लौफा, मधुबनी। अप्रैल ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
साहित्यिकी सरिसवपाहीक अप्रैल महीनाक मासिक बैसार एहि बेर लौफा गाम मे काल्हि १० अप्रैल केँ आयोजित कैल गेल।

साहित्यिकी मे कविता पाठ प्रमुख छल। एकटा खास सीमा – यथा नवटोल, सर्वसीमा, सरिसोपाही, बिट्टो, ईशहपुर आ जमुथरि आदि मे एकर आयोजन बहुत पहिने सँ होएत आबि रहल अछि। ई बैसार एहि सीमा केँ विस्तार दैत लौफा मे आयोजित कैल गेल। एकर ऐगला आयोजन नवटोल मे डॉ जगदीश मिश्र जीक संयोजन मे कैल जेबाक निर्णय लेल गेल।