प्रकाश कमती, मुम्बई। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
समाचार साभारः राघव राय, पौरी गाम (बेनीपुर प्रखंड, जिला दरभंगा)
आय पौरी गाम में भयानक ऐगलग्गी केर दुखद समाचार भेटल अछि। एहि दुर्भाग्यपूर्ण दुर्घटना मे बहुत रास घर आ संपत्तिक संग माल-जाल केँ क्षति पहुँचबाक खबैर भेटल अछि।
ग्रामीण में घबराहट रिपोर्ट पठेबाक समय धरि त्रास कायमे देखल गेल आ सब कियो एहि त्रासदीक लेल भगवान् सँ त्राहिमाम-त्राहिमाम करैत देखा रहल अछि।
आगि लगबाक कारण एखन धरि स्पष्ट नहि भेल अछि, मुदा किछु ग्रामीण केर कहब छन्हि जे आगि मुस्लिम टोला सँ शुरू भेल आ देखैत देखैत सौंसे गाम धरि अपन लुत्ती सँ पसरैत चलि गेल। किछु लोकक इहो कहब अछि जे कियो बीड़ी पियक्कर द्वारा बीड़ीक जराठी कोनो खड़हीक बोझ तरफ फेंकेलाक कारण ई सुनगैत-सुनगैत भयावह आगि केर रूप धारण कए लेलक।
मौका पर बहेड़ा अग्निशामक दल केर दू गोट अग्निशामक दमकल सेहो पहुँचल मुदा बिहार सरकारक लाचार आ निरीह स्थितिक एहि सँ स्पष्ट होएत अछि जे बिन पानि भरनहिये ढनढनाइत दमकल दुर्घटनास्थल पर पहुँचि पोखैर ताकय मे समय गमा देलक। एम्हर धू-धू कय जरैत गाम आ भागाभाग लोकक अफरातफरी सँ सब कियो अपन जान बचेबा मे व्यस्त देखायल।
खाली टँकीवला दमकल देखि ग्रामीण आक्रोशित भऽ गेलाह आ दमकल ड्राइवरक संग अग्निशामक दल केर पिटाई कैल जेबाक सेहो खबरि अछि। जखन आगि रुकबाक नामहि नए लए रहल छल तखन दरिभंगा सँ दर्जन भरि अग्निशामक दलक गाडी घटना स्थल पर पहुँचल आ किछु घंटाक पश्चात आगि पर नियंत्रण पाओल जा सकल।
उग्र ग्रामीण केँ शान्त करबाक लेल पुलिसक गस्ती खटायल गेल। एखन धरि घटना स्थल पर सब किछु नियंत्रण मे रखबाक लेल प्रशासन मुस्ताइद अछि। आगि सँ कुनो तरहक मानवीय क्षतिक अप्रिय समाचार हाल धरि सोझा नहि आयल अछि। मुदा माल-जालक नुकसान संभवतः भेल से कहल जा रहल अछि। आगिक लपट आ धाह एतेक भयावह छल जे धरौड़ा, बेनीपुरक लोक तक घटना स्थल धरि पहुँचि गेलाह। परन्तु लोक सब मात्र मूक दर्शक बनिकय सब किछु जरिकय स्वाहा होएत देखिये टा सकलाह।

4 Comments
बहुते दुखद समाचार? परञ्च ध्यान रखबाक आवश्यकता बुझना जाइछ- १९५४ आ १९५८ में, हमरो घर अगिलग्गी भ-चुकल रहय, आईतक सम्भरि नहि पौलहुँ -(सैह बूझल जाओ)- “सावधानी गयी और दुर्घटना हुयी” वर्तमान घटना के किछु तेहने-सन परिभाषा में राखल जाओ?
poikhar ta bagale ma achi oye goun ma, our muslim tola ma ta khta khuti k kono kamiye na chai, tkhano e hall….. bahut dukhk bat achi…..
hamhu garam pouri k chi ai aig lagi me hamro kich nai bhachal hum apane parivar samet mumbai me rahai chiy ghar band hue ke karan kicho bacha nai saklo sab kichu jail ke raakh bha gel
बहुत कष्टक अनुभूति भेल गणेशजी…. एहि बिपदा सँ ईश्वर शीघ्र उबार दैथ अहाँ सब गोटा केँ।