Search

किये सवाल उठि रहल अछि (गजल :: गोपाल मोहन मिश्र )

476 भ्यूज

किये सवाल उठि रहल अछि (गजल :: गोपाल मोहन मिश्र )

किये सवाल पर सवाल उठि रहल अछि।
किये बेमतलब के वबाल उठि रहल अछि।।

ऑपरेशन सिंदूर केर सफलता के बाद अखनो।
किये बेवजह एहन विकृत ख्याल उठि रहल अछि।।

देश केर हिफाजत पर बात सबसँ पहिने होअय।
किये राजनीतिक कुत्सित मलाल उठि रहल अछि।।

दुश्मन के दाँत खट्टा कs देलक भारतीय सेना ।
देश के अंदर किये भीतरी दुश्मनक उबाल उठि रहल अछि।।

देश के राजनीतिक दुश्मन सब मजाक बना देने अछि।
किये ई उद्दंडी सभक बेमतलब भूचाल उठि रहल अछि।।

Related Articles