मिथिलाक बेटी मिस नेपाल इन्टरनेशनल केर खिताब जितलनि

मिथिलाक थारु समुदायक बेटी वर्षा लेखी बनली मिस नेपाल इन्टरनेशनल

मनीष कर्ण, जनकपुरधाम। १० अप्रैल, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

ms nepal4कहल जाइत अछि जे मेहनत, लगन आ आत्मविश्वास सँ जँ कोनो काज करब तऽ सफलता एक न एक दिन भेटबे टा करैत अछि। तेहने सफलता शिखर पर पँहुचय मे सफल भेलीह अछि मिथिलाक थारु समुदायक धिया सुश्री वर्षा लेखी।
ओ मिस नेपाल इन्टरनेशनल रनरअप केर उपाधि सँ विभूषित भेलीह अछि। मिथिला-मधेशक बेटी सेहो राष्ट्रिय स्तरपर होमयवला प्रतियोगिता मे अप्पन क्षमता, दक्षता आ कुशलता सँ भरल प्रदर्शन करैत ई ऐतिहासिक जीत हासिल करबा मे सफल भेलीह अछि।
 
ms nepal3थारु समुदाय केर प्रतिस्पर्धी वर्षा लेखी मिस नेपाल 2016 केर सेकेन्ड रनर अप बनैत आब मिस नेपाल इन्टरनेशनल केर खिताबी उपाधि जीतय मे सफल भेलीह अछि। उपाधिक संग-संग पचास हजार टाका नगद राशि आ नेपाल वायुसेवाक टिकट मनचाहा स्थान पर उड़ान भरबाक लेल सेहो प्राप्त कएलीह अछि। ओ आब मिस नेपाल इन्टरनेशनल मे नेपालक प्रतिनिधित्व करती। राजधानी काठमांडु स्थित अन्नपूर्णा होटल मे भेल प्रतियोगिता मे अन्तिम प्रतिस्पर्धाक लेल (१९) उन्नैस अन्य प्रतिस्पर्धी केँ पराजित करैत ई सफलता हुनका आइ एहि मंजिल पर ठाढ केलक जे कल्पना सँ इतर अछि, ओ कहैत छथि। मिस नेपाल केर शीर्षक अन्तर्गत अस्मी श्रेष्ठ आ फस्ट रनर अप रोशनी खत्री सेहो एहि प्रतियोगिता मे सफलता हासिल कएलनि अछि।
 
ms nepal2नेपालक पुर्वी तराइ केर जिल्ला सप्तरीक फत्तेपुर निवासी बाइस वर्षिया वर्षा वातावरण विज्ञान सँ बीएस्सी में अध्ययनरत छथि। पाँच फीट छ इन्च उंचाइ रहल वर्षा चित्रकला व नृत्य मे सेहो रुचि रखैत छथि। भविष्य मे कुशल राजनीतिज्ञ बनबाक लक्ष्य रखैत वर्तमान मे पर्यावरण केर दुषित होयबा पर चिन्ता व्यक्त करैत ओ कहली “भविष्य मे वातावरण संरक्षण सम्वर्धनक लेल सेहो योजना सब बना रहल छी।” मिथिलाक रीतिरिवाज, रहन-सहन मे पलल बढल वर्षाक मुख्य पहिरन साडी ब्लाउज पसिन करैत छथि। तहिना ओ वातावरणीय क्षेत्र मे संलग्न भऽ सेहो बहुत रास काज सब केने छथि यथा- नेफिन, डब्लुडब्लुएफ, क्लिनअप नेपाल आ क्लिन इनर्जी संस्था संग आबद्ध रहि एहि क्षेत्र मे अपन योगदान देने छथि।
 
एक फराक प्रसंग मे ओ कहैय छथि – “मिस नेपाल अपना लेल मात्र सुन्दरीक प्रतियोगिता नहि भऽ महिला सशक्तीकरणक केर आवाज बुलंद करबाक सेहो एकटा प्लेटफार्म थीक। मिस नेपालक ताज विज्ञापन, म्युजिक भिडियो या फिल्म मे भूमिका अदा करबाक लेल खाली नहि अछि। तहिना आगु कहली – “हमरा सन व्यक्ति वा समुदाय जेकरा राज्य पक्ष सऽ हमेशा विभेदक मुंह देखय पड़लैक, अखनो धरि विभेदक झेल मे फँसले अछि। तें हमरा लेल ई खिताबी जीत बहुत पैघ अवसर बनिकय प्रस्तुत भेल अछि। जतय मैथिली थारु महिला सभक अवाज केर राजनीति आ नीतिक माध्यम सँ सेहो उठा सकब – ई भविष्यक योजना अछि ओ बतेलनि।