Search

प्रवीण नारायण चौधरी

साहित्यिकी द्वारा लौफा मे साहित्यिक कार्यक्रम

लौफा, मधुबनी। अप्रैल ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! साहित्यिकी सरिसवपाहीक अप्रैल महीनाक मासिक बैसार एहि बेर लौफा गाम मे काल्हि १० अप्रैल केँ आयोजित कैल गेल।  डॉ श्रीपति सिंह केर अध्यक्षता आ डॉ शांतिनाथ सिंह ठाकुर द्वारा संचालित एहि बैसार केर मुख्य अतिथि मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुर छलाह। एहि बैसार मे आरो बहुत रास दिग्गज स्रष्टा लोकनिक साहित्यिकी द्वारा लौफा मे साहित्यिक कार्यक्रम

भीषण ऐगलग्गी सँ करोड़ोंक क्षतिः मस्जिद केँ सेहो नुक्सान

साभार तारडीह न्युज – अप्रैल ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! विगत दुइ-तीन दिन सँ मिथिलाक विभिन्न ठाम सँ भीषण ऐगलग्गीक सूचना प्राप्त भऽ रहल अछि। दरभंगाक बेनीपुर प्रखंडक पौरी गाम मे भेल ऐगलग्गीक सूचना समाचार मार्फत पहिनहि प्रकाशित कैल जा चुकल अछि। ओही दिन नेपालक मिथिलाक सुनसरी जिला मे इनरुवाक आसपास चिरौली गाम मे सेहो भीषण भीषण ऐगलग्गी सँ करोड़ोंक क्षतिः मस्जिद केँ सेहो नुक्सान

नाटक हिन्दी मे, कलाकार मिथिला सँः मुम्बई मैथिल समाज

रवि कुमार मण्डल ‘मिथिला’, मुम्बई। अप्रैल १०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि मुम्बई केर प्रबोधन ठाकरे सभागृह मे एकटा अद्भुत नाटक देखाओल गेल। क्रमशः विलोपोन्मुख नाटक विधाक मनोरंजनात्मक कार्यक्रम एहि तरहें फिल्मी दुनियाक राजधानी मुम्बई मे आयोजित होयब आ ताहि मे बहुल्य कलाकार मिथिलाक्षेत्रहि सँ होयब – मुम्बई मैथिल्स समाज लेल एकटा जोशगर आ अद्भुत अनुभूतिक क्षण नाटक हिन्दी मे, कलाकार मिथिला सँः मुम्बई मैथिल समाज

मिथिलाक बेटी मिस नेपाल इन्टरनेशनल केर खिताब जितलनि

मनीष कर्ण, जनकपुरधाम। १० अप्रैल, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! कहल जाइत अछि जे मेहनत, लगन आ आत्मविश्वास सँ जँ कोनो काज करब तऽ सफलता एक न एक दिन भेटबे टा करैत अछि। तेहने सफलता शिखर पर पँहुचय मे सफल भेलीह अछि मिथिलाक थारु समुदायक धिया सुश्री वर्षा लेखी। ओ मिस नेपाल इन्टरनेशनल रनरअप केर उपाधि सँ मिथिलाक बेटी मिस नेपाल इन्टरनेशनल केर खिताब जितलनि

उजान मे भेल किरण स्मृति पर्व आइ

मणिकान्त झा, उजान, दरभंगा। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! आइ किरण जीक पूण्य तिथि पर हुनक पैतृक गाम धर्मपुर उजान मे समारोह आयोजित भेल । मैथिली के प्रख्यात साहित्यकार कांची नाथ झा किरण केर पूण्य तिथि केँ आइ स्मृति पर्वक रूप मे मनाओल गेल । दरभंगा जिलाक धर्मपुर उजान मे आयोजित समारोह मे वक्ता लोकनि किरण उजान मे भेल किरण स्मृति पर्व आइ

कश्यप विद्यापीठ इनरुवा द्वारा तीन योगदानः मैथिली जिन्दाबाद

इनरुवा, सुनसरी। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! विराटनगर केन्द्रित मैथिली-मिथिलाक अभियान केर निरंतर संचालन सँ प्रभावित होएत कश्यप विद्यापीठ इनरुवा (सुनसरी) द्वारा तीन महत्वपूर्ण योगदान देबाक घोषणा कैल गेल अछि। एकर निर्देशक द्वय विवेकानन्द झा एवं जिवानन्द झा द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी केँ एहि लेल वचन देल गेल अछि। आगामी जेठ कश्यप विद्यापीठ इनरुवा द्वारा तीन योगदानः मैथिली जिन्दाबाद

चलू मैया के दरबार – भक्तक भीड़ छै अपारः चैती दुर्गा मधेपुर

राम बाबु सिंह, मधेपुर। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! “चैती दुर्गापूजा मधेपुर” नौ दिवसीय नवरात्रिक पहिल दिन भव्य कलश शोभा यात्रा मे शाश्वत वैदिक मंत्रोच्चार एवं माँ भगवतीक जय जयकारा लगबैत करीब 451 कुमारि कन्या सहभागी भेलीह। गाजा-बाजाक संग कलश शोभा यात्रा दुर्गा स्थान सँ, राजपूत टोला, भलनी कलुआही होयत जीबछ धार पहुँचल। जीबछ धार में जल चलू मैया के दरबार – भक्तक भीड़ छै अपारः चैती दुर्गा मधेपुर

एक वर्ष मे एक सौ मैथिली पोथीः मैथिली जिन्दाबादक अभियान

विजय कुमार झा, नोएडा। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली जिन्दाबाद द्वारा आरम्भ कैल गेल अभियान जे एक वर्ष मे युवा मैथिल स्रष्टाक तरफ सँ एक सौ पोथीक प्रकाशन कैल जाय, एहि तरफ गंभीर ध्यानाकर्षण भेल अछि। एहि सँ पूर्व मे साहित्य लेखन तरफ हमर बहुत रास रुचि नहि छल। परन्तु हमरो जखन एहि अभियान एक वर्ष मे एक सौ मैथिली पोथीः मैथिली जिन्दाबादक अभियान

दरिभंगाक पौरी गाम मे भीषण ऐगलग्गी

प्रकाश कमती, मुम्बई। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! समाचार साभारः राघव राय, पौरी गाम (बेनीपुर प्रखंड, जिला दरभंगा) आय पौरी गाम में भयानक ऐगलग्गी केर दुखद समाचार भेटल अछि। एहि दुर्भाग्यपूर्ण दुर्घटना मे बहुत रास घर आ संपत्तिक संग माल-जाल केँ क्षति पहुँचबाक खबैर भेटल अछि। ग्रामीण में घबराहट रिपोर्ट पठेबाक समय धरि त्रास कायमे देखल गेल आ सब कियो एहि दरिभंगाक पौरी गाम मे भीषण ऐगलग्गी

मैथिली जिन्दाबाद: पहिल एक साल, पाठक एक लाख

मैथिली जिन्दाबाद केर स्थापना ११ अप्रैल, २०१५ केँ विराटनगर मे आयोजित ‘अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५’ मे कैल गेल छल। एक साल पूरय मे एखन २ टा दिवस बाकिये अछि। मुदा एहि पर आगन्तुक केर संख्या आइये एक लाख सँ ऊपर टपि गेल। वर्तमान समय मे औसत प्रतिदिनिक आगन्तुक लगभग ५०० छथि। आर, प्रसन्नता एहि लेल मैथिली जिन्दाबाद: पहिल एक साल, पाठक एक लाख