कश्यप विद्यापीठ इनरुवा द्वारा तीन योगदानः मैथिली जिन्दाबाद

कश्यप विद्यापीठ - इनरुवा द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केर पाठक लेल तीन महत्वपूर्ण पुरस्कारक घोषणा केलक

इनरुवा, सुनसरी। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

kashyap vidyapeeth inaruwaविराटनगर केन्द्रित मैथिली-मिथिलाक अभियान केर निरंतर संचालन सँ प्रभावित होएत कश्यप विद्यापीठ इनरुवा (सुनसरी) द्वारा तीन महत्वपूर्ण योगदान देबाक घोषणा कैल गेल अछि। एकर निर्देशक द्वय विवेकानन्द झा एवं जिवानन्द झा द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी केँ एहि लेल वचन देल गेल अछि।

आगामी जेठ १ तथा २ गत्ते विराटनगर मे प्रस्तावित अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सामाजिक अभियन्ता सम्मेलन २०१६ मे सक्रिय सहभागिता देबाक प्रस्ताव केँ स्वीकृति दैत ई प्रतिष्ठित शैक्षणिक संस्थान द्वारा मैथिलीभाषी जनमानस मे अपन भाषा तथा संस्कृति प्रति जुड़ाव उत्पन्न करबाक संग-संग एकर संरक्षण लेल सचेतनाक प्रसार लेल निज संस्थान द्वारा तीन विधा मे पुरस्कार देबाक निर्णय कैल गेल अछि।

पहिल निर्णय मुताबिक एहि विद्यालय मे एकटा निर्धन छात्र केँ पढबाक आ छात्रावास मे रहबाक निःशुल्क इन्तजाम संस्थानक तरफ सँ कैल जायत।

दोसर निर्णय मैथिली भाषा केर संवर्धन-प्रवर्धन मे लागल कोनो एक स्रष्टा केँ प्रोत्साहन पुरस्कार ११ हजार नगद प्रदान करैत कैल जायत।

तेसर बात जे मैथिली विषय मे शोध कार्य कएनिहार वा कोनो अन्य महत्वपूर्ण साहित्यिक योगदान देनिहार केँ सेहो प्रोत्साहन पुरस्कार ११ हजार नगद प्रदान कैल जायत।

ई तिनू पुरस्कार हरेक वर्ष संस्थान तथा मैथिली जिन्दाबाद केर सहकार्य मे नेपालक मिथिला मे आयोजित राष्ट्रीय वा अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सम्मेलन मे कैल जेबाक निर्णय निर्देशकद्वय द्वारा लेल गेल अछि।

आइ इनरुवा स्थित कश्यप विद्यापीठ मे संपन्न एक भेंटघांट कार्यक्रम मे ई निर्णय सब लेल गेल। आम जनमानस मैथिल सँ एहेन कोनो निर्धन छात्र जेकरा प्रारंभिक शिक्षा लेल छात्रवृति देल जा सकय ताहि परिवार तथा विद्यार्थीक पूर्ण परिचय मैथिली जिन्दाबाद वेब पत्रिका मार्फत पठेबाक अनुरोध कैल गेल अछि।

एहि वर्ष ७ गत्ते वैसाख सँ नव शैक्षणिक सत्र शुरु भऽ रहल अछि। ताहि हेतु एहेन अनुरोध आइ सँ मात्र ७ दिनक भीतर अर्थात् १६ अप्रैल तक पठाओल जाय। देरी भेला पर ई कोटा विद्यालय स्वयं अपन चुनाव अनुरूप कोनो अन्य आवेदन केँ हस्तान्तरित कय देत। दोसर आ तेसर पुरस्कार जे प्रत्येक वर्ष मैथिली जिन्दाबाद केर सुझाव अनुरूप निर्णय करत तेकर वितरण एहि वर्षक लेल आगामी सम्मेलन मे जेठ २ गते कैल जायत।

विदित हो जे मैथिली जिन्दाबाद एहि बेर बाल पोथी लेखक अमित मिश्र (समस्तीपुर) तथा दोहा – कतार मे रहितो मैथिली साहित्य केर ‘साँझक चौपारि पर’ नाम सँ साहित्यिक गोष्ठी हर मास मे आयोजित करैत छथि ताहि स्रष्टा कवि बिन्देश्वर ठाकुर (धनुषा) केँ सम्मानित करबाक निर्णय केने अछि। एकरा सुसंयोग व दानशीलक सदाशयता कही जे उपरोक्त संस्थान मैथिली जिन्दाबाद केर प्रस्ताव केँ मानिकय घोषित नगद राशि हिनके लोकनि केँ हस्तान्तरित करबाक निर्णय केलक अछि। हमरा लोकनिक तरफ सँ सम्मानित-पुरस्कृत अमित व बिन्देश्वर केँ बधाई अछि।

तहिना एहि बेरुक सम्मेलन मे स्वैच्छिक प्रायोजन केर सहयोग मात्र लेल जा रहल अछि, तँ एहि वास्ते सेहो कश्यप विद्यापीठ द्वारा दोसर दिवसक कार्यक्रम केर प्रायोजन लेल स्वीकृति देलनि अछि। मैथिली-मिथिलाक जिन्दाबाद वास्तव मे एहने स्वेच्छा सँ कैल परमार्थ सँ होएत अछि। एहि वास्ते सेहो हिनका लोकनि केँ धन्यवाद आ आभार प्रकट कैल जा रहल अछि।

ईच्छूक व्यक्ति कश्यप विद्यापीठ इनरुवाक निर्देशक व प्रिन्सिपल सँ क्रमशः ९८०२७७९३०० व ९८०२७७९३०१ पर सम्पर्क कय सकैत छथि। मैथिली जिन्दाबाद सँ सम्पर्क करबाक लेल ईमेल व फोन क्रमशः [email protected] & +9779852022981 सँ कय सकैत छथि। ई पुरस्कार मात्र नेपाल व भारतक मिथिलाक्षेत्रक वासिन्दा लेल उपलब्ध अछि। कृपया एहि बातक जानकारी एक-दोसर केँ जरुर कराबी। एहि न्युज केर लिंक सेहो सब सँ शेयर करी।