मणिकान्त झा, उजान, दरभंगा। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ किरण जीक पूण्य तिथि पर हुनक पैतृक गाम धर्मपुर उजान मे समारोह आयोजित भेल ।
मैथिली के प्रख्यात साहित्यकार कांची नाथ झा किरण केर पूण्य तिथि केँ आइ स्मृति पर्वक रूप मे मनाओल गेल । दरभंगा जिलाक धर्मपुर उजान मे आयोजित समारोह मे वक्ता लोकनि किरण जी केर व्यक्तित्व तथा कृतित्व पर विस्तार सँ प्रकाश देलनि ।
एहि अवसर पर मैथिलीक साहित्यकार रामलोचन ठाकुर केँ एहि वर्षक किरण साहित्य सम्मान प्रदान कैल गेलनि । कार्यक्रम मे उद्यान किरण नामक स्मारिका, कैलाश नाथ झा लिखित मैथिल यादव महासभाक योगदान नामक निबंध संग्रह तथा नवीन कुमार आशा लिखित कविता संग्रह जिनगीक सत्य केर लोकार्पण कैल गेल ।
डा रामजी ठाकुर केर अध्यक्षता मे आयोजित एहि समारोह मे मंत्रेश्वर झा, अशोक, जगदीश मंडल, योगेन्द्र पाठक वियोगी, रमानंद झा रमण, केदार नाथ झा, सतीरमण झा सहित अनेक वक्ता लोकनि अपन विचार व्यक्त केलनि ।
एहि अवसर पर आयोजित कवि सम्मेलन मे दुइ दर्जन सँ बेसी कवि लोकनि अपन रचना पाठ केलनि ।