Search

अवसर विशेष व्यंजन बनैब मिथिलाक संस्कृति थिक

10 भ्यूज

लेख विचार
प्रेषित: प्रियंका कर्ण
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- “मिथिलाक व्यंजन एवं ओकर महत्व”

  • मिथिलाक हरेक व्यंजन स्वादिष्ट, अनमोल होइत अइछ।तेल,मसाला सब एक मूदा मिथिलानीक हाथक स्वाद अलग।
    हरेक पावैन-तिहार मे ओई अनुसार के व्यञ्जन, पाहुन-परख एला पर ओइ अनुसारक व्यञ्जन बनेनाइ मिथिलाक बिशेषता अछि।
    #दही, चुरा,चीनी,आमक अचार या पाकल आम पेट मे ठंडक, स्वाद अउर भरपुर नास्ता अछि जे मिथिलाक पारम्परिक नास्ता बुझल जाइत अछि। जे पाहुन-परख होइत या घरक व्यक्ति घर सँ बाहर जाय काल मे खाय क जाइत छलैथ।
    #पावैन बिशेष:-# जुड़शीतल मे बरी, पुरी, सोहिजन के तरकारी, आमक चटनी,नियम स बनायल जाइत अइछ जेकर स्वास्थ्य स सेहो जोरल गेल अइछ।
    #छैठ पावैन मे ठकुआ, भुसवा जे चढैत ठंडी के साथ गुँड़(मिठ्ठा)स शरीर मे गरमपना आबैत अइछ।
    #माघक संक्रांति मे लाई,चुरलाई, तीलक लड्डु जे कि ठंडा महिना मे शरीर के लेल गरमाहट लाबैछै।
    #होली मे पुआ पुरी मिठास संग खुशी के महत्व बतायल गेल अइछ।
    #माछ जे कि मिथिला सबस बिशेष प्रकारक अउर शुभ के प्रतिक मानल गेल अछि। मिथिलाक कोबर होय या कोनो विध-व्यवहार सबकिछु मे माछक महत्व अछि।
    भगवती के पातैर मे अपन संस्कार परक प्रकार सब मिथिला के विशेषता बताबैत अछि तँ विभिन्न तरहक तरुआ, तरकारी सब मिथिलाक बिशेष व्यञ्जन अछि।

Related Articles