विराटनगर, १८ फरवरी २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!
दहेज मुक्त मिथिलाक सम्मान
सुश्री अंजू यादव एवं श्री रामविनय यादव केर शुभ-विवाहोत्सव पर काल्हि फागुन ७ गतेक दिन दहेज मुक्त मिथिला (नेपाल) केर संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा केर सौजन्य सँ अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक केर रूप मे हमरहु उपस्थिति मे ई सम्मान पत्र प्रदान कयल जेबाक निर्णय कयल गेल अछि।
दहेज मुक्त मिथिलाक संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती झा एहि सम्मान हस्तान्तरण लेल विशेष रूप सँ काठमांडू सँ राजविराज आबि रहली अछि। स्वास्थ्यलाभ कय रहली श्रीमती झा कहली जे अंजू सब दिन अपनहि बेटी समान रहल, बाल्यकाल सँ ओकर झुकाव गीत गायन मे देखि हम सब प्रोत्साहन दैत आयल छी आर आइ ओ एकटा स्टार गायिकाक रूप मे सुपरिचित नाम देखि हृदय बहुत हर्षित होइत अछि। संगहि, अंजू अपन विवाहक कार्ड केर मुख्य पृष्ठ पर ‘बेटी पढाउ बेटी बचाउ’ संगहि ‘सभ्य एवम् शिक्षित युवा सभक एकहि आह्वान, मेटाबू दहेज आ बाल-बिआहक नामोनिशान’ रूपी जनजागृतिमूलक अपील सेहो केलीह अछि। विगत समय मे दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान सहित मैथिली-मिथिलाक कतेको अभियान मे हिनकर सक्रिय योगदान केँ सेहो कदर करैत हिनकर विवाहोत्सवहि पर वर-बरियातीक समक्ष ई सम्मान पत्र देल जेबाक निर्णय कयल गेल अछि।
विदित हो जे खुरहुरिया (विष्णुपुर गाउंपालिका) सप्तरी नेपाल मे पड़ैत अछि, एहि गामक प्रतिष्ठित सज्जन श्री तेजनारायण यादवक सुपुत्री अंजूक विवाह धनुषा जिलान्तर्गत लक्ष्मीनियाँ गाउंपालिकाक सोहनी-सोनामाई टोल जनकपुरधाम निवासी सज्जन श्री देवनारायण यादवक सुपुत्र रामविनय यादव संग काल्हि फागुन ७ गते मिथिलाक हिन्दू रीति-रिवाज अनुसार सम्पन्न होयत। वैवाहिक कार्यक्रम मे गोसाईं गीत, पूजा आ कुमरम, शुभ-विवाह, प्रीति भोज सब किछु निज निवास विष्णुपुर खुरहुरिया सँ सम्पन्न होयत। शिवानी,छोटू आ प्रिन्स दिश सँ बाल-मनुहार करैत एहि माङ्गलिक अवसर पर बहुत रास मैथिली-मिथिला अभियानी सब आमंत्रित छथि, कतेको रास संघ-संस्था द्वारा अंजू-रामविनय केर दहेज मुक्त विवाह लेल यशगानक संग सम्मान देबाक सूचना सेहो सूत्र सँ भेटल अछि। मैथिली जिन्दाबाद दिश सँ सेहो हार्दिक शुभकामना!!