पर भाषाक विखंडन सिर्फ बातहि सँ संभव नहि होयबाक बात प्रवीण नारायण चौधरी कहलनि, संगहि जन-जन मे शिक्षाक महत्व आ प्रदेश सरकार द्वारा शिक्षा ओ कामकाजी भाषाक रूप मे मैथिली केँ मान्यता प्रदान करबाक आह्वान सेहो कयलनि। वरिष्ठ अभियानी मुखीलाल चौधरी लोक-समाज सँ अपन मातृभाषा संग अपन मौलिक संस्कृतिक रक्षार्थ सदिखन सजगता सँ आगू बढिकय कार्य करबाक अपील कयलनि। तहिना भुवन यादव सेहो स्थानीय निकाय द्वारा भाषा-संस्कृति प्रति उपेक्षाक निन्दा करैत प्रदेश सरकार आ मुख्य अतिथिक माध्यम सँ राज्यक उचित नियंत्रण स्थापित करैत भ्रष्टाचार सँ मुक्त स्वशासन लेल आवाज उठेलनि। एहि अवसर पर लोकसेवा आयोग पास कयनिहार दुइ युवक केर सम्मान संग विजयलक्ष्मी देवीक माताश्रीक सम्मान सेहो कयल गेलनि। संगहि आगन्तुक अतिथि लोकनि केँ सप्रेम सिनेहक प्रतीकचिह्न देल गेलनि।
हरिः हरः!!