विराटनगर, २ फरवरी २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिल ब्राह्मण वैवाहिक परिचय सभा एवं वनभोज कार्यक्रम अपन ब्राह्मण समाज विराटनगर द्वारा बड़ा भव्यता सँ पूरा कयल गेल। करीब 100 ब्राह्मण परिवार बाल बच्चा सहित एहि कार्यक्रम में भाग लेलन्हि। आपस मे गोत्र, मूल, कुलीनता, शिक्षा, पेशा, आदिक जानकारी अदला बदली करैत करीब 41 गोट वर आ कन्या केर परिचय सार्वजनिक मंच पर प्रस्तुत भेल, ताहि परिचय मध्य अपन रुचि अथवा चाहत मुताबिक सीधा संपर्क वर व कन्या पक्ष आपस मे बनबथि, ताहि लेल अपन ब्राह्मण समाज (आयोजक) परिचय बैंक सँ वांछित विवरण उपलब्ध कराओत कहल गेलैक। सहकार्य में आगू रहल मैथिली एसोसिएशन नेपाल सेहो एहि तरहक परिचयक संकलन में विभिन्न स्थान सँ संयोजनक वचन देलनि। दहेज मुक्त मिथिला केर एडमिन वन्दना चौधरी 16 गोट परिचय प्रस्तुत करैत भविष्य में आर परिचय दहेज मुक्त विवाह लेल आगू उपलब्ध करेबाक वचन देलीह। राजविराज सँ आयल विशिष्ट अतिथि शान्ति झा सेहो कहलखिन्ह जे नेपालक आन क्षेत्र सँ सेहो परिचय संग्रह करय में सहयोग करती जाहि सँ अधिकाधिक दहेज मुक्त आ स्वस्थ विवाह सम्बन्ध बनैत रहत, मैथिल ब्राह्मण समुदाय लेल आजुक समय मे एहि तरहक परिचय सभा काफी महत्वपूर्ण भूमिका निभा सकत से विश्वास जतेलीह।
सभाक प्रमुख अतिथि डॉ महानन्द मिश्र द्वारा सभाक औचित्य पर मोहर लगबैत मैथिल ब्राह्मणक वैवाहिक प्रक्रिया जटिल होयबाक कारण एहि तरहक आयोजन केँ निरन्तरता देबाक आह्वान कयलनि। ओ आयोजक केँ विराटनगर सँ एकर शुरुआत लेल धन्यवाद ज्ञापन कयलनि। विशिष्ट अतिथि कमलाकांत झा द्वारा परिचय सभा केँ आर बेसी जनसहभागिता संग सुव्यवस्थित करबाक जरूरत पर बल देल गेल। विषय प्रवेश प्रवीण नारायण चौधरी करबैत आजुक समय मे वैवाहिक परिचय सभाक आवश्यकता आ अपरिहार्यता पर प्रकाश देल गेल छल। मूल डीह सँ तितर बितर भेल मैथिल ब्राह्मण सहित अन्य अन्य मैथिल जाति समुदाय लेल स्वच्छ आ स्वस्थ वैवाहिक सम्बंध निर्धारण व निर्वहन लेल परिचय सभा आवश्यक अछि। संगहि समय पर समुचित जोड़ी नहि मिलि पेबाक कारण स्वनिर्णय केर स्थिति में कतेको विकृति समाज केँ प्रदूषित कय रहल अछि ताहि पर ओ सभाक ध्यानाकर्षण करैत विराटनगर सहित अन्यत्र सेहो निरन्तर एहि तरहक परिचय सभा आयोजन करबाक जरूरत पर ओ अपन अपील कयलनि। संगहि निकट भविष्य में अन्य अन्य जाति समुदाय संग सहकार्य करैत दहेज व अन्य विकृति मुक्त समाज निर्माण हेतु एसोसिएशन कार्य करत ओ वचनबद्ध भेलाह।
सभा मे कुमुद मोहन झा मैथिल ब्राह्मण समुदाय केर सामान्य परिचय व वैवाहिक परिचय बीच कतेक व्यापक अन्तर अछि से स्पष्ट कयल गेल। वैवाहिक परिचय में नाम आ पता टा नहि वरन गोत्र, मूल, पंजी, कुल, खानदान, अन्य सम्बन्धक मीमांसा, पैतृक संपत्ति संग निजी आर्थिक स्वायत्तता आदि अनेक मापदंड रहबाक परम्परा पर सेहो ओ विहंगम दृष्टि रखलाह। तहिना मैथिली एसोसिएशन नेपालक महासचिव राजेश झा द्वारा अपन ब्राह्मण समाज केर सक्रिय प्रयास आ सबकेँ जोड़िकय महत्वपूर्ण कार्य सब पूरा करबाक लेल उत्साहवर्धन करैत एहि आयोजनक सार्थक असर आ लाभ पर विचार राखल गेल। एहि सँ पहिने संस्थाक उपाध्यक्ष प्रीति झा स्वागत सम्बोधन में आगन्तुक अतिथि केँ स्वागत करैत विराटनगर में एहि आयोजनक जरूरत पर प्रकाश देने छलीह। सभाक अध्यक्षता आयोजक संस्था अपन ब्राह्मण समाज केर अध्यक्ष लक्ष्मी रमण झा आ संचालन शंकर सिंह ठाकुर द्वारा कयल गेल। कार्यक्रम केर अन्त में भव्य वनभोज आ आपसी परिचय पात करैत पुनः एहि तरहक आयोजन जल्दिये पुनरावृत्ति लेल योजना बनबैत देखल गेलाह। प्रथम सभा मे 41, दोसर में 500 परिचय अनबाक संकल्प सब कियो कयलनि।
आजुक परिचय सभाक संयोजक अमर झा रहथि। व्यवस्थापनक जिम्मेदारी दीपेंद्र झा, ललन झा, रंजू झा, प्रीति झा, भाग्यश्री झा, मिथिलेश ठाकुर, सुनील झा, पंकज झा, कुमुद मोहन झा, शंकर सिंह ठाकुर, सहित दर्जनों समर्पित सदस्य आ सहयोगी लोकनि महत्वपूर्ण भूमिका निभेलनि।
हरि हर!!